दरभंगा मे सेहो नाव दुर्घटना


खगड़िया जकां एकटा नाव दुर्घटना दरभंगा के कुशेश्वरस्थान मे सेहो भेल अछि. एहि ठाम सेहो मेला देखि घर लौटय वाला लोक नदी मे डूबि गेलखिन्ह. एहिठाम पिसरिया गाम के लोक कुशेश्वरस्थान सं दुर्गापूजा के मेला देखि गाम जा रहल छलखिन्ह. छोटका नाव छल. मुदा ओहि पर 17 लोक चढ़ि गेलखिन्ह. नाव कनि दूर गेल कि जोर सं आन्हर आबि गेल जेहि सं लोक सभ हड़बड़ा गेलखिन्ह आओर नाव बेसंभारि भ गेल. सिआन लोक त तैर क बाहर भ गेलखिन्ह मुदा महिला...बच्चा सभ अपना के नहि बचा पएलखिन्ह. प्रशासन के लोक सभ पहुंचि गेल छथिन्ह. मुख्यमंत्री एहि घटना पर दुख जतएलखिन्ह आओर मृतक के परिवार के डेढ़-डेढ़ लाख रुपया के मुआवजा देबय के घोषणा कएलखिन्ह. पूजा देखल के खुशी पल भर पूरा गाम के लेल दुख लs कs आबि गेल.




Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिल नववर्ष जूड़शीतल- सतुआइन केर शुभकामना

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

एहिना मिलत मिथिला राज्य?

अहां केना सहैत होएब ?

दिल्ली मे सामा चकेवा

दरभंगा लेल हवाई सेवा !

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल