नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दरभंगा के संजय कौन बनेगा करोड़पति मे जीतलाह 25 लाख...

( वीडियो लास्ट मे अछि)
कौन बनेगा करोड़पति मे सोमदिन 12 सितंबर के दरभंगा के संजय कुमार चौधरी जी 25 लाख रुपया जीतलाह.

संजय कुमार चौधरी जी दरभंगा के खानपुर के छथिन्ह. संजय जी बड़ नीक खेललाह. संजय जी 50 लाख के सवाल पर श्योर नहिं छलाह जे जवाब सही अछि आ गलत... ताही लेल ओ खेल सं बाहर भ गेलाह.

मुदा ओहि सवाल के जवाब सही छलन्हि. संजय जी रिस्क
नहि लेलाह से नीक करलाह. कई बेर रिस्क खतरनाक भ जाएत अछि आओर हाथ मे आएल रकम सेहो चलि जाएत अछि.

संजय जी दरभंगाक एकटा पिछड़ल गाम सं छथिन्ह. सभ मैथिल लोक के हिनका सं प्रेरणा लेबाक चाही. हिनका जकां आगां अएबाक चाही.

संजय जीक कहनाय छलन्हि जे हुनकर गाम शिक्षा के मामला मे पिछड़ल अछि आओर हुनकर गाम सं अखन धरि सिर्फ 5टा लोक बीए सं आगां के पढ़ाई करने छथिन्ह. जेहि मे सं चारिटा सिर्फ हुनकर अपन परिवार सं छनि.

ई पूरा मिथिलाक तस्वीर अछि. गाम-देहात मे अखनो पढ़ाई-लिखाई के नीक इंतजाम नहि अछि. लोक के पढ़य-लिखय लेल 10-10...15-15 किलोमीटर दूर जाए पड़य छनि.

ई तं लोक मे पढ़ाई के प्रति ललक अछि जे अपन बाल-बच्चा के ओतेक दूर भेजिओ कs पढ़ाई कराबय छथिन्ह.

सभ किछ सरकारे पर नहि छोड़ल जा सकैत अछि. एहि के लेल अपन अलग मिथिला राज्य के मांग करय वाला तथाकथित नेता सभ सेहो पूरा जिम्मेदार छथिन्ह. हुनकर सभक ध्यान पूरा के पूरा राजनीति पर रहय छनि. मिथिला...मैथिलीक... इलाका के विकास के बारे मे किछ नहि सोचय छथिन्ह आओर किछ नहि करय छथिन्ह.

बस बड़का-बड़का हांकैत रहताह. ई करि रहल थी तं ओ करि रहल छी.

बिहार सं बाहर गुजरात...आओर साउथ तरफ जाsक देखिऔ नेता सभ अपन इलाका केर विकास के लेल कतेक मेहनत करैत अछि. मुदा मिथिला मे तं कि कहल जाए.

खैर संजय जी अपन पढ़ाई... जनरल नॉलेज के बल पर दरभंगा... मिथिलाक माथ नीच नहि होबय देलाह. नीक खेललाह.. 25 लाख टका जीतलाह.

अगर लोक मे जागरूकता होए... पढ़ाई लिखाई के नीक प्रबंध होए तं एहन मंच पर बेसि सं बेसि मैथिल सफल होएताह.

पिछला दिन परिहारपुर... राजनगर मधुबनी के एकटा महिला सेहो आएल छलीह आओर नीक प्रदर्शन करलीह.

हिनका सभ के हमर...हेलो मिथिलाक बधाई...शुभकामना.


एहि ठाम हम 12 तारीख के कौन बनेगा करोड़पति के पूरा वीडियो राखि रहल छी. जे लोकनि नहि देखि पएलाह एहिठाम देख सकय छथिन्ह.





कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु