नियोजित शिक्षक के लेल पेंशन योजना



बिहार मे नियोजित शिक्षक के लेल अगिला साल सं पेंशन योजना शुरू होएत. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी एकर घोषणा करलखिन्ह.

नीतीश जीक मुताबिक यूटीआई के संग मिल कs एहि पेंशन योजना के लागू कएल जाएत. हुनकर कहनाय छलन्हि जे नियोजित शिक्षक के
रिटायर भेलाह के बाद पेंशन के रूप मे मास मे 8 सं 9 हजार रुपया मिलतन्हि.

एहि पेंशन स्कीम मे टीचर के वेतन सं मास मे दू सय रुपटा कटतन्हि. पेंशन मद मे सरकार सेहो एतेक रुपया जमा करत.

रिटायर भेलाह के बाद मास में 8 सं 9 हजार रुपया अखन नीक लगैत अछि. मुदा जेहि टाइम मे ओ टीचर रिटायर होथिन्ह ओहि टाइम मे रुपया के वैल्यू काफी कम भ गेल रहत.

ओहि टाइम यानी आई सं 20-25 साल बाद ई 8-9 हजार रुपया काफी कम लागत. मुद्रास्फीति के हिसाब सं ई काफी कम भ जाएत ओहि टाइम.

सरकार के एहि रकम के बढ़ाबय के कोशिश करबाक चाही. स्कीम शुरू होए मे अखन टाइम अछि तखन तक एकरा सुलझाएल जा सकैत अछि. रकम किछ बढ़ाएल जा सकैत अछि.

एहि पेंशन स्कीम के फायदा राज्य केर करीब ढ़ाई सं तीन लाख टीचर मे मिलतन्हि.

Comments

  1. Prayas nik chai....bhai sakai aichi je aaga ja kai aehi mein seho badhotari hoi...khair prayas sarahniye aichi....aa samachar je delou eho kam sarahniye nai..ati sarahniye aichi..

    Kumar Kali Bhushan
    Keoti - Mumbai..

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

अहाँ मैथिली बजै छी की ?

हमर विआह- 8

छोट राज्य के पक्ष मे नीतीश जी

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

आंसू

नहि रहलाह मैथिली पुत्र प्रदीप

गुजरात मे पहिल दिन...

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

अलग मिथिला राज्य लेल जंतर-मंतर पर विशाल प्रदर्शन, ट्विटर पर MithilaRajya हैशटैग करि रहल अछि टॉप ट्रेंड