Skip to main content

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

आई कोजगरा के दिन बड्ड नीक खबर मिलल। एमएसयू के कर्ताधर्ता आओर युवा नेता अनूप मैथिल जी ट्वीट कs जानकारी देलाह जे मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे 200 करोड़ के निवेश करय जा रहल छथिन्ह। अनूप जी अपन ट्वीट मे लिखलाह जे,

"पंडौल में खुलत गारमेंट के कारखाना, बिहार सरकार देलक इजाजत। 50 साल बाद मिथिला क्षेत्र में कोनो मैथिल पुत्र बड़का इन्वेस्टमेंट कर जा रहल छईथ। सावी और प्राशा ग्रुप के चेयरमैन विजय झा जी पंडौल में 200 करोड़ के निवेश कर जा रहल छईथ। सावी ग्रुप 100% एक्सपोर्ट ओरिएंटेड ग्रुप अछी, दिल्ली आ देश में दस हजार स उपर लोक के रोजगार दs रहल अछी। दरभंगा महराज के बाद पहिल बेर कोनो मैथिल पुत्र मधुबनी, मिथिला में कोनो पईग इन्वेस्टमेंट कर जा रहल छईथ। विजय झा जी असल मे मिथिला रत्न छईथ जे अगिला साल सs हजारों मैथिल के मिथिला मे रोजगार उपलब्ध करेता। मिथिला पुत्र के स्वागत आ अभिनंदन"

ई खबरि पढ़तहि मोन गदगद भs गेल। विजय झा जी सं किछ दिन पहनहि भेंट भेल छल, ताहि लेल मोन आओर प्रसन्न छल। विजय झा जी काफी मिलनसार लोक छथिन्ह। सावी ग्रुप के सर्वेसर्वा छथिन्ह। नोएडा मे हिनकर बड्ड पैघ कारोबार छनि। हिनकर ग्रुप के एक्सपोर्ट लेल लगातार तीन बेर प्रथम पुरस्कार सेहो मिल चुकल छनि।


हिनकर सावी लेदर्स कंपनी केर परिधान आ फैशनक दुनिया मे बड़का नाम छनि। नोएडा के सेक्टर 57 आ 58 मे हिनकर चारिटा फैक्ट्री चल रहल छनि। तमिलनाडु मे हिनकर पैघ टैनरी सेहो छनि। हिनकर सभ फैक्ट्री आधुनिक इंफ्रास्ट्रक्चर आ मॉडर्न टेक्नोलॉजी सं युक्त छनि। विजय झा जी खुद एहि मे इनोवेशन आ डिजाइनिंग पर विशेष ध्यान दै छथिन्ह। एहि कारण हिनकर सावी लेदर्स दुनिया भर मे एकटा अपन प्रमुख स्थान बनौने अछि। हिनकर फैक्ट्रीक वार्षिक उत्पादन क्षमता ढाई लाख सं बेसि गारमेंट के आ करीब दस लाख लेदर असेसरीज के अछि।


विजय झा जी सावी लेदर्स ग्रुप 2008 के आखिर मे शुरू कएने छलखिन्ह। ओना हिनकर परिवार लेदर इंडस्ट्री मे एहि सं काफी पहिने करीब 1990 सं पैर जमौने छलखिन्ह। परिवारक माहौल सं हिनकर रुझान सेहो एहि तरह छलन्हि। एहि लेल सेंट्रल लेदर रिसर्च इंस्टीट्यूट CLRI सं एकर पढ़ाई करि इंजीनियरिंग डिग्री सेहो लेलाह। किछ दिन एक्सपोर्ट हाउस मे काज कS कारोबार संबंधी बारीकि जानि 2008 के आखिर आ कहि सकय छी 2009 के शुरू मे अपन काज शुरू करि देलाह। हिनकर फोकस शुरूए सं लेदर इंडस्ट्री के इंटरनेशनल मार्केट पर छनाए आ इंटरनेशनल फैशन जगत मे अपन अलग पहचान बनैनाए छलन्हि। एहि मे विजय झा जी कामयाब सेहो रहलाह।


आई हिनकर गारमेंट आ लेदर प्रोडक्ट दुनिया भरि मे एक्सपोर्ट होए छनि। विजय जी खुद डिजाइनिंग मे पारंगत छथिन्ह। एहि कारणे हिनकर टीम के हौसला सेहो बढ़ल रहय छनि। जखन बॉस खुद नीक-नीक डिजाइन आ सुझाव दै छथिन्ह तं टीम के उत्साह आ प्रेरणा बनल रहय छै। हिनकर सावी लेदर्स मे पर्यावरण के सेहो खास ध्यान देल जाएत अछि। टैनिंग पर एहि बात के ध्यान राखय छथिन्ह से पानि के बर्बादी कम सं कम होए। एकर संग जतेक अंतर्राष्ट्रीय मानक होएत अछि, सभके कड़ाई सं पालन करय छथिन्ह। एहि सभ के कारण हिनकर एहि इंडस्ट्री मे नीक नाम छनि।


झाजी अपन स्टॉफ सभ के सेहो नीक ध्यान राखय छथिन्ह। समय-समय पर परिवार जकां सभ के दुख-सुख मे शामिल होए छथिन्ह। स्टॉफ सभ के बीच-बीच मे पार्टी आ दोसर कार्यक्रम के माध्यम सं खुश राखय के पूरा प्रयास करय छथिन्ह जे दोसर ठाम काफी कम देखय लेल मिलैत अछि।


मधुबनी जिलाक जेठियाही गाम के रहय वाला विजय झा जी सीएसआर आ धर्मार्थ काज मे सेहो आगां सहय छथिन्ह। कोनो आपदा के समय दिल खोलि क दान-धर्म करय छथिन्ह। बिहार मे बाढ़ि के समय सेहो खूब मदद करय छथिन्ह। प्रभावित लोक के बीच कंपनी के तरफ सं काफी मदद आ राहत सामान भेजय छथिन्ह।


विजय जी सं मुलाकात के क्रम से पता चलल जे हिनका गोल्फ खेलय के विशेष शौक छनि। ओना मैथिल होए के कारण समय मिलला पर ताश सेहो खेल लय छथिन्ह। मैथिल छथिन्ह तं खान-पान के शौकीन सेहो छथिन्ह। अपन माछ-भात के अलावा इटालियन सीफूड सेहो खूब पसंद करय छथिन्ह। विदेश घूमबाक क्रम के ओतय के सीफूड के टेस्ट लेनाए नहि भूलय छथिन्ह। एकटा पक्का मैथिल जकां जीवन के पूरा आनंद ल रहल छथिन्ह। एहि के संग हजारों दोसर लोकक जिनगी सेहो संभारि रहल छथिन्ह।


मधुबनी के पंडौल मे नव प्रोजेक्ट के लेल विजय झा जीके बहुत-बहुत बधाई आ शुभकामना। हम अपना दिस के लोक सभ सं आग्रह करबैनि जे हिनका हरसंभव मदद देल जाए। जेहि सं हिनकर संग आन दोसर लोक से सेहो मिथिला मे निवेश करय लेल प्रोत्साहन भेटन्हि।

जय मिथिला-जय मैथिली


Comments

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर