Skip to main content

दरभंगा के संजय कौन बनेगा करोड़पति मे जीतलाह 25 लाख...

( वीडियो लास्ट मे अछि)
कौन बनेगा करोड़पति मे सोमदिन 12 सितंबर के दरभंगा के संजय कुमार चौधरी जी 25 लाख रुपया जीतलाह.

संजय कुमार चौधरी जी दरभंगा के खानपुर के छथिन्ह. संजय जी बड़ नीक खेललाह. संजय जी 50 लाख के सवाल पर श्योर नहिं छलाह जे जवाब सही अछि आ गलत... ताही लेल ओ खेल सं बाहर भ गेलाह.

मुदा ओहि सवाल के जवाब सही छलन्हि. संजय जी रिस्क
नहि लेलाह से नीक करलाह. कई बेर रिस्क खतरनाक भ जाएत अछि आओर हाथ मे आएल रकम सेहो चलि जाएत अछि.

संजय जी दरभंगाक एकटा पिछड़ल गाम सं छथिन्ह. सभ मैथिल लोक के हिनका सं प्रेरणा लेबाक चाही. हिनका जकां आगां अएबाक चाही.

संजय जीक कहनाय छलन्हि जे हुनकर गाम शिक्षा के मामला मे पिछड़ल अछि आओर हुनकर गाम सं अखन धरि सिर्फ 5टा लोक बीए सं आगां के पढ़ाई करने छथिन्ह. जेहि मे सं चारिटा सिर्फ हुनकर अपन परिवार सं छनि.

ई पूरा मिथिलाक तस्वीर अछि. गाम-देहात मे अखनो पढ़ाई-लिखाई के नीक इंतजाम नहि अछि. लोक के पढ़य-लिखय लेल 10-10...15-15 किलोमीटर दूर जाए पड़य छनि.

ई तं लोक मे पढ़ाई के प्रति ललक अछि जे अपन बाल-बच्चा के ओतेक दूर भेजिओ कs पढ़ाई कराबय छथिन्ह.

सभ किछ सरकारे पर नहि छोड़ल जा सकैत अछि. एहि के लेल अपन अलग मिथिला राज्य के मांग करय वाला तथाकथित नेता सभ सेहो पूरा जिम्मेदार छथिन्ह. हुनकर सभक ध्यान पूरा के पूरा राजनीति पर रहय छनि. मिथिला...मैथिलीक... इलाका के विकास के बारे मे किछ नहि सोचय छथिन्ह आओर किछ नहि करय छथिन्ह.

बस बड़का-बड़का हांकैत रहताह. ई करि रहल थी तं ओ करि रहल छी.

बिहार सं बाहर गुजरात...आओर साउथ तरफ जाsक देखिऔ नेता सभ अपन इलाका केर विकास के लेल कतेक मेहनत करैत अछि. मुदा मिथिला मे तं कि कहल जाए.

खैर संजय जी अपन पढ़ाई... जनरल नॉलेज के बल पर दरभंगा... मिथिलाक माथ नीच नहि होबय देलाह. नीक खेललाह.. 25 लाख टका जीतलाह.

अगर लोक मे जागरूकता होए... पढ़ाई लिखाई के नीक प्रबंध होए तं एहन मंच पर बेसि सं बेसि मैथिल सफल होएताह.

पिछला दिन परिहारपुर... राजनगर मधुबनी के एकटा महिला सेहो आएल छलीह आओर नीक प्रदर्शन करलीह.

हिनका सभ के हमर...हेलो मिथिलाक बधाई...शुभकामना.


एहि ठाम हम 12 तारीख के कौन बनेगा करोड़पति के पूरा वीडियो राखि रहल छी. जे लोकनि नहि देखि पएलाह एहिठाम देख सकय छथिन्ह.





Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...