Skip to main content

Posts

Showing posts from November, 2010

एहने बिहार चाहय छल कांग्रेस...

मंगलदिन 30 तारीख के भोर मे दिल्ली मे एकटा दुर्घटना के बाद किछ लोक एकटा घायल आदमी के एक अस्पताल सं दोसर अस्पताल मे इलाज के लेल गुहार लगाबैत रहलखिन्ह मुदा इलाज नहि भेल. ओ घायल एम्बुलैंस मे दम तोड़ि देलक. मुदा डॉक्टर... सरकारी अधिकारी के दिल नहि पसीजल. डॉक्टर जिनका हम-अहां भगवान मानए छी आजुक काल मे ओ पैसा के पाछां संवेदनहीन बनि गेल छथिन्ह.

बढ़ल जिम्मेदारी नीतीश के...

भारी वोट सं जीतला के बाद नीतीश कुमार जी एक बेर फेर सं बिहार के मुख्यमंत्री के कुर्सी संभालि लेलाह. मंत्री सभ के विभागक बंटवारा सेहो भ गेल अछि. मुदा एहि जोरदार जीत के संग लोक के हिनका सं उम्मीद सेहो बढ़ि गेलन्हि.

नीतीश जीक मंत्रिमंडल

बिहार मे नीतीश कुमार जीक शपथ लेला के बाद मंत्रिमंडल के विभाग केर घोषणा करि देल गेल अछि. मंत्री सभ के लिस्ट विभाग के लिस्ट ऐना अछि- नीतीश कुमार (मुख्यमंत्री) : गृह, निगरानी, निर्वाचन, सामान्य प्रशासन, मंत्रिमंडल सचिवालय आओर अन्य सुशील कुमार मोदी (उपमुख्यमंत्री) : वित्त-वाणिज्यकर, पर्यावरण एवं वन विजय कुमार चौधरी : जल संसाधन विजेंद्र प्रसाद यादव : ऊर्जा, उत्पाद एवं मद्य निषेध, निबंधन व संसदीय कार्य नंदकिशोर यादव-पथ निर्माण नरेंद्र सिंह : कृषि वृषिण पटेल : परिवहन व सूचना एवं जनसंपर्क रमई राम : राजस्व एवं भूमि सुधार चंद्रमोहन राय : लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण अश्विनी कुमार चौबे : स्वास्थ्य हरि साह : पंचायती राज, पिछड़ा वर्ग एवं अति पिछड़ा वर्ग कल्याण भीम सिंह : ग्रामीण कार्य रेणु कुमारी : उद्योग एवं आपदा प्रबंधन जीतन राम मांझी : अनुसूचित जाति एवं जनजाति कल्याण दामोदर राउत : भवन निर्माण डा. प्रेम कुमार : नगर विकास एवं आवास नरेंद्र नारायण यादव : विधि-योजना एवं विकास प्रशांत कुमार शाही : मानव संसाधन विकास शाहिद अली खान : अल्पसंख्यक कल्याण एवं सूचना प्रौद्योगिकी श्याम रजक : खाद्य एवं उपभोक्ता संर...

नीतीश बनलाह मुख्यमंत्री

नीतीश कुमार फेर सं बिहार के मुख्यमंत्री बनि गेलाह. पटना के गांधी मैदान मे राज्यपाल देवानंद कुंवर हुनका पद आओर गोपनीयता के शपथ देललखिन्ह. बिहार विधानसभा चुनाव मे मिलल भारी बहुमत के बाद नीतीश जी लगातार दोसर बेर मुख्यमंत्री बनलाह. ई हुनकर मुख्यमंत्री के रूप मे तेसर कार्यकाल छनि. नीतीश जीक बाद सुशील कुमाल मोदी सेहो शपथ लेलखिन्ह. उम्मीद अछि ओ फेर सं उपमुख्यमंत्री बनल रहताह. हिनका दूनु के बाद 28टा आओर मंत्री शपथ लेलखिन्ह. दोसर 28टा जे मंत्री शपथ लेलखिन्ह ओहि मे 18 नीतीश जीक पार्टी जेडीयू सं छथिन्ह आओर 10 सुशील मोदी जीक पार्टी बीजेपी सं. पिछला बेर के जकां एहि बेर सेहो जेडीयू-बीजेपी के गठबंधन सरकार अछि. गांधी मैदान मे भेल एहि शपथ ग्रहण समारोह मे कइटा केंद्रीय नेता शामिल भेलखिन्ह. जेहि मे लालकृष्ण आडवाणी...शरद यादव... नितिन गडकरी... अरुण जेटली... सुषमा स्वराज शामिल छथिन्ह. अगर जातिगत समीकरण के देखल जाए त 11 अगड़ी जाति सं... 9 पिछड़ी जाति सं 4 अत्यंत पिछड़ी जाति सं आओर 4टा मंत्री एससी सं छथिन्ह. दूटा मुस्लिम विधायक सेहो मंत्री बनाएल गेलाह. जेडीयू सं जे विधायक फेर सं मंत्री बनलाह ओहि मे विज...

मेट्रो मे संभलि कs...

दिल्ली मेट्रो सं आबय जाए छी... यात्रा करय छी त संभलि कs. ट्रेन पर चढ़य सं पहिने देखि लिअ जे कहिं अहां महिला कोच मे त नहि चढ़ि रहल छी. एहन नहि होए कि कहिओ महिला कोच मे चढ़ि जाए आओर पीटा जाए. हम मजाक नहि करि रहल छी. एहन भेल अछि. दिल्ली मेट्रो के महिला कोच मे चढ़ि गेल किछ लड़का के महिला सभ जमि कs पिटाई कएलीह. लड़का सभ कहैत रहि गेल जे सभ कोच भरल अछि. एहि मे ठाड़ होए के जगह अछि ताही लेल चढ़ि गेल छी. मुदा महिला सभ कहां मानय वाला छलीह. ओ करय लगलीह दन-दनादन पिटाई. जमि कs धुनाई कएलीह. महिला कोच मे जे महिला के मौका मिललन्हि अपन हाथ अजमा देलीह. कइटा लड़का के उठा-बैसक सेहो कराएल गेल. ई एक ठाम के बात नहि अछि. एहन कइ ठाम भेल अछि. ओना एहि मे किछ लड़का सभ के सेहो बदमाशी रहैत अछि जे ओ महिला कोच मे जानि कs चढ़ि जाए छथिन्ह आ घुसय के कोशिश करय छथिन्ह. मुदा कई बेर लोक धोखा सं... अनजानापन मे सेहो चढ़ि जाए छथिन्ह. असल मे दिल्ली के मेट्रो ट्रेनक पहिल कोच महिला कोच करि देल गेल अछि. ई कोच महिला के लेल रिजर्व अछि. एहि मे घुसला पर 200 टका के फाइन सेहो अछि. मुदा चूंकि ई मेट्रो के पहिल कोच अछि आओर कोनो स्टेशन ...

नीतीश कुमार के ताजपोशी

नीतीश कुमार के आई 26 तारीख के ताजपोशी छनि. नीतीश जी पटना के गांधी मैदान मे दिन के ढाई बजे मुख्यमंत्री पद के शपथ लेताह. नीतीश जी तेसर बेर बिहार के मुख्यमंत्री बनताह. नीतीश कुमार के संग बीजेपी के सुशील कुमार मोदी उप मुख्यमंत्री पद के शपथ लेताह. हिनका संग किछ मंत्री सभ सेहो शपथ लेताह. संख्या के लsक अखन किछ साफ नहि अछि. किछ सूत्र के कहनाए अछि जे 25 विधायक मंत्री पद के शपथ लेताह त किछ के कहनाए छनि जे 35 लेताह. ई संख्या अंत तक कम-बेसि भ सकैत अछि. सभ नेटवर्किंग पर निर्भर करैत अछि. ओना उम्मीद कएल जा रहल अछि जे पिछला सरकार मे जिनकर परफॉर्मेंस नीक रहल छनि ओ एहि बेर फेर मंत्री बनताह. जे नहि जीत पएलाह हुनका जगह दोसर नवका विधायक के मौका देल जएतन्हि. मंत्री बनय के दौड़ मे जेडीयू सं वृषण पटेल... श्याम रजक... छेदी पासवान ...विजय चौधरी... हरिनारायण सिंह ... आओर परवीन अमानुल्लाह आगां छथिन्ह... अगर पूर्व मंत्री नीतीश मिश्रा शामिल होए चाहताह त हुनका मौका मिलतन्हि. एहिना बीजेपी सं अश्विनी चौबे ... नन्दकिशोर यादव...जनार्दन सिग्रीवाल ...सोनेलाल हेम्ब्रम ...सवा ज़फर...आओर विजय मिश्रा के नाम लिस्ट मे आगां च...

श्रद्धांजलि सभाक आयोजन

मैथिलीक आओर मिथिलाक जननायक चुनचुन मिश्रा (25-10-1942-- 15-11-2010) जीक श्रद्धांजलि सभाक आयोजन 27 नवंबर शनि दिन राखल गेल अछि. ई श्रद्धांजलि सभा दिल्लीक राजेन्द्र भवन मे होएत. राजेन्द्र भवन आईटीओ के पास अछि. अहां सभ सं आग्रह जे एहि श्रद्धांजलि सभा मे आबि दिवंगत मैथिली पुत्र के अपन श्रद्धासुमन अर्पित करि. श्रद्धांजलि समारोह सांझ के 6 बजे राखल गेल अछि. एहि ठाम होए वाला समारोह के बारे मे अहांके कोनो तरहक जानकारी के जरूरत होए त अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद के महासचिव कृपानंद झा जी सं सम्पर्क क सकय छी. K N Jha Mob-9868551104 समारोह स्थल के पता अछि- राजेन्द्र भवन दीन दयाल उपाध्याय मार्ग आईटीओ नई दिल्ली Planning to marry? Register at Shaadi.com Matrimonial   हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

चुनचुन मिश्रजीके श्रद्धांजलि...

 Chunchun Mishra (25-10-1942-- 15-11-2010) चुनचुन मिश्रजीक पार्थिव शरीर के माँ मैथिली अपन कोरा मे नुका लेलनि। 1942 के क्रान्तिगर्भसँ जनमल चुनचुन बाबू आजीवन संघर्ष करैत रहलाह। डाँ जयकांत मिश्र जी जेका चुनचुनबाबू सेहो 16-11-2010 के 2 बजे रति मे मिथिला राज्यक सपना लेने स्वर्गीय भयगेलाह्। एकटा आधा बाहि वाला कुर्ता, दू टा कपड़ा वल गन्जी, एकटा गमछा आ एकटा धोती बस सबटा एकटा झोरा मे। कोनो लाम काफ नहि। कोनो रिजर्वेशन के चिन्ता नहि। ककरो डर नहि। कानपुर, बम्बई, दिल्ली, हैदराबाद आ कतय नहि, चुनचुन बाबू सबठाम्। आन्दोलन मैथिली के अष्ट्म सूचिक लेल हो, मिथिला राज्य के लेल हो, या सैराठ सभाक उत्थान के लेल चुनचुन बाबू के अगुआ बिना कोना एखन धरि सम्भव नहि भेल छल्। दिल्ली मे हुनका देखितहि Intelligence ओ दिल्ली पुलिस सब कहनि, “आ गये मिथिला राज्य वाले”।  जन्त्तर मन्तर पर एकटा पुलिस कहलकनि “बाबा आप चौरहे से पीछे जा कर धरना पर बैठिये, यहाँ जाम लग जायेगा” चुनचुन बाबू कहल्थिन “कोनो हम पहुनाई करय आयल छियैक, हम त धरना पर आयल छियौक, बैसबौ त एहिठाम, हिम्मत छौ त पकड़ि क हमरा जेहल में दय दे। ओहि समय मात...

के जीतलाह कतए सं...

सीट         -            जीतलाह वाल्मीकि नगर- राजेश सिंह जेडीयू रामनगर- भागीरथी देवी बीजेपी नरकटियागंज- सतीश दुबे बीजेपी बगहा- प्रभात रंजन जेडीयू लौरिया- विनय बिहारी निर्दलीय नौतम- मनोरमा प्रसाद जेडीयू चनपटिया- चंद्रमोहन राय बीजेपी बेतिया- रेणु देवी बीजेपी सिकटा- दिलीप वर्मा निर्दलीय रक्सौल- अजय सिंह बीजेपी सुगौली- राम चंद्र सहनी बीजेपी नरकटियागंज- श्याम बिहारी प्रसाद जेडीयू हरसिद्धि- कष्ण नंदन पासवान बीजेपी गोविंदगंज- मीना देवी जेडीयू केसरिया- सचिंद्र सिंह बीजेपी पीपरा- अवधेश कुशवाहा जेडीयू मधुबन- शिवजी राय जेडीयू कल्याणपुर- रज़िया खातून जेडीयू मोतिहारी- प्रमोद कुमार बीजेपी चिरैया लक्ष्मी - नारायाण यादव आरजेडी ढाका पवन-जायसवाल निर्दलीय शिवहर- शरफुद्दीन जेडीयू रीगा- मोतीलाल प्रसाद बीजेपी बधनाहा- दिनकर राम बीजेपी परिहार- राम नरेश यादव बीजेपी सुरसंड- जयनंदन यादव आरजेडी बाजपट्टी- रंजू गीता जेडीयू सीतामढ़ी- सुनील कुमार पिंटू बीजेपी रून्नीसैदपुर- गुड्डी चौधरी जेडीयू बेलसंड- सुनीता सिंह चौहान जेडीयू हरलाखी- श...

हारय वाला दिग्जग...

राम जतन सिंह (जहानाबाद)- कांग्रेस ददन सिंह (ब्रह्मपुर, डुमराव)- जेडीएस विजय कृष्ण (बाढ़)- आरडेजी पशुपति पारस (अलौली)- एलजेपी वीणा शाही (वैशाली) – आरजेडी राबड़ी देवी (राघोपुर) – आरजेडी राबड़ी देवी (सोनपुर)- आरजेडी अशोक चौधरी (बरबीघा)- कांग्रेस उदय मांझी (फुलवारिया)- आरजेडी महबूब अली कैसर (सिमरी बख्तियार पुर) – कांग्रेस लवली आनंद (आलमनगर)- कांग्रेस कांति सिंह (नोखा)- आरजेडी सत्येंद्र शर्मा (दीघा)- एलजेपी Planning to marry? Register at Shaadi.com Matrimonial   हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

मधुबनी जिलाक चुनाव परिणाम

मधुबनी जिलाक परिणाम कुल : 10 जदयू - 4 भाजपा - 3 राजद - 3 * मधुबनी 1. रामदेव महतो - भाजपा - 44817 2. नैयर आजम - राजद - 44229 * बाबूबरही विधानसभा क्षेत्र 1. उमाकांत यादव- राजद - 51772 2. कपिलदेव कामत - जदयू - 46859 * बिस्फी विधानसभा क्षेत्र 1. डॉ. फैयाज अहमद- राजद - 47169 2. हरिभूषण ठाकुर बचौल - जदयू - 37668 * झंझारपुर विधानसभा क्षेत्र 1. नीतीश मिश्र - जदयू - 57652 2. जगत नारायण सिंह- राजद - 36971 * फुलपरास विधानसभा क्षेत्र 1. गुलजार देवी-जदयू - 36113 2. वीरेन्द्र चौधरी- राजद - 23769 * लौकहा विधानसभा क्षेत्र 1. हरि प्रसाद साह-जदयू - 47849 2. चित्तरंजन यादव - राजद - 30283 * हरलाखी विधानसभा क्षेत्र 1. शालीग्राम यादव - जदयू - 30281 2. राम नरेश पांडेय - माकपा - 23622 * बेनीपट्टी विधानसभा क्षेत्र 1. विनोद नारायण झा- भाजपा - 31198 2. महेश चंद्र सिंह ऊर्फ सज्जन सिंह - लोजपा - 18556 * खजौली विधानसभा क्षेत्र 1. अरुण शंकर प्रसाद-भाजपा - जीते - 44959 2. सीताराम यादव - राजद - 34246 * राजनगर विधानसभा क्षेत्र 1. राम लखन राम रमण - राजद - 40584 2. रामप्रीत पासवान - भाजपा - 38125 Planning to ma...

दरभंगा जिलाक परिणाम

दरभंगा जिलाक परिणाम कुल-10 जेडीयू - 2 बीजेपी - 6 आरजेडी - 2 * दरभंगा शहर विधानसभा क्षेत्र 1. संजय सरावगी-भाजपा - 64136 2. सुल्तान अहमद - राजद - 36582 * दरभंगा ग्रामीण विधानसभा क्षेत्र 1. ललित यादव- राजद - 29776 2. अशरफ हुसैन- जदयू- 26100 * कुशेश्वरस्थान विधानसभा क्षेत्र 1. शशि भूषण हजारी - भाजपा - 28576 2. रामचंद्र पासवान - लोजपा - 23064 * अलीनगर विधानसभा क्षेत्र 1. अब्दुल बारी सिद्दिकी- राजद - 37923 2. प्रभाकर चौधरी - जदयू - 32924 * बेनीपुर विधानसभा क्षेत्र 1. गोपालजी ठाकुर - भाजपा - 43222 2. हरेकृष्ण यादव - राजद - 20265 * केवटी विधानसभा क्षेत्र 1. अशोक कुमार यादव- भाजपा- 45791 2. फराज फातमी- राजद - 45762 * गौड़ा बौराम विधानसभा क्षेत्र 1. इजहार अहमद- जदयू - 33258 2. महावीर प्रसाद- राजद - 22656 * हायाघाट विधानसभा क्षेत्र 1. अमरनाथ गामी-भाजपा - 32023 2. शाहनवाज कैफी- लोजपा - 25998 * बहादुरपुर विधानसभा क्षेत्र 1. मदन सहनी-जदयू - 27320 2. हरिनंदन यादव-राजद - 26677 * जाले विधानसभा क्षेत्र 1. विजय कुमार मिश्र-भाजपा - 42590 2. राम निवास प्रसाद - राजद - 25648 Planning to marry? Reg...

चुनाव परिणाम 2010

बिहार विधानसभा चुनाव परिणाम 2010 कुल - 243 जेडीयू- 115 बीजेपी- 91 कांग्रेस- 4 सीपीआई-1 जेएमएम- 1 एलजेपी-3 आरजेडी-22 अन्य- 6 Planning to marry? Register at Shaadi.com Matrimonial   हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

सभ सं कम मार्जिन के जीत केवटी मे

बिहार विधानसभा चुनाव मे जेडीयू-बीजेपी गठबंधन के भारी सफलता हाथ लागल अछि. नीतीश कुमार जी शुक्रदिन 26 तारीख के दिन मे ढाई बजे फेर सं पटना के गांधी मैदान मे मुख्यमंत्री पद के शपथ लेताह. अखन धरि जतेक रिजल्ट आएल अछि ओहि के अगर देखल जाए त सभ सं कम मार्जिन के जीत हमर अपन विधानसभा क्षेत्र केवटी सं आएल अछि. अपन गाम होबय के कारण केवटी पर विशेष नजर छल. केवटी सं बीजेपी के मौजूदा विधायक अशोक कुमार यादव जी फेर सं एमएलए बनि गेलाह. अशोक जी बीजेपी सांसद हुकुमदेव नारायण यादव जीक सुपुत्र छथिन्ह. मुदा एहि बेर कहि सकय छी बड़ मुश्किल सं जीतलाह. ओ केवटी सं आरजेडी के फराज फातमी के मात्र 29 वोट सं हरैलखिन्ह. फराज फातमी दरभंगा के पूर्व सांसद आओर पूर्व केंद्रीय मंत्री मो अली अशरफ फातमी जीक सुपुत्र छथिन्ह. फातमी जीक भाग्य संग नहि देलखिन्ह. फातमी जीक के कांग्रेस आओर दोसर मुस्लिम उम्मीदवार के कारण हार के मुंह देखय पड़लन्हि. कांग्रेस हुनका लेल वोटकटवा के भूमिका निभैलक. इलाका मे अल्पसंख्यक वर्ग के वोट के बंटनाए आरजेडी के लेल नुकसानदायक रहल. केवटी मे बीजेपी के 45791 वोट मिलल जखन कि आरजेडी के एहिठाम 45762 वोट मिलल....

राहुल के मिशन बिहार फेल...

बिहार विधानसभा चुनाव मे कांग्रेस के युवराज राहुल गांधी के जादू नहि चलल. सिर्फ राहुल गांधी नहि कांग्रेस अध्यक्ष सोनिया गांधी के लगातार प्रचार के सेहो जनता...मतदाता पर कोनो प्रभाव नहि पड़ल. सभ सं पैघ गप त ई रहल जे जतय-जतय दूनु नेता प्रचार करय गेलखिन्ह... जे-जे उम्मीदवार हिनका सभ के अपन क्षेत्र मे रैली...सभा करय लेल बुलैलखिन्ह... बेसि चित्त भ गेलाह.   सोनिया गांधी आओर राहुल गांधी कुल 22 ठाम सभा कएलखिन्ह . जेहि  मे सं  सिर्फ  कहलगांव आओर किशनगंज मे  पार्टी जीतलक.   कइटा के त जमानत तक जब्त भ गेलन्हि. एकटा बात इहो जे राहुल के सभा मे मंच पर  बाहुबली पप्पू यादव के पत्नी  रंजीता रंजन आओर आनंद मोहन के पत्नी  लवली आनंद के मौजूदगी सं लोक सेहो पार्टी सं किनारा क लेलखिन्ह. भीड़ वोट मे नहि बदलल. राहुल गांधी अपन सभ सभा मे नीतीश पर हमला करैत कहैत छलखिन्ह जे हम केंद्र सं पाई भेजैत छी मुदा बिहार मे विकास नहि दिख रहल अछि. ओ केंद्र के पाई के अपन पाई बताबैत रहलखिन्ह. जखन कि ओहि पर राज्य के हक सं इनकार नहि करल जा सकैत अछि. संगहि-संग सभ लोक के पता ...

बिहार मे विकास के जीत

आखिर बिहार मे विकासक जीत भ गेल. विकास के आगां सभ मुद्दा पाछां पड़ि गेल. जाति...धर्म...भाई-भतीजा जैसन सभ समीकरण फेल भ गेल. नीतीश कुमार जीके भारी बहुमत मिल रहल छनि. जीत के खुशी मे पत्रकार सं बात करैत नीतीश कुमार जी कहबो कएलखिन्ह जे एहि चुनाव के सभसं पैघ गप रहल लोक के जातिवाद के नकारि देनाए. लोक ओहि पर ध्यान नहि द विकास पर मोहर लगौंलखिन्ह. एहि बेर नीतीश जीक एहन आंधी चलल जे लालूजीक लालटेन बुझि गेल. एहन उम्मीद खुद जेडीयू-बीजेपी के एनडीए गठबंधन के सेहो नहि छल. मुदा बिहार के जनता हिनका पर अपन पूरा भरोसा देखा देलखिन्ह. नीतीश जीक जीतक एकटा कारण अहां बड़का संख्या मे महिला सभ के वोट देबय लेल आगां अनाए सेहो कहि सकय छी. महिला सभ वोट गिराबय लेल देर तक वोट लाइन मे लागल रहलीह. असल मे एकर बुनियाद पंचायत चुनाव के टाइम मे पड़ि गेल छल जखन नीतीश जी महिला सभ के लेल पचास प्रतिशत आरक्षण लागू करने छलखिन्ह. एहि सं हुनका सभ मे जागरूकता फैलल. एहि चुनाव मे मतदाता के फैसला सं ई साबित भ गेल जे लोक आब फेर सं ओहि अंधकारमय बिहार मे... पिछड़ल बिहार मे...अंधेरगर्दी वाला बिहार मे जाए के लेल तैयार नहि अछि. दुनिया के ...

बुझि गेल लालटेन...

बिहार विधानसभा चुनाव 2010 के चुनाव परिणाम अनाए शुरू भ गेल अछि. परिणाम सं साफ भ गेल अछि जे एहि मे लालू प्रसाद यादव जीक लालटेन टिमटिमा क रहि गेल... नीक सं जलि नहि पाएल आओर बुझि गेल. लालू जीक संग रामविलास पासवान जीक सेहो तेहने हाल अछि. आरजेडी-एलजेपी गठबंधन अपन कोनो करामात नहि देखा पाएल. जखन कि लोकसभा चुनाव मे कम सीट जीतला आओर मंत्री पद नहि मिलला के कारण ओ अपन पूरा समय राज्य पर देने छलखिन्ह. लालू आओर पासवान जी एकरा लेल मीडिया के जिम्मेदार ठहरा रहल छथिन्ह. मुदा ओ एहि पर ध्यान नहि देलखिन्ह जे हुनकर 15 साल के राज मे बिहार सय साल सं बेसि पाछा चलि गेल. बिहार हर क्षेत्र मे पिछड़ि गेल. चुनाव परिणाम अएला के संग लालू जी आओर पासवान जीक घर पर सन्नाटा पसरि गेल अछि. एहने हाल आरजेडी आओर एलजेपी के पार्टी कार्यालय के सेहो अछि. कार्यकर्ता सभ निराश छथिन्ह. लालू जीक आओर पासवान जी एहन कल्पना नहि कएने छलखिन्ह जे रिजल्ट एतेक खराब होएत. रिजल्ट सं हुनका भारी झटका लगलन्हि. दूनु नेता एकदम सं निराश छथिन्ह. लोक सभ नीतीश जीक साथ द लालू जीक नारा के...तर्क के एकदम सं नकारि देलखिन्ह. लालू आओर पासवानजीक लेल एहि नुकसान...

बिहारी लोक मे आक्रोश

बिहार मे विधानसभा चुनाव के बीच आई- काल्हि एकटा फिल्म के लsक लोक के बीच काफी गुस्सा अछि. ओ त राज्य मे एक मास सं बेसि सं चुनाव प्रक्रिया चलि रहल अछि जेहि सं ई मामला किछ दबल रहि गेल. फिल्म के लsक लोक विरोध दर्ज करा रहल छथिन्ह. ई फिल्म अछि प्रियदर्शन केर आक्रोश. हम खुद प्रियदर्शन जीक फैन छी... ओ नीक फिल्म बनाबय छथि. मुदा आक्रोश के हुनकर सभ सं खराब फिल्म कहि सकय छी. दिल्ली के आसपास के इलाका मे ऑनर किलिंग मामला पिछला दिन छाएल रहल. डायरेक्टर साहेब विषय त एकदम सटीक चुनला मुदा एकरा एतेक खराब ढंग सं पेश करला जे कहानी के लs बैसल. फेर कहानी के जेहि परिवेश मे फिल्माएल गेल अछि ओकर तालमेल नहि बेसि रहल अछि. प्रियदर्शन अखन धरि कइटा नीक कॉमेडी फिल्म बनएलाह मुदा एहि मे चूकि गेलाह. देश भर मे बच्चा- बच्चा जानैत अछि जे ऑनर किलिंग के मामला कतs के अछि. दिल्ली के आसपास... हरियाणा आओर उत्तर प्रदेश के किछ इलाका मे एहि क लs क काफी बवाल भेल. मुदा फिल्म के कहानी मे बिहार के एकटा गाम के देखाएल गेल अछि. बिहार के ई एहन गाम अछि जतय एसपी... कलक्टर सं लsक आईजी तक रहय छथिन्ह. कतउ अहां देखलौं अ एहन स्टोरी. एहि मे प्रि...