जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

नेपाल के धनुषा जिल्लाक कचुरीमे रहल मिथिला बिहारीक मन्दिर सं मिथिला बिहारीक डोला संगही बाजागाजा, साधुसंत आ हजारो श्रद्धालुक संग आई सं शुरू भेल। 15 दिनक धार्मिक परिक्रमा आई पहिल दिन धार्मिक नगरी जनकपुर धामक हनुमान गढी पहुँच ओतही बिश्राम करत।

कचुरी सं शुभारम्भ भ हनुमानगढीमे पहिल दिन विश्राम करैबला मिथिला बिहारीक डोला आ धार्मिक नगरी जनकपुर धामक अग्निकुंड सं निकलल किशोरीजीक डोला दोसर दिन सं नेपाल- भारतक विभिन्न स्थानक 15  दिन धैर पैदल यात्रा करैत अछि।

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगहि देश- विदेशक लाखों श्रद्धालु सहभागी संग ई धार्मिक पद यात्रा पहिल दिन हनुमानगढी, दोसर दिन सिमाञ्चल क्षेत्र कलना, तेसर दिन गिरिजास्थान, चारिम दिन नेपालक मटिहानी, पाँचम दिन जलेश्वर, छट्ठम् दिन मडई, सातम दिन ध्रुजकुण्ड, आठम दिन कंचनवन, नवम दिन क्षिरेश्वरनाथ पर्वता, दशम दिन धनुषा धाम, एगारहम दिन सतोखर, बारहम दिन औरही, तेरहम दिन करूणा, चौदहम दिन विसौल आ पन्द्रहम दिन पुन: कलना होईत जनकपुर धाम पहुँचैत अछि। जनकपुर धाम पहुंचला पर प्रात अन्तगृही परिक्रमा क 15 दिनक धार्मिक पदयात्रा मध्यमा परिक्रमा विधिवत रूपमे सम्पन्न होईत अछि ।

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही घुमलजाएबला एहि धार्मिक पद यात्रा स शारीरिक शुद्धि, मानसिक शुद्धि होयत अछि।

- संतोष कर्ण
जनकपुर

Comments

  1. वाह बरनिक जानकरी

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

नैका बंजारा

हमर विआह-10

कि कि नहि कराएत ई बाढ़ि... ki ki nai karaait ee baarhi

ऑर्कुट-मैं हूं ना

मिथिला बिन बिहार आ बिहार बिन देशक विकास संभव नहि- नीतीश