अलग मिथिला राज्य लेल जंतर-मंतर पर विशाल प्रदर्शन, ट्विटर पर MithilaRajya हैशटैग करि रहल अछि टॉप ट्रेंड

अलग मिथिला राज्य लेल आई रविदिन, 21 अगस्त के दिल्लीक जंतर-मंतर पर मिथिला स्टूडेंट यूनियन तरफ सं विशाल प्रदर्शन कएल गेल। हजारों केर संख्या मे मैथिल लोक सभ जंतर-मंतर पर आबि अलग मिथिला राज्यक मांग जोर-शोर सं उठैलाह।

प्रदर्शन मे मिथिला स्टूडेंट यूनियन के साफ कहनाय छल जे मिथिलाक सर्वांगिण विकासक लेल मिथिला राज्यक गठन जरूरी भ गेल अछि। अखन नीतीश कुमार सरकार के दोहरा रवैया के कारण मिथिलाक विकास रुकल अछि। एयरपोर्ट चालू भेलाह दू साल भेल मुदा अखन धरि यात्री के बेसिक सुविधा उपलब्ध नहि अछि। एम्स के रफ्तार एहन अछि जे ओतेक दिन भेलाह के बादहुं अखन धरि माइट भराय के काज नहि भेल अछि। मिथिलाक सभ उद्योग-धंधा चौपट परल अछि। बाढ़ि- सुखाड़ के कोनो ठोस उपाय नहि कएल गेल अछि। मैथिली भाषा के आठम अनुसूची मे शामिल त करि देल गेल मुदा अखन धरि मातृभाषा मे पढ़ाई-लिखाई शुरू नहि भेल आ परीक्षा के माध्यम नहि बनाएल गेल। दूरदर्शन मैथिली चैनल शुरू नहि कएल गेल अछि। 

सभ फोटो सौजन्य- सोशल मीडिया
जंतर-मंतर पर आएल लोक सभ के कहनाए छलन्हि जे आर्थिक, राजनैतिक आ भाषाई आजादी के बिना मिथिलाक विकास संभव नहि अछि। नीतीश राज मे जतेक विकास भ रहल अछि गंगा के दक्षिण भ रहल अछि। गंगा के उत्तर वाला हिस्सा विकासक लेल तरैस रहल अछि। जंतर-मंतर पर भ रहल प्रदर्शन के चर्चा सं सोशल मीडिया छा गेल अछि। ट्विटर पर तं #MithilaRajya टॉप ट्रेंड करि रहल अछि। लोक सभ अपन-अपन विचार शेयर करि रहल छथिन्ह। अहां सभ सेहो देखु-

 

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

अलग मिथिला राज्य केर मांग भेल तेज, देखु जंतर-मंतर प्रदर्शन केर फोटो

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग