नीतीश कुमार फेर सं बिहार के मुख्यमंत्री बनि गेलाह. पटना के गांधी मैदान मे राज्यपाल देवानंद कुंवर हुनका पद आओर गोपनीयता के शपथ देललखिन्ह.
बिहार विधानसभा चुनाव मे मिलल भारी बहुमत के बाद नीतीश जी लगातार दोसर बेर मुख्यमंत्री बनलाह. ई हुनकर मुख्यमंत्री के रूप मे तेसर कार्यकाल छनि.
नीतीश जीक बाद सुशील कुमाल मोदी सेहो शपथ लेलखिन्ह. उम्मीद अछि ओ फेर सं उपमुख्यमंत्री बनल रहताह. हिनका दूनु के बाद 28टा आओर मंत्री शपथ लेलखिन्ह.
दोसर 28टा जे मंत्री शपथ लेलखिन्ह ओहि मे 18 नीतीश जीक पार्टी जेडीयू सं छथिन्ह आओर 10 सुशील मोदी जीक पार्टी बीजेपी सं. पिछला बेर के जकां एहि बेर सेहो जेडीयू-बीजेपी के गठबंधन सरकार अछि.
गांधी मैदान मे भेल एहि शपथ ग्रहण समारोह मे कइटा केंद्रीय नेता शामिल भेलखिन्ह. जेहि मे लालकृष्ण आडवाणी...शरद यादव... नितिन गडकरी... अरुण जेटली... सुषमा स्वराज शामिल छथिन्ह.
अगर जातिगत समीकरण के देखल जाए त 11 अगड़ी जाति सं... 9 पिछड़ी जाति सं 4 अत्यंत पिछड़ी जाति सं आओर 4टा मंत्री एससी सं छथिन्ह. दूटा मुस्लिम विधायक सेहो मंत्री बनाएल गेलाह.
अगर जातिगत समीकरण के देखल जाए त 11 अगड़ी जाति सं... 9 पिछड़ी जाति सं 4 अत्यंत पिछड़ी जाति सं आओर 4टा मंत्री एससी सं छथिन्ह. दूटा मुस्लिम विधायक सेहो मंत्री बनाएल गेलाह.
जेडीयू सं जे विधायक फेर सं मंत्री बनलाह ओहि मे विजय कुमार चौधरी... रमई राम... श्याम रजक... विजेन्द्र प्रसाद यादव... नरेन्द्र नारायण यादव... वृषिण पटेल... रेणु कुमारी... जीतन राम मांझी... गौतम सिंह... दामोदर राउत... शाहिद अली खान आओर हरिप्रसाद साह शामिल छथिन्ह.
पिछला सरकार मे किछ दिन मंत्री रहल नीतीश मिश्र जी सेहो शपथ लेलाह ओ बीच मे मंत्री पद सं हटि गेल छलखिन्ह. मिश्र जी पूर्व मुख्यमंत्री जगन्नाथ मिश्रजीक सुपुत्र छथिन्ह.
हिनका संग नीतीश कुमार जीक पार्टी सं परवीन अमानुल्लाह...भीम सिंह...अवधेष कुशवाहा आओर पीके शाही जी सेहो मंत्री पद के शपथ लेलखिन्ह.
बीजेपी कोटा सं देखल जाए त सुशील मोदी जीक संग नंदकिशोर यादव...अश्विनी कुमार चौबे... प्रेम कुमार... गिरिराज सिंह... जनार्दन सिग्रीवाल फेर सं मंत्री बनलाह.
बीजेपी के नवका चेहरा मे सं सुखदा पांडे... सुनील कुमार पिंटू... सत्यदेव नारायण आर्य आओर रामाधर सिंह शामिल छथिन्ह.

कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु