नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

राहुल के मिशन बिहार फेल...

बिहार विधानसभा चुनाव मे कांग्रेस के युवराज राहुल गांधी के जादू नहि चलल. सिर्फ राहुल गांधी नहि कांग्रेस अध्यक्ष सोनिया गांधी के लगातार प्रचार के सेहो जनता...मतदाता पर कोनो प्रभाव नहि पड़ल.

सभ सं पैघ गप त ई रहल जे जतय-जतय दूनु नेता प्रचार करय गेलखिन्ह... जे-जे उम्मीदवार हिनका सभ के अपन क्षेत्र मे रैली...सभा करय लेल बुलैलखिन्ह... बेसि चित्त भ गेलाह.  

सोनिया गांधी आओर राहुल गांधी कुल 22 ठाम सभा कएलखिन्ह . जेहि  मे सं  सिर्फ  कहलगांव आओर किशनगंज मे  पार्टी जीतलक.   कइटा के त जमानत तक जब्त भ गेलन्हि.

एकटा बात इहो जे राहुल के सभा मे मंच पर  बाहुबली पप्पू यादव के पत्नी  रंजीता रंजन आओर आनंद मोहन के पत्नी  लवली आनंद के मौजूदगी सं लोक सेहो पार्टी सं किनारा क लेलखिन्ह. भीड़ वोट मे नहि बदलल.
राहुल गांधी अपन सभ सभा मे नीतीश पर हमला करैत कहैत छलखिन्ह जे हम केंद्र सं पाई भेजैत छी मुदा बिहार मे विकास नहि दिख रहल अछि. ओ केंद्र के पाई के अपन पाई बताबैत रहलखिन्ह. जखन कि ओहि पर राज्य के हक सं इनकार नहि करल जा सकैत अछि.

संगहि-संग सभ लोक के पता छलन्हि जे कोसी बाढ़ि के समय राष्ट्रीय आपदा घोषित करला के बादहुं बिहार के जे केंद्र सं मदद मिलबाक चाही छल से नहि मिलल. बिहार के विशेष दर्जा देबय के मुद्दा पर केंद्र आनाकानी करैत रहल.

सभसं पैघ चोट बिहार के रेल बजट के समय लागल... जखन ममता बनर्जी दर्जनों ट्रेन बंगाल के लेल देलीह... मुदा बिहार के नाम पर मुंह फेर लेलीह. एतबे नहि दुरंतो आओर दोसर कइटा ट्रेन बंगाल के लेल शुरू कएल गेल.

सभ बिहार सं गुजरैत अछि मुदा बिहार मे नहि रुकैत अछि. ई बिहारी लोक के लेल एकदम सं अन्याय छल. गाड़ी जाएत देख रहल छी मुदा चढ़ि नहि सकय छी.

एतबे नहि केंद्र दोसर सभ मामला मे बिहार के संग पक्षपात करैत रहल. बिहार सं मंत्रिमंडल मे एकोटा मंत्री नहि बनाएल गेल. बिहार के अनदेखी कएल गेल. एतेक चीज करला के बादहुं राहुल बिहार मे सीट जीतए के उम्मीद करय छलाह.


मतदाता के एकदम सं बुरबक समझए छलखिन्ह, सबक सीखा देलखिन्ह. राहुल अपना के बड़का नेता समझय छलाह. मुदा हुनका पता नहि छनि जे मतदाता राजा होएत छथिन्ह. जे जोर के झटका धीरे के संग जोर सं सेहो दैत छथिन्ह.

नीतीश जी चुनाव के टाइम के ठीके कहने छलखिन्ह जे राहुल देश के भावी प्रधानमंत्री बनय चाहय छथिन्ह. मुदा हुनका राजनीति के सबक सीखय लेल पहिने मुख्यमंत्री के रूप मे इंटर्नशिप करबाक चाही.

राहुल गांधी... सोनिया गांधी के एहन करिश्मा रहल जे पहिने जतेक सीट छल पार्टी ओतबो नहि जीत पाएल. आब अहां सोचि सकय छी हिनकर हवा के.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु