Skip to main content

बढ़ल जिम्मेदारी नीतीश के...

भारी वोट सं जीतला के बाद नीतीश कुमार जी एक बेर फेर सं बिहार के मुख्यमंत्री के कुर्सी संभालि लेलाह. मंत्री सभ के विभागक बंटवारा सेहो भ गेल अछि. मुदा एहि जोरदार जीत के संग लोक के हिनका सं उम्मीद सेहो बढ़ि गेलन्हि.

एहि जीत सं नीतीश जीक आगां के रास्ता काफी कठिन भ गेलन्हि. चुनौती काफी बढ़ि गेलन्हि. आब हिनका सामने सभसं पैघ चुनौती लोक के उम्मीद पर खरा उतरनाय छनि. पिछला पांच साल मे जे ओ नहि करि पएलाह ओकरा अगिला पांच साल मे पूरा करय के होएतन्हि.

एहि बेरक चुनाव मे बिहार मे रहल वाला लोक के संग राज्य सं बाहर रहय वाला लोक सभ सेहो नीतीश जीक पक्ष मे अभियान चलौने छलखिन्ह. सभ गोटे अपन-अपन गाम बात क... चर्चा क नीतीश के पक्ष मे हवा बनौलखिन्ह. पिछला चुनाव सं बेसि भरोस देखैलखिन्ह.

नीतीश जी खुद चुनाव प्रचार के समय कहलखिन्ह जे पिछला पांच साल मे ओ नींव बनौलखिन्ह... बुनियाद कायम कएलखिन्ह... अगिला पांच साल मे इमारत बनौताह. आब एहि इमारत के बनाबए के लेल राज्य के मतदाता हुनका अपन इजाजत द देलखिन्ह.

राज्य सरकार के आब बिजली... हेल्थ... शिक्षा... सड़क... इंफ्रास्ट्रक्चर... खाद्य प्रसंस्करण... रोजगार जका दोसर चीज पर विशेष ध्यान देबय पड़तन्हि. सड़क... पानी के बाद सभ सं खास अछि बिजली. बिजली परियोजना के तेजी सं मंजूरी देबय के जरूरत अछि.

बिजली क्षेत्र मे निवेश बढ़ाबय के कोशिश करय पड़तन्हि. कोयला के लsक जे गतिरोध बनल अछि केंद्र के संग ओकरा दूर करय पड़तन्हि. संगहि-संग सौर ऊर्जा... पनबिजली... पवन ऊर्जा जैसन वैकल्पिक साधन पर जोर देबय पड़तन्हि.

सरकार के एकरा लेल राज्य सं बाहर रहय वाला बिहारी सभ के निवेश करय लेल आमंत्रित करबाक चाही. संगहि-संग पिछला बेर टाटा...अंबानी... महिन्द्रा जकां जे-जे उद्योगपति सभ बिहार दौरा कएने छलाह हुनका सभ के निवेश लेल तैयार करय के जरूरत अछि.

किएक तं राजनीतिक अस्थिरता के आब पांच साल तक कोनो गप नहि अछि. कानून-व्यवस्था के स्थिति सेहो सुधरल अछि. सरकार के हुनका सभ सं बात क... एहि चीज पर गौर करबाक चाही जे उद्योगजगत कि-कि सभ चाहैत अछि?

सरकार के निवेश के लायक माहौल तैयार करय के प्राथमिकता सं लेबाक चाही. जतेक निवेश होएत ओतेक लोक के रोजगार मिलत. लोक के रहन-सहन के स्तर सुधरत. राज्य के जीडीपी बढ़त. समृद्धि आएत.

इंफ्रास्ट्रक्चर के संग -संग सरकार के आईटी सेक्टर पर सेहो विशेष ध्यान देबाक चाही. बिहार जतय बेसि उद्योग धंधा नहि लागि सकैत अछि. आईटी क्षेत्र मे नीक संभावना अछि. बिहार के लड़का सभ काफी प्रतिभाशाली त छथिन्हे...एहि सं हुनका नीक मौका हाथ लगतन्हि.

बीपीओ... कॉलसेंटर...सॉफ्टवेयर... हॉर्डवेयर के संग आईटी सं जुड़ल दोसर काज सभ कएल जा सकैत अछि. एहि मे सरकार आईटी एक्सपर्ट के एक पैनल बना संभावना तलाशि सकैत अछि. बिहारी युवा सभ जे बाहर आईटी क्षेत्र मे उद्यम लगौने छथिन्ह एहिठाम सेहो हाथ आजमा सकय छथि.

एकर संग-संग सरकार के राज्य मे बेसि सं बेसि शिक्षा संस्थान खोलय के बढ़ावा देबाक चाही. साउथ के चेन्नई... बंगलुरु... पुणे जकां बिहार के सेहो फेर सं एजुकेशन हब मे तब्दील करबाक चाही. जेहि सं बेसि सं बेसि दोसर राज्य के छात्र सभ एहि ठाम पढ़य लेल आबय.

जतेक छात्र एहिठाम पढ़य लेल अएताह ओतेक आमदमी होएत. अखन बिहारक बड़ रास पाई पढ़ाई के नाम पर दोसर राज्य मे चलि जाएत अछि. बिहार आब ओहि पॉलिसी के अपना पाई कमा सकैत अछि. एहि के लेल बिहारी पाइ वाला लोक के नव-नव संस्थान खोलबाक चाही.

बिहार मे बड़ दिन सं फिल्म सिटी बनाबए के चर्चा सेहो चलैत अछि मुदा साकार रूप नहि ल रहल अछि. एहि के लेल प्रकाश झा... शेखर सुमन... बिहारी बाबू... मनोज वाजपेयी सभ के अपन-अपन अहम छोड़ि संग आबि पहल करबाक चाही.

बिहार मे मखान... माछ... आम... लीची सं जुड़क खाद्य प्रसंस्करण उद्योग के बढ़ावा द गाम के हाल सेहो सुधारल जा सकैत अछि. एकरे संग ग्रामीण पर्यटन सं सेहो कमाएल जा सकैत अछि. लोक के आर्थिक स्थिति सुधारल जा सकैत अछि.

मधुबनी पेंटिंग...टिकुली कला...के संग दोसर लोक कला के बढ़ा देबाक सेहो जरूरत अछि. ई सेहो काफी लोक के आमदनी के जरिया बनि सकैत अछि. एकर मार्केटिंग के नीक व्यवस्था करय के जरूरत अछि.

अगर सरकार एहि सभ के करय मे विफल रहैत अछि त फेर आगां हिनकर कोनो बहाना नहि चलतन्हि. अखन जे हाल लालू-राबड़ी आओर पासवान जीक छैनि... सेहो हाल हिनको भ सकय छनि. जनता के नहि त गद्दी पर बैसाबैत देर लगय छनि नहि उतारैत.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर