नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दरभंगा मे सेहो नाव दुर्घटना


खगड़िया जकां एकटा नाव दुर्घटना दरभंगा के कुशेश्वरस्थान मे सेहो भेल अछि. एहि ठाम सेहो मेला देखि घर लौटय वाला लोक नदी मे डूबि गेलखिन्ह. एहिठाम पिसरिया गाम के लोक कुशेश्वरस्थान सं दुर्गापूजा के मेला देखि गाम जा रहल छलखिन्ह. छोटका नाव छल. मुदा ओहि पर 17 लोक चढ़ि गेलखिन्ह. नाव कनि दूर गेल कि जोर सं आन्हर आबि गेल जेहि सं लोक सभ हड़बड़ा गेलखिन्ह आओर नाव बेसंभारि भ गेल. सिआन लोक त तैर क बाहर भ गेलखिन्ह मुदा महिला...बच्चा सभ अपना के नहि बचा पएलखिन्ह. प्रशासन के लोक सभ पहुंचि गेल छथिन्ह. मुख्यमंत्री एहि घटना पर दुख जतएलखिन्ह आओर मृतक के परिवार के डेढ़-डेढ़ लाख रुपया के मुआवजा देबय के घोषणा कएलखिन्ह. पूजा देखल के खुशी पल भर पूरा गाम के लेल दुख लs कs आबि गेल.




Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु