बिहार के नेपाल सं लागक सीमा वाला मिथिला के इलाका मे आई-काल्हि तस्करी काफी बढ़ी गेल अछि. एम्हर किछ दिन मे काफी जाली नोट आओर दोसर सामान सभ पकड़ाएल अछि. एसएसबी के मुस्तैदी के कारण रोज पेपर मे किछ नहि किछ पढ़य लेल मिल जाएत अछि. वीरगंज-रक्सौल... गौर-बैरगनिया... सीतामढ़ी-भिट्ठामोड़-सोनबरसा... मधवापुर-मटिहानी... जयनगर-इनरवा... लौकहा-राजविराज... लहान... फारबिसगंज सभतर तस्करी बढ़ि गेल अछि. काल्हिए 11 ट्रक सुपारी पकड़ल गेल मधुबनी के सकरी मे आओर दू ट्रक लहसुन. ई सभ दुनु देश के बीच खुलल सीमा के कारण अछि.
मुदा सीमा के दुनु तरफ एक दोसरा के बीच घर-परिवार के संबंध होए के कारण लोक के रोकि सेहो नहि सकय छी. एम्हर के रिश्तेदारी ओम्हर अछि आओर ओम्हर के एम्हर. कोनो घर मे मामा- नाना त कोनो घर मे दीदी-जीजा... किनको सासुर छनि त किनको भाई लोकनि दोकानदारी आ दोसर काज करय छथिन्ह. घर आंगन जकां माहौल अछि मुदा किछ लोक एहि माहौल के बिगाड़य चाहैत अछि. माओवादी वाला बात के ल s क संबंध सेहो खराब भेल अछि. लोक सभ आब ओना नेपाल जाए सं हिचकय छथिन्ह. चूंकि हमरो मामा गाम सेहो नेपाल मे अछि तेहि कारण हमहु मोन सं चाहैत छी जे हालात जल्दी नीक होए.
अगर नेपाल सरकार चाहैत त यूरोपीय देश जकां एकरा एकटा प्रमुख पर्यटक स्थल बना सकैत छल. मुदा खून-खराबा सं सभ सत्यानाश भेल जा रहल अछि. मोन त बड़ करैत अछि मुदा बराबर किछ न किछ होएते रहैत अछि जेहि सं लोक परेशान रहैत अछि. आओर फेर मधेशी- पहाड़ी वाला मामला सं सेहो लोक के बीच दूरी बनौने अछि. ओना अखनो देर नहि भेल अछि लोक सभ कनि जागरुकता सं काज लेथिन्ह त नेपाल एक बेर फेर सं स्वर्ग जका बनि सकैत अछि.
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
No comments:
Post a Comment
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु