नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

अमौसी नरसंहार किएक ?


खगड़िया के अमौसी मे भेल नरसंहार मे 16 लोक के हत्या करि देल गेल अछि. एहि मे पांचटा बच्चा अछि. लोक सभ के कहनाय छनि जे अमौसी के कमलाडीह के पास इचरुआ के जमीन के लs क विवाद चलि रहल अछि. जेहि लोक के हत्या कएल गेलन्हि हुनकर जमीन पर दोसर जाति के लोक सभ सेहो दावा करैत छल. ईहो कहल जा रहल अछि कि ओहि जाति के लोक के नक्सली सभ सं संबंध छनि. लोक सभ के त इहो कहनाय छनि जे इलाका मे काफी दिन सं तनाव बनल छल आओर एकर जानकारी प्रशासन के सेहो द देल गेल छल मुदा एकरा गंभीरता सं नहि लेल गेल. आखिर कहिआ गंभीर होएत प्रसाशन. नाव दुर्घटना के नोर अखन सुखलो नहि छल कि ई नरसंहार आओर 16 लोक के हत्या. लोक एतेक गुस्सा मे छथिन्ह जे उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी आओर दोसर आला अधिकारी के अमला पर लोक सभ हमला क देलखिन्ह... सभ के लौटय पड़लन्हि.
सवाल ई उठैत अछि जे आखिर खगड़िया के अमौसी मे भेल नरसंहार किएक भेल? कि ई नक्सली हमला अछि ? जातीय लड़ाई-झगड़ा अछि? आ फेर ई जमीन पर कब्जा के लsक टकराव अछि? कि माओवादी आओर नक्सली उत्तर बिहार के पिछड़ल इलाका मे अपन पकड़ मजबूत करि रहल अछि ? जे होए नरसंहार सं लोक मे काफी गुस्सा अछि. आओर एहि सं मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जीके सभ दावा के खोखला साबित भs गेल अछि. नीतीश जी बड़ दावा करैत छलखिन्ह जे राज्य मे शांति व्यवस्था अछि... कानून-व्यवस्था के राज अछि. कोनो नरसंहार नहि भेल अछि. चारु कात अमन- चैन अछि. पुलिस-प्रशासन चुस्त-दुरुस्त अछि. मुदा हुनकर सभ दावा के पोल खुलि गेल अछि. ई भने नक्सली हमला होए... जमीनी विवाद होए आ जातीय लड़ाई होए... हुनकर नाकामी के सामने ला देलक अछि.
अहां सभ के कि लगैत अछि कि ई नरसंहार टालल जा सकय छल? लोक के सूचना के अगर गंभीरता सं लेल गेल रहैत त इलाका मे लोक पर कहर नहि बरसल रहैत. कोहराम नहि मचल रहैत. एहन मे नेता सभ जाSक दस तरह बात बोलि मामला के आओर बढ़ा दय छथिन्ह. कि कहय छी अहां? अपन विचार राखु? कहिआ तक चुप रहब? किछ त बोलु.



Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु