मिथिला...बिहार सं गुजरय वाला कइटा ट्रेन के टाइम एक नवम्बर सं बदलि रहल अछि. खबर अछि जे किछ ट्रेन के नंबर सेहो बदलत. ट्रेन के नवका टाइम टेबल जारी करि देल गेल अछि. एकर जानकारी अहां के स्टेशन पर मिलि जाएत आ फेर अहां एकरा बारे मे 139 नंबर पर फोन क जानकारी ल सकय छी. दरभंगा... जयनगर... सहरसा... मुजफ्फरपुर... कटिहार... हाजीपुर... पटना सं आबय-जाए वाला कइटा गाड़ी के समय बदलि गेल अछि. कइटा ट्रेन आब पहिलका समय सं पहिने खुलत. त घर सं निकलय सं पहिने टाइम के पता केs लेल करब. एहन नहि होए जे स्टेशन पहुंचि त पता चलय जे गाड़ी खुलि गेल अछि. किछ गाड़ी के नंबर सेहो बदलल अछि. एहन नहि होए कि जेहि गाड़ी से जाए के अछि ओ अहां के सामने खुलय आ अहां समझि जे ई त दोसर नंबर वाला गाड़ी अछि. त एक नवंबर सं कतहुं जाए सं पहिने कनि विशेष सावधानी बरतब. गाड़ी के आबय-जाए के सही टाइम के पता लगा लs घर सं निकलब. शुभ यात्रा. Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
हेलो मिथिला - मिथिलाक गप मैथिली मे