एहि प्रोसेसिंग मसीन के एकटा इंट्रेस्टिंग गप्प आओर इ अछि जे एहि मशीन के चलाबय लेल बाहर सं बिजली नहिं लेल जाएत. एहि के लेल एकटा अलग जेनरेटर लगाएल गेल अछि. जे बायोमास गैसीफायर सं चलत. आओर ई बायोमास गैसीफायर चलत धान के भूस्सी सं. भूस्सी के लेल कन्हौली परिसर मे राइस मिल सेहो लगाएल जाएत
एहि सं नहिं केवल मखाना पैदा करय वाला के फायदा होयतन्हि बल्कि हजारों लोग के रोजगार सेहो मिलतन्हि. ई मशीन एहन ठाम लागल अछि जतय सं दरभंगा...मधुबनी दुनु ठाम के लोक के फायदा मिलतन्हि. दुनिया भर मे एहिठाम सं मखाना जाएत अछि. अखन एकटा मशीन लागल अछि एकर सफलता के बाद आओर मशीन लगाएल जाएत. मिथिला मे जतय दोसर उद्योग-धंधा नहिं अछि ई मशीन रोजगार के एकटा नबका अवसर प्रदान करत. देश-विदेश मे मखानक मांग बढ़त. मधुबनी... मिथिला पेंटिंग जकां इहो दुनिया भर मे मिथिलाक नाम बढाएत. इलाका के विकास होएत. विदेशी मुद्रा मिलत. कहि सकय छी मिथिला कs विकास दिशा मे ई एकटा मील के पाथर साबित होएत.
अहां सभ सं आग्रह जे अहांक इलाका मे एहि तरहक कोनो विकासक बयार बहैत होय त हमरा पास ओकर जानकारी भेजु ह ओकरा एहिठाम राखब. कि अहां सभ नहिं चाहैत छी जे अहांक इलाका...गाम घर के समस्या.., परेशानी...विकासक गप्प दोसर लोक तक पहुंचय. किछ नव होए अहां अकटा मैसेज भेज देल करु. नहिं किछ त कमेंट मे दु लाइन लिखल करु. मुदा लिखु. अपन राय...विचार दुनिया के सामने राखु.
bahut nik baat jai mithila me makhan ke udhyog ke naya rasta milal dhire-dhire sab kichh mithilo me banat ham sab maithil agar aik bha k kichh nav chij karbai t jaroor safal haib
जवाब देंहटाएंकोशिक बाढि के बाद इ बड शुभ समाचार अछि मिथिलाक लेल, मखाना के व्यवसायीकरण आ प्रसार बहुत जरूरी छल
जवाब देंहटाएंझंझारपुर में मखानक मशीन मिथिला के विकास में मील के पत्थर साबित होएत।
जवाब देंहटाएंअखन मखान बड़ महग अछि। ऐ में लेबर कास्ट सेहो बहुत लागै अछि। गाम में
मजदूरक दिक्कत सेहो अछि। मुदा मशीन सँ प्रोसेसिंग ोला सँ मखानक खेती बैच
जाएत। आजे माछक मार्केटिंग, पोखरक सुरक्षा, बीमा सभहक व्यवस्था हो जाएत त
अपन इलाका के विकास जोर पकड़ लैत।
विनय तरुण (भागलपुर)
झंझारपुर में मखाना प्रोसेसिंग संयंत्र कs समाचार सुनि मोन हर्षित भs गेल. संपूर्ण मिथिलांचलक लेल बsड सुखद समाचार आओर नीक भविष्यक संकेत छी. किछु दिन पहिने, द हिन्दू समाचारपत्र में मिथिलांचलक एकटा उद्यमी किसान केर मखाना उत्पादन सs बढियां आमदनी वला लेख पढने छेलों. ई समाचार सुनि, उम्मीद जागल ऐछ जे मिथिलांचल क्षेत्र में बsड किसान गोटे सsब केर फायदा हेतें. लोकक आमदनी बढ़ते, रोजगार भेटते आओर क्षेत्रक विकास हेते.
जवाब देंहटाएंमनोरंजन कुमार
दिल्ली.
hamara jaani ke badi kushi bhel ki makhana processing machine jhanjharapur me laig gail.ab ta rozgar ke sange sang makhanaa ke quality se badhi rahal chhait.jaise hamar makhanaa ke aur mahatau milat.
जवाब देंहटाएंmurari prasad sahani.
Bangalore.