बिहार मे विकास के जीत

आखिर बिहार मे विकासक जीत भ गेल. विकास के आगां सभ मुद्दा पाछां पड़ि गेल. जाति...धर्म...भाई-भतीजा जैसन सभ समीकरण फेल भ गेल. नीतीश कुमार जीके भारी बहुमत मिल रहल छनि.

जीत के खुशी मे पत्रकार सं बात करैत नीतीश कुमार जी कहबो कएलखिन्ह जे एहि चुनाव के सभसं पैघ गप रहल लोक के जातिवाद के नकारि देनाए. लोक ओहि पर ध्यान नहि द विकास पर मोहर लगौंलखिन्ह.

एहि बेर नीतीश जीक एहन आंधी चलल जे लालूजीक लालटेन बुझि गेल. एहन उम्मीद खुद जेडीयू-बीजेपी के एनडीए गठबंधन के सेहो नहि छल. मुदा बिहार के जनता हिनका पर अपन पूरा भरोसा देखा देलखिन्ह.

नीतीश जीक जीतक एकटा कारण अहां बड़का संख्या मे महिला सभ के वोट देबय लेल आगां अनाए सेहो कहि सकय छी. महिला सभ वोट गिराबय लेल देर तक वोट लाइन मे लागल रहलीह.

असल मे एकर बुनियाद पंचायत चुनाव के टाइम मे पड़ि गेल छल जखन नीतीश जी महिला सभ के लेल पचास प्रतिशत आरक्षण लागू करने छलखिन्ह. एहि सं हुनका सभ मे जागरूकता फैलल.

एहि चुनाव मे मतदाता के फैसला सं ई साबित भ गेल जे लोक आब फेर सं ओहि अंधकारमय बिहार मे... पिछड़ल बिहार मे...अंधेरगर्दी वाला बिहार मे जाए के लेल तैयार नहि अछि.

दुनिया के सामने इहो साबित भ गेल जे बिहार बदलि रहल अछि...लोक बदलि रहल अछि... लोकक सोच बदलि रहल अछि...आओर ओ एहि सकारात्मक बदलाव के पसंद करि रहल अछि.

एहि बेर के चुनाव नतीजा सं इहो साफ भ गेल अछि जे अहां नीक काज करब त लोक अहां के खारिज नहि करत. अहां जातिगत समीकरण सं दूर काज के बल पर सेहो जीत सकैत छी.

एहि सं नेता सभ काज करय लेल... विकास के आगां बढ़ाबय लेल विवश होताह. हुनका पर ई प्रेशर रहतन्हि जे अगर काज नहि करब त मतदाता हुनका पटखनी द सकय छथिन्ह.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

किछ हरायल शब्द

पूर्णिया मे सुखोई

हमर विआह-10

हमर विआह -1 (पहिल कड़ी)

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

राग-विराग

एहिना मिलत मिथिला राज्य?

हमर विआह- 8