नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

नीतीश कुमार के ताजपोशी

नीतीश कुमार के आई 26 तारीख के ताजपोशी छनि. नीतीश जी पटना के गांधी मैदान मे दिन के ढाई बजे मुख्यमंत्री पद के शपथ लेताह. नीतीश जी तेसर बेर बिहार के मुख्यमंत्री बनताह.

नीतीश कुमार के संग बीजेपी के सुशील कुमार मोदी उप मुख्यमंत्री पद के शपथ लेताह. हिनका संग किछ मंत्री सभ सेहो शपथ लेताह. संख्या के लsक अखन किछ साफ नहि अछि.

किछ सूत्र के कहनाए अछि जे 25 विधायक मंत्री पद के शपथ लेताह त किछ के कहनाए छनि जे 35 लेताह. ई संख्या अंत तक कम-बेसि भ सकैत अछि. सभ नेटवर्किंग पर निर्भर करैत अछि.

ओना उम्मीद कएल जा रहल अछि जे पिछला सरकार मे जिनकर परफॉर्मेंस नीक रहल छनि ओ एहि बेर फेर मंत्री बनताह. जे नहि जीत पएलाह हुनका जगह दोसर नवका विधायक के मौका देल जएतन्हि.
मंत्री बनय के दौड़ मे जेडीयू सं वृषण पटेल... श्याम रजक... छेदी पासवान ...विजय चौधरी... हरिनारायण सिंह ... आओर परवीन अमानुल्लाह आगां छथिन्ह... अगर पूर्व मंत्री नीतीश मिश्रा शामिल होए चाहताह त हुनका मौका मिलतन्हि.

एहिना बीजेपी सं अश्विनी चौबे ... नन्दकिशोर यादव...जनार्दन सिग्रीवाल ...सोनेलाल हेम्ब्रम ...सवा ज़फर...आओर विजय मिश्रा के नाम लिस्ट मे आगां चलि रहल छनि.

शपथ ग्रहण समारोह के लेल सभ तैयारी पूरा करि लेल गेल अछि. गांधी मैदान के एकदम सं चमका देल गेल अछि. एकटा बड़का स्टेज बनाएल गेल अछि.

समारोह मे भारी संख्या मे लोक के आबय के संभावना के देखैत सुरक्षा के सेहो तगड़ा इंतजाम कएल गेल अछि. पुलिसकर्मी सभ भोरे सं मुस्तैद छथिन्ह.

एहि समारोह मे कइटा केंद्रीय नेता सभ के आबय के सेहो संभावना छनि. एनडीए के बड़का नेता सभ एहि मे शामिल होएताह.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु