दिल्ली मे सामा चकेवा
दिल्ली मे रहय वाला मैथिल भाई-बहिन लोकनि के लेल बड़ नीक खबर अछि. आई 21 तारीख रवि दिन बिरला मंदिर मे सामा चकेवा के कार्यक्रम भ रहल अछि.
सामा चकेवा भाई बहिन के प्रेमक त्योहार अछि. गाम मे रहय छलहुं त बच्चा मे दीदी...बुआ सभ के संग हमहुं सभ शामिल भ जाए छलहुं.
सामा चकेवा कार्तिक शुक्ल द्वितीया के शुरू भ पूर्णिमा धरि चलैत अछि. एहि मे भाई आओर पति के दीर्घायु के लेल भगवान सं कामना कएल जाएत अछि.
बिरला मंदिर मे यूथ ऑफ मिथिला के तरफ सं सामा फोरन कार्यक्रम सेहो भ रहल अछि. जे एकदम सं मैथिल तौर तरीका सं होएत. ई कार्यक्रम जय मिथिला ग्रुप के लहकचहक डॉट कॉम के सहयोग सं आयोजित भ रहल अछि.
दिल्ली मे रहय वाला सभ मैथिल के एहि कार्यक्रम के लेल न्योत छनि. अहां सभ एहि कार्यक्रम के देखय लेल... एहि मे शामिल होए लेल अवश्य आबि.
सामा चकेवा कार्यक्रम के समय अछि सांझ 6 बजे. ई करीब 8 बजे राति धरि चलत. कार्यक्रम स्थल के पूरा पता अछि.
वाटिका, बिरला मंदिर, मंदिर मार्ग, नई दिल्ली- 110001
कोनो तरहक परेशानी होए त अहां सभ एहि फोन पर सम्पर्क क सकय छी.
96540-15163 आओर 90159-42074
त फेर भेंट होएत अछि बिरला मंदिर मे.

Youth of Mithila aur samast pravasi maithil ke hamra paraf san sadar naman bahut khushi ke bat je bhartak rajdhani me "SAMA CHAKEWA" program bhay rahal achhi ahina appan culture se judal rahu nishchit hamra sab ke din maithila rajya bhetak sanghi maithi ke samman.
ReplyDeleteDayakant
dhanybad.aaj hi khbar mili.kripya pahle bata diya karen to aa sakoongi.
ReplyDeleteMridula Pradhan
Zaroor zaroor... asal mein sabhi log karyakram karne ko lekar uhapoh mein they... kare ...na kare...aakhir mein kailhi tai bhel je k lel jaai..
ReplyDeletedhanyawad
अपन माटिक जुड़ल पावनि तिहार देखि मोन गद-गद भय जाइत अछि...आओर नेना कालक सब बात सब नोन पारैत अछि.....खास बात जे गाम में ई पावैन तिहार कम भेल जाइत अछि परन्च दिल्ली एहन महानगर में मिथिलावासी अपन संस्कृति के एखनहु जिवित रखने छथि....मोन बड़ हर्षित भय जाइत अछि......
ReplyDeleteBrajendra Nath Jha
"Aahan pahilae kya ne batelaun hamhu jetaiyae...ber bitla k baad batbae chhi ahaan..."
ReplyDeleteAlka Ranjan
Nai... ehan gap nai chhai... asal mein ChunChun mishra jeek nidhan ke baad ee chhal je kail jaai ya nai kail jaai... ant mein Prakash Jha ji... Kripanand jee aur Bhawesh jee tai kaila je k lel jaau... takhan hum Hello Mithila par ekra daail delaun...
ReplyDeleteOna 4 Dec. ke Badarpur Jaitpur mein Vidyapati Samaroh achhi... ahan Saadar aamantrit chhee...
dhnayabad Hitendra ji aur dhnyabad YOM members ke seho je e beautiful event arrenge kayalah..... !!!!!
ReplyDeleteSheshnath Mishra
Ashish Singh
ReplyDelete"bahoot nik"
badd nik lagal je aiyo apan sanskriti ke hum maithil jinda rakhne chhee chahe o dilli rahouth aa ki London. Sundar Photo.
ReplyDelete