नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

आई कोजगरा के दिन बड्ड नीक खबर मिलल। एमएसयू के कर्ताधर्ता आओर युवा नेता अनूप मैथिल जी ट्वीट कs जानकारी देलाह जे मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे 200 करोड़ के निवेश करय जा रहल छथिन्ह। अनूप जी अपन ट्वीट मे लिखलाह जे,

"पंडौल में खुलत गारमेंट के कारखाना, बिहार सरकार देलक इजाजत। 50 साल बाद मिथिला क्षेत्र में कोनो मैथिल पुत्र बड़का इन्वेस्टमेंट कर जा रहल छईथ। सावी और प्राशा ग्रुप के चेयरमैन विजय झा जी पंडौल में 200 करोड़ के निवेश कर जा रहल छईथ। सावी ग्रुप 100% एक्सपोर्ट ओरिएंटेड ग्रुप अछी, दिल्ली आ देश में दस हजार स उपर लोक के रोजगार दs रहल अछी। दरभंगा महराज के बाद पहिल बेर कोनो मैथिल पुत्र मधुबनी, मिथिला में कोनो पईग इन्वेस्टमेंट कर जा रहल छईथ। विजय झा जी असल मे मिथिला रत्न छईथ जे अगिला साल सs हजारों मैथिल के मिथिला मे रोजगार उपलब्ध करेता। मिथिला पुत्र के स्वागत आ अभिनंदन"

ई खबरि पढ़तहि मोन गदगद भs गेल। विजय झा जी सं किछ दिन पहनहि भेंट भेल छल, ताहि लेल मोन आओर प्रसन्न छल। विजय झा जी काफी मिलनसार लोक छथिन्ह। सावी ग्रुप के सर्वेसर्वा छथिन्ह। नोएडा मे हिनकर बड्ड पैघ कारोबार छनि। हिनकर ग्रुप के एक्सपोर्ट लेल लगातार तीन बेर प्रथम पुरस्कार सेहो मिल चुकल छनि।


हिनकर सावी लेदर्स कंपनी केर परिधान आ फैशनक दुनिया मे बड़का नाम छनि। नोएडा के सेक्टर 57 आ 58 मे हिनकर चारिटा फैक्ट्री चल रहल छनि। तमिलनाडु मे हिनकर पैघ टैनरी सेहो छनि। हिनकर सभ फैक्ट्री आधुनिक इंफ्रास्ट्रक्चर आ मॉडर्न टेक्नोलॉजी सं युक्त छनि। विजय झा जी खुद एहि मे इनोवेशन आ डिजाइनिंग पर विशेष ध्यान दै छथिन्ह। एहि कारण हिनकर सावी लेदर्स दुनिया भर मे एकटा अपन प्रमुख स्थान बनौने अछि। हिनकर फैक्ट्रीक वार्षिक उत्पादन क्षमता ढाई लाख सं बेसि गारमेंट के आ करीब दस लाख लेदर असेसरीज के अछि।


विजय झा जी सावी लेदर्स ग्रुप 2008 के आखिर मे शुरू कएने छलखिन्ह। ओना हिनकर परिवार लेदर इंडस्ट्री मे एहि सं काफी पहिने करीब 1990 सं पैर जमौने छलखिन्ह। परिवारक माहौल सं हिनकर रुझान सेहो एहि तरह छलन्हि। एहि लेल सेंट्रल लेदर रिसर्च इंस्टीट्यूट CLRI सं एकर पढ़ाई करि इंजीनियरिंग डिग्री सेहो लेलाह। किछ दिन एक्सपोर्ट हाउस मे काज कS कारोबार संबंधी बारीकि जानि 2008 के आखिर आ कहि सकय छी 2009 के शुरू मे अपन काज शुरू करि देलाह। हिनकर फोकस शुरूए सं लेदर इंडस्ट्री के इंटरनेशनल मार्केट पर छनाए आ इंटरनेशनल फैशन जगत मे अपन अलग पहचान बनैनाए छलन्हि। एहि मे विजय झा जी कामयाब सेहो रहलाह।


आई हिनकर गारमेंट आ लेदर प्रोडक्ट दुनिया भरि मे एक्सपोर्ट होए छनि। विजय जी खुद डिजाइनिंग मे पारंगत छथिन्ह। एहि कारणे हिनकर टीम के हौसला सेहो बढ़ल रहय छनि। जखन बॉस खुद नीक-नीक डिजाइन आ सुझाव दै छथिन्ह तं टीम के उत्साह आ प्रेरणा बनल रहय छै। हिनकर सावी लेदर्स मे पर्यावरण के सेहो खास ध्यान देल जाएत अछि। टैनिंग पर एहि बात के ध्यान राखय छथिन्ह से पानि के बर्बादी कम सं कम होए। एकर संग जतेक अंतर्राष्ट्रीय मानक होएत अछि, सभके कड़ाई सं पालन करय छथिन्ह। एहि सभ के कारण हिनकर एहि इंडस्ट्री मे नीक नाम छनि।


झाजी अपन स्टॉफ सभ के सेहो नीक ध्यान राखय छथिन्ह। समय-समय पर परिवार जकां सभ के दुख-सुख मे शामिल होए छथिन्ह। स्टॉफ सभ के बीच-बीच मे पार्टी आ दोसर कार्यक्रम के माध्यम सं खुश राखय के पूरा प्रयास करय छथिन्ह जे दोसर ठाम काफी कम देखय लेल मिलैत अछि।


मधुबनी जिलाक जेठियाही गाम के रहय वाला विजय झा जी सीएसआर आ धर्मार्थ काज मे सेहो आगां सहय छथिन्ह। कोनो आपदा के समय दिल खोलि क दान-धर्म करय छथिन्ह। बिहार मे बाढ़ि के समय सेहो खूब मदद करय छथिन्ह। प्रभावित लोक के बीच कंपनी के तरफ सं काफी मदद आ राहत सामान भेजय छथिन्ह।


विजय जी सं मुलाकात के क्रम से पता चलल जे हिनका गोल्फ खेलय के विशेष शौक छनि। ओना मैथिल होए के कारण समय मिलला पर ताश सेहो खेल लय छथिन्ह। मैथिल छथिन्ह तं खान-पान के शौकीन सेहो छथिन्ह। अपन माछ-भात के अलावा इटालियन सीफूड सेहो खूब पसंद करय छथिन्ह। विदेश घूमबाक क्रम के ओतय के सीफूड के टेस्ट लेनाए नहि भूलय छथिन्ह। एकटा पक्का मैथिल जकां जीवन के पूरा आनंद ल रहल छथिन्ह। एहि के संग हजारों दोसर लोकक जिनगी सेहो संभारि रहल छथिन्ह।


मधुबनी के पंडौल मे नव प्रोजेक्ट के लेल विजय झा जीके बहुत-बहुत बधाई आ शुभकामना। हम अपना दिस के लोक सभ सं आग्रह करबैनि जे हिनका हरसंभव मदद देल जाए। जेहि सं हिनकर संग आन दोसर लोक से सेहो मिथिला मे निवेश करय लेल प्रोत्साहन भेटन्हि।

जय मिथिला-जय मैथिली


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु