भारी वोट सं जीतला के बाद नीतीश कुमार जी एक बेर फेर सं बिहार के मुख्यमंत्री के कुर्सी संभालि लेलाह. मंत्री सभ के विभागक बंटवारा सेहो भ गेल अछि. मुदा एहि जोरदार जीत के संग लोक के हिनका सं उम्मीद सेहो बढ़ि गेलन्हि.
एहि जीत सं नीतीश जीक आगां के रास्ता काफी कठिन भ गेलन्हि. चुनौती काफी बढ़ि गेलन्हि. आब हिनका सामने सभसं पैघ चुनौती लोक के उम्मीद पर खरा उतरनाय छनि. पिछला पांच साल मे जे ओ नहि करि पएलाह ओकरा अगिला पांच साल मे पूरा करय के होएतन्हि.
एहि बेरक चुनाव मे बिहार मे रहल वाला लोक के संग राज्य सं बाहर रहय वाला लोक सभ सेहो नीतीश जीक पक्ष मे अभियान चलौने छलखिन्ह. सभ गोटे अपन-अपन गाम बात क... चर्चा क नीतीश के पक्ष मे हवा बनौलखिन्ह. पिछला चुनाव सं बेसि भरोस देखैलखिन्ह.
नीतीश जी खुद चुनाव प्रचार के समय कहलखिन्ह जे पिछला पांच साल मे ओ नींव बनौलखिन्ह... बुनियाद कायम कएलखिन्ह... अगिला पांच साल मे इमारत बनौताह. आब एहि इमारत के बनाबए के लेल राज्य के मतदाता हुनका अपन इजाजत द देलखिन्ह.
राज्य सरकार के आब बिजली... हेल्थ... शिक्षा... सड़क... इंफ्रास्ट्रक्चर... खाद्य प्रसंस्करण... रोजगार जका दोसर चीज पर विशेष ध्यान देबय पड़तन्हि. सड़क... पानी के बाद सभ सं खास अछि बिजली. बिजली परियोजना के तेजी सं मंजूरी देबय के जरूरत अछि.
बिजली क्षेत्र मे निवेश बढ़ाबय के कोशिश करय पड़तन्हि. कोयला के लsक जे गतिरोध बनल अछि केंद्र के संग ओकरा दूर करय पड़तन्हि. संगहि-संग सौर ऊर्जा... पनबिजली... पवन ऊर्जा जैसन वैकल्पिक साधन पर जोर देबय पड़तन्हि.
सरकार के एकरा लेल राज्य सं बाहर रहय वाला बिहारी सभ के निवेश करय लेल आमंत्रित करबाक चाही. संगहि-संग पिछला बेर टाटा...अंबानी... महिन्द्रा जकां जे-जे उद्योगपति सभ बिहार दौरा कएने छलाह हुनका सभ के निवेश लेल तैयार करय के जरूरत अछि.
किएक तं राजनीतिक अस्थिरता के आब पांच साल तक कोनो गप नहि अछि. कानून-व्यवस्था के स्थिति सेहो सुधरल अछि. सरकार के हुनका सभ सं बात क... एहि चीज पर गौर करबाक चाही जे उद्योगजगत कि-कि सभ चाहैत अछि?
सरकार के निवेश के लायक माहौल तैयार करय के प्राथमिकता सं लेबाक चाही. जतेक निवेश होएत ओतेक लोक के रोजगार मिलत. लोक के रहन-सहन के स्तर सुधरत. राज्य के जीडीपी बढ़त. समृद्धि आएत.
इंफ्रास्ट्रक्चर के संग -संग सरकार के आईटी सेक्टर पर सेहो विशेष ध्यान देबाक चाही. बिहार जतय बेसि उद्योग धंधा नहि लागि सकैत अछि. आईटी क्षेत्र मे नीक संभावना अछि. बिहार के लड़का सभ काफी प्रतिभाशाली त छथिन्हे...एहि सं हुनका नीक मौका हाथ लगतन्हि.
बीपीओ... कॉलसेंटर...सॉफ्टवेयर... हॉर्डवेयर के संग आईटी सं जुड़ल दोसर काज सभ कएल जा सकैत अछि. एहि मे सरकार आईटी एक्सपर्ट के एक पैनल बना संभावना तलाशि सकैत अछि. बिहारी युवा सभ जे बाहर आईटी क्षेत्र मे उद्यम लगौने छथिन्ह एहिठाम सेहो हाथ आजमा सकय छथि.
एकर संग-संग सरकार के राज्य मे बेसि सं बेसि शिक्षा संस्थान खोलय के बढ़ावा देबाक चाही. साउथ के चेन्नई... बंगलुरु... पुणे जकां बिहार के सेहो फेर सं एजुकेशन हब मे तब्दील करबाक चाही. जेहि सं बेसि सं बेसि दोसर राज्य के छात्र सभ एहि ठाम पढ़य लेल आबय.
जतेक छात्र एहिठाम पढ़य लेल अएताह ओतेक आमदमी होएत. अखन बिहारक बड़ रास पाई पढ़ाई के नाम पर दोसर राज्य मे चलि जाएत अछि. बिहार आब ओहि पॉलिसी के अपना पाई कमा सकैत अछि. एहि के लेल बिहारी पाइ वाला लोक के नव-नव संस्थान खोलबाक चाही.
बिहार मे बड़ दिन सं फिल्म सिटी बनाबए के चर्चा सेहो चलैत अछि मुदा साकार रूप नहि ल रहल अछि. एहि के लेल प्रकाश झा... शेखर सुमन... बिहारी बाबू... मनोज वाजपेयी सभ के अपन-अपन अहम छोड़ि संग आबि पहल करबाक चाही.
बिहार मे मखान... माछ... आम... लीची सं जुड़क खाद्य प्रसंस्करण उद्योग के बढ़ावा द गाम के हाल सेहो सुधारल जा सकैत अछि. एकरे संग ग्रामीण पर्यटन सं सेहो कमाएल जा सकैत अछि. लोक के आर्थिक स्थिति सुधारल जा सकैत अछि.
मधुबनी पेंटिंग...टिकुली कला...के संग दोसर लोक कला के बढ़ा देबाक सेहो जरूरत अछि. ई सेहो काफी लोक के आमदनी के जरिया बनि सकैत अछि. एकर मार्केटिंग के नीक व्यवस्था करय के जरूरत अछि.
अगर सरकार एहि सभ के करय मे विफल रहैत अछि त फेर आगां हिनकर कोनो बहाना नहि चलतन्हि. अखन जे हाल लालू-राबड़ी आओर पासवान जीक छैनि... सेहो हाल हिनको भ सकय छनि. जनता के नहि त गद्दी पर बैसाबैत देर लगय छनि नहि उतारैत.
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु