सभ सं कम मार्जिन के जीत केवटी मे

बिहार विधानसभा चुनाव मे जेडीयू-बीजेपी गठबंधन के भारी सफलता हाथ लागल अछि. नीतीश कुमार जी शुक्रदिन 26 तारीख के दिन मे ढाई बजे फेर सं पटना के गांधी मैदान मे मुख्यमंत्री पद के शपथ लेताह.

अखन धरि जतेक रिजल्ट आएल अछि ओहि के अगर देखल जाए त सभ सं कम मार्जिन के जीत हमर अपन विधानसभा क्षेत्र केवटी सं आएल अछि. अपन गाम होबय के कारण केवटी पर विशेष नजर छल.

केवटी सं बीजेपी के मौजूदा विधायक अशोक कुमार यादव जी फेर सं एमएलए बनि गेलाह. अशोक जी बीजेपी सांसद हुकुमदेव नारायण यादव जीक सुपुत्र छथिन्ह. मुदा एहि बेर कहि सकय छी बड़ मुश्किल सं जीतलाह.

ओ केवटी सं आरजेडी के फराज फातमी के मात्र 29 वोट सं हरैलखिन्ह. फराज फातमी दरभंगा के पूर्व सांसद आओर पूर्व केंद्रीय मंत्री मो अली अशरफ फातमी जीक सुपुत्र छथिन्ह. फातमी जीक भाग्य संग नहि देलखिन्ह.
फातमी जीक के कांग्रेस आओर दोसर मुस्लिम उम्मीदवार के कारण हार के मुंह देखय पड़लन्हि. कांग्रेस हुनका लेल वोटकटवा के भूमिका निभैलक. इलाका मे अल्पसंख्यक वर्ग के वोट के बंटनाए आरजेडी के लेल नुकसानदायक रहल.

केवटी मे बीजेपी के 45791 वोट मिलल जखन कि आरजेडी के एहिठाम 45762 वोट मिलल. यानी बीजेपी के सिर्फ 29 वोट सं जीत. फातमी जीक अलावा केवटी सं सात टा आओर मुस्लिम उम्मीदवार ठाड़ छलाह. जकर नुकसान हुनका उठाबय पड़लन्हि.

जे होए जे जीतल ओहे सिकन्दर. कांटा के एहि टक्कर मे अशोक यादव जी भने निकलि गेलाह... मुदा इलाका के लोक मे हिनका प्रति गुस्सा कम नहि छनि. हिनका एहि बेर लोक के उम्मीद पर खरा उतरय पड़तन्हि.

लोक के शिकायत रहय छनि जे अशोक यादव जी क्षेत्र के विकास के लेल काज नहि करय छथिन्ह. लोक के लेल उपलब्ध नहि रहय छथिन्ह. नीतीश जीक हवा मे जीत गेलाह. आब हिनका पर बेसि जिम्मेदारी आबि गेलन्हि. लोक के काज कsक देखाबय पड़तन्हि.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

फेर अगुआ बनत बिहार

हमर विआह- 8

अहाँ मैथिली बजै छी की ?

छोट राज्य के पक्ष मे नीतीश जी

मोन मिथिले मे अछि...

कि इहे सभागाछी अछि ?

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

कि कि नहि कराएत ई बाढ़ि... ki ki nai karaait ee baarhi

केंद्र मे हारल बिहार...

मिथिला-मैथिल गौरव