नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मुम्बई जाए छी परमिट अछि ?


बिहार-यूपी के लोक के रोकय लेल ई दुनिया कि-कि नहि करत? आब मराठी लोक के खुश करय लेल नेता सभ के कहनाय अछि जे बिहारी-यूपी के लोक के मुम्बई आबय के लेल वर्क परमिट लेबय परतन्हि. ई त एकदम सं अन्हेरगर्दी भ गेल. ई त क्षेत्रीयता के बढ़ावा देत . देश के लोक के बीच खाई पैदा करत .लोक सत्ता के लेल एतेक बेचैन अछि जे संविधान के मूल स्वरूप के भूलि रहल अछि. लोक के  एहन पार्टी के सबक देबाक चाही जे देश के लोक के बीच दूरी बना रहल अछि. एक दोसरा के दूर करि रहल अछि. मंडल... कमंडल के नाम पर ई देश बड़ नुकसान उठौलक... आब एहन लोक के सबक सीखएनाय जरूरी अछि.
असल मे महाराष्ट्र मे विधानसभा चुनाव होए वाला अछि. चुनाव सं पहिने वोटर के लुभाबय लेल पार्टी सभ तरह-तरहके वादा करि रहल अछि. एहन मे किछ लोक के कहनाय अछि जे अगर ओ जीतल त राज्य मे बाहर सं कमाए-खाए लेल आबय वाला लोक के वर्क परमिट लेनाय जरूरी करि दैत. एहि सं मुम्बई ... महाराष्ट्र मे बाहरी लोक के आबय पर रोक लगि सकत.
देश के सभ लोक के कतहुं काज करय... आबय जाए... घुमय फिरय के आजादी अछि. किछ ठाम सुरक्षा कारणे प्रतिबंध रहैत अछि. मुदा ओ देश सं जुड़ल... सुरक्षा के मामला रहैत अछि. संप्रभूता सं जुड़ल मामला रहैत अछि. मुदा ई त देश के संघीय ढांचा के एकदम सं खिलाफ अछि. लोक सभ के आगां आबि कs एहन लोक के जोरदार ढंग सं विरोध करबाक चाही. नहि त कोनो ठिकान नहि हिनकर सभ के मन बढ़ैत जएतन्हि आओर कहिओ एकरा लागू सेहो करि दैत. नीक लोक के शांत रहला सं सेहो खराब लोक के मन बढ़य छनि आओर मनबढू बनि जाए छथि.



Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु