Skip to main content

Posts

Showing posts from September, 2009

जिम्मेदार के ?

दरभंगा के कुशेश्वरस्थान आओर खगड़िया के अलौली प्रखंड मे भेल नाव दुर्घटना के बाद बिहार मे राजनीतिक आरोप -प्रत्यारोप के दौर शुरू भs गेल अछि. कोई एकरा लेल प्रशासन...सरकार के जिम्मेदार ठहरा रहल अछि... त ककरो कहनाय अछि जे अगर लोक कनि सब्र सं काज लैत त एहन दुर्घटना नहि होएत. जल्दी पहुंचय लेल जानि कs क्षमता सं बेसि लोक नाव पर चढि गेलाह. कतेक लोक के अहां रोकि सकैत छी ? आजादी के एतेक दिन बादहुं लोक के एक ठाम सं दोसर ठाम जाए लेल नाव के सहारा लेबय पड़य अछि. यातायात के साधन नहि अछि. इंफ्रास्ट्रक्चर पर ध्यान नहि देल गेल अछि. सड़क... बिजली आओर दोसर मूलभूत सुविधा के मामला मे काफी पिछड़ल अछि. एहि के लेल पिछला सभ सरकार जिम्मेदार अछि. फेर हमहु सभ कम जिम्मेदार नहि छी जे अपना आस-पास के समस्या... परेशानी के अपन सांसद... विधायक... मंत्री के नहि बताबय छी. आवेदन नहि करय छी. सूचना के अधिकार के फायदा नहि उठावय छी. पिआस लगला पर पोखर खोदय छी. लोकतंत्र मे जनता के बेसि जागरूक रहय पड़य छनि. प्रतिनिधि के हुड़काबय पड़य छनि. काम-काज कराबय लेल मुखिया... सरपंच सं लs क मुख्यमंत्री तक अपन दुखड़ा पहुंताबय पड़य छै. जखन...

दरभंगा मे सेहो नाव दुर्घटना

खगड़िया जकां एकटा नाव दुर्घटना दरभंगा के कुशेश्वरस्थान मे सेहो भेल अछि. एहि ठाम सेहो मेला देखि घर लौटय वाला लोक नदी मे डूबि गेलखिन्ह. एहिठाम पिसरिया गाम के लोक कुशेश्वरस्थान सं दुर्गापूजा के मेला देखि गाम जा रहल छलखिन्ह. छोटका नाव छल. मुदा ओहि पर 17 लोक चढ़ि गेलखिन्ह. नाव कनि दूर गेल कि जोर सं आन्हर आबि गेल जेहि सं लोक सभ हड़बड़ा गेलखिन्ह आओर नाव बेसंभारि भ गेल. सिआन लोक त तैर क बाहर भ गेलखिन्ह मुदा महिला...बच्चा सभ अपना के नहि बचा पएलखिन्ह. प्रशासन के लोक सभ पहुंचि गेल छथिन्ह. मुख्यमंत्री एहि घटना पर दुख जतएलखिन्ह आओर मृतक के परिवार के डेढ़-डेढ़ लाख रुपया के मुआवजा देबय के घोषणा कएलखिन्ह. पूजा देखल के खुशी पल भर पूरा गाम के लेल दुख लs कs आबि गेल. Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,Nitish,Kojagra, Kohbar, Chaurchan, Keoti, Ra...

खगड़िया मे नाव दुर्घटना, कइटा डूबलाह

खगड़िया जिला मे एकटा नाव के नदी मे पलटि जाए सं दसटा सं बेसि लोक डूबि गेलाह. लोक सभ के कहनाय छनि जे चालीस टा से बेसि लोक लापता छथिन्ह. डूबय वाला आओर लापता होए वाला लोक मे बेसि महिला आओर बच्चा छथिन्ह. लोक सभ सनोखर सं दुर्गा पूजा के मेला देखि कs अपन गाम फूलतोरा आबि रहल छलखिन्ह. राति भेल जा रहल छल. लोक सभ जल्दी सं जल्दी घर पहुंचय चाहैत छलखिन्ह जेहि लेल नाव पर क्षमता सं बेसि लोक चढ़ि गेलखिन्ह. लोक सभ के कहनाय छनि जे नाव पर साठि-सत्तर लोक चढ़ि गेल. नाव के बीच धार मे पहुंचला पर आन्हर-तूफान आओप पानि आबि गेल. जेहि सं नाव अपन संतुलन खो बैसल. किछ सिआन लोक त तैर क बाहर आबि गेलाह मुदा महिला आओर बच्चा सभ के अखन ठिकान नहि छनि. प्रशासन के लोक सभ पहुंचि गेल अछि आओर लापता लोक के खोज चलि रहल अछि. फूलतोरा गाम अलौली प्रखंड मे पड़ैत अछि. आओर एहिठाम एलजेपी प्रमुख रामविलास पासवान जीक पैतृक गाम छनि. पासवानजी सेहो खगड़िया पहुंचि रहल छथिन्ह. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार नाव पलटय से मारल गेल लोक के परिवार के डेढ़-डेढ़ लाख मुआवजा देबय के एलान सेहो खेलखिन्ह. एहि घटना के बाद सं इलाका मे शोक के माहौल अछि. अगर इलाका मे आ...

शुभ दुर्गापूजा

अहां सभ के दुर्गा पूजा के हार्दिक शुभकामना.  एहि पूजा अहांक सभ मनोकामना पूरा होए.  मां दुर्गा सं इहे प्रार्थना अछि. Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,Nitish,Kojagra, Kohbar, Chaurchan, Keoti, Rajnagar, Media Jobs, Career,vidyapati, geetnaad, sohar,mundan, mandan, jha, mishra, Pandey, Lal das,Singh,Sonia, Manmohan, Mamta,pranab, budget, rail,pawani,paag, makhan, Bhagalpur, BSEB,, Motihari, Examination board, LNMU, University,Bihar board, Bihar Flood,Tourism, Kumar,Minister, Maithili songs,

कि नहि बनत बिहार अगुआ ?

पिछला लेख मे अहां सभ पढ़ने होएब जे बिहार सरकार नरेगा के माध्यम सं लोक के साक्षर करय चाहैत अछि. एहि पर किछ लोक के कहनाय छनि जे ई सरकार के पाई के बर्बादी अछि. एकर कोनो फायदा नहि होएत. लोक के पाई खाए लेल एकटा आओर बहाना मिलि जाएत. अहां सभ के कि लगैत अछि? कि सच मे एकर कोनो फायदा नहि होएत? कि सही ढंग सं लागू करि बिहार फेर सं देश मे अगुआ नहि बनि सकैत अछि? अगर नहि त आओर कि कएल जा सकैत अछि? एहि मे कि -कि होबाक चाही जेहि सं पाई के बर्बादी नहि होएत आओर ओकर सदुपयोग होएत? अहां सभ अपन विचार जरूर राखु. अपन कमेंट लिखु... हमरा मेल करु. फेर अगुआ बनत बिहार Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,Nitish,Kojagra, Kohbar, Chaurchan, Keoti, Rajnagar, Media Jobs, Career,vidyapati, geetnaad, sohar,mundan, mandan, jha, mishra, Pandey, Lal das,Singh,Sonia, Manmoh...

फेर अगुआ बनत बिहार

बिहार सरकार एकटा नीक काज करय जा रहल अछि. अगर केंद्र सरकार के सहयोग मिलल त एकर नीक परिणाम मिल सकैत अछि. सरकार के कोशिश अछि जे नरेगा ( राष्ट्रीय ग्रामीण रोजगार गारंटी योजना ) सं पढ़ल-लिखल कार्डधारी के निरक्षर लोक के पढ़ाबय के जिम्मेदारी देल जाए. एहि योजना मे शिक्षित कार्डधारी के साल मे कम सं कम एक सय दिन पढ़ाबय के काज देल जाएत. एहि मे हुनका कम सं कम दस लोक के साक्षर बनाबय के होतन्हि. अगर ई योजना के केंद्र सं मंजूरी मिलैत अछि त राज्य के लेल एकटा क्रांतिकारी कदम साबित भ सकैत अछि. जेहि राज्य मे करीब आधा लोक निरक्षर... अनपढ़ होए... ओतए सरकार के एहि कदम सं एकटा बड़का बदलाव आबि सकैत अछि. करोड़ों निरक्षर साक्षर बनि सकताह. पढ़ला-लिखला सं हुनकर जीवन मे बड़का बदलाव आबि सकैत अछि. संगहि संग राज्य सं होए वाला पलायन सेहो रुकत. किएक त पढ़ल-लिखल लोक के नरेगा सं पढ़ाबय के काज निलतन्हि. ओ एम्हर-ओम्हर टहलय के जगह पढ़ाबय के काज करताह. समाज मे मास्टर साहेब कहलएताह. समाज के जागरूक करताह. आब त नरेगा सं मिलय वाला रोज के पाई सेहो 89 रुपया सं बढ़ाकए 102 रुपया करि देल गेल अछि.  अगर एकटा अनुमान लs कs चल...

किसान भाई पर ध्यान

सूखा आओर बाढ़ि के बाद बिहार सरकार के ध्यान आब किसान भाई पर गेल अछि.  किसान भाई के खेती के आधुनिक तकनीक के जानकारी देबय लेल राज्य मे 166 टा ई-किसान केंद्र खोलल जाएत.  एहि ई-किसान केंद्र पर खेती के उन्नत तरीका के संग खाद-बीज के सही इस्तेमाल... पाला आओर कीट सं फसल के केना बचाएल जाए ई सभ बताएल जाएत.  एहि केंद्र पर किसान भाई सं जैविक...ऑर्गेनिक खेती के फायदा सेहो बताएल जाएत.  ई- किसान केंद्र खोलय के संग-संग सरकार के योजना हर गाम मे कृषि विकास रथ सेहो भेजय के अछि.  एहि कृषि विकास रथ मे कृषि वैज्ञानिक के संग पशुपालन आओर सहकारिता विभाग के लोक सेहो रहताह.  एक अक्तूबर सं ब्लॉक के पांच-पांच पंचायत मे कृषि विकास शिविर सेहो लगाएत जाएत.  एहि शिविर मे किसान भाई के सेहो बढ़ि-चढ़ि के हिस्सा लेबाक चाही.  आधुनिक-उन्नत खेती के फायदा उठाएबाक चाही. जेहि सं पैदावार के संग-संग कमाई सेहो बढ़य. Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepa...

मिथिला मे संजीवनी

आई नेट सर्फ करय के दौरान एकटा बात पता चलय जे संजीवनी नाम सं जेहि पौधा के अपना सभ नाम सुनने छी ओहि वर्ग के एकटा पौधा अछि मैंगोस्टीन. एकर फल एक बेर खा लेला के बाद आदमी मास-मास धरि कुपोषण सं बचल रहि सकैत अछि. आओर सभसं अचरज के गप ई जे एकर एकटा गाछ मिथिला मे सेहो अछि. ई समस्तीपुर जिला के छतौना गाम मे अछि. ई जागरण के साइट पर देखय लेल मिलल. एहि बारे मे बेसि जानकारी लेल अहां एहि लिंक के क्लिक करु...  जागरण Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,Nitish,Kojagra, Kohbar, Chaurchan, Keoti, Rajnagar, Media Jobs, Career,vidyapati, geetnaad, sohar,mundan, mandan, jha, mishra, Pandey, Lal das,Singh,Sonia, Manmohan, Mamta,pranab, budget, rail,pawani,paag, makhan, Bhagalpur, BSEB,, Motihari, Examination board, LNMU, University,Bihar board, B...

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा

बिहार मे सरकारी स्कूल के बच्चा सभ के लेल सेहो कम्प्यूटर सं पढ़ाई शुरू भs गेल अछि. ई संभव भेल अछि बिहार सरकार के ‘ई-समर्थ’ योजना के कारण. निजी- सरकारी भागीदारी सं शुरू भेल ई योजना अखन कक्षा 6, 7 आओर 8 के विद्यार्थी के लेल अछि. आगां एहि मे सभ क्लास के बच्चा के शामिल कएल जाएत. विद्यार्थी सभ के लेल 171 तरहक पाठ तैयार कएल गेल अछि जेहि सं बच्चा सभ के पढ़ाई मे रुचि जागए. नवका-नवका चीज नव ढंग सं सीख सकय...सोचि सकय. एक बात आओर जे अखन ई सुविधा बिहार के 244 मिडिल स्कूल मे शुरू कएल गेल अछि. अगर एकर रिपोर्ट उत्साहजनक रहल त राज्य के करीब सभ 25 हजार मिडिल स्कूल मे कम्प्यूटर सं पढाई शुरू करि देल जाएत. सरकार के कोशिश कम्प्यूटर के जरिए पढ़ाई-लिखाई के बच्चा सभ के लायक बनानाय... प्रभावी शिक्षा देनाय... मन लागय वाला पाठ...कहानी के माध्यम सं रोचक ढंग सं ज्ञान मे विस्तार लनाय अछि. कम्प्यूटर शिक्षा के माध्यम सं बच्चा सभ के आधुनिक शिक्षा मिलय. नव-नव चीज जानय लेल मिलय. कम्प्यूटर शिक्षा के लेल अखन हर स्कूल के तीन टा कम्प्यूटर...एकटा प्रोजेक्टर आओर जेनरेटर देल गेल अछि. एहि सं पहिने स्कूल के मास्टरजी के जरूर...

पूजा धरि फ्री मे फिल्म

बिहार के स्कूली छात्र सभ के लेल एकटा नीक खबर अछि. पूजा के दौरान स्कूली विद्यार्थी सभ के फ्री मे फिल्म दिखाएल जाएत. मुदा एहि मे कनि निराशाजनक खबर सेहो अछि जे ई फिल्म मात्र चारिएटा शहर के नेना-भुटका देख पएताह. चारि टा शहर अछि मुजफ्फरपुर... भागलपुर... पटना आओर गया. एहि चारु शहर मे बाल फिल्म महोत्सव कएल जाएत. ई बाल फिल्म महोत्सव भरि अक्तूबर चलत. मुदा सरकार के चाहि छल जे भने किछ आओर सनय लगैत... हर जिला मे बाल फिल्म महोत्सव होबाक चाही छल. एक त आस-पास के सिनेमा हॉल मे बाल फिल्म लागैत नहि अछि दोसर सरकार तरफ सं दिखाएल जा रहय अछिओ त ओ सिर्फ चारि टा शहर मे. कोनो बात नहि शुरुआत भेल अछि. सरकार के कोशिश आगां दोसर शहर मे दिखाबय के सेहो होएत एहन उम्मीद करबाक चाही. बाल फिल्म महोत्सव पटना मे 6 सं 10 अक्तूबर धरि... गया मे 12 सं 16 अक्तूबर धरि... मुजफ्फरपुर मे 19 सं 23 अक्तूबर धरि आओर भागलपुर मे 26 सं 30 अक्तूबर धरि आयोजित कएल जाएत. शहर के सिनेमा हाल मे पहिल दुटा शो स्कूली छात्र के लेल फ्री रहत. स्कूली आईकार्ड राखय वाला छात्र सं टिकट नहि लेल जाएत. आ फेर स्कूल के तरफ सं टीचर के संग गेल विद्यार्...

आईआईएमसी मे सेमिनार

दिल्ली मे रहय वाला लोक के लेल एकटा संदेश अछि. भारतीय जनसंचार संस्थान (IIMC) के हिंदी पत्रकारिता विभाग 24 सितम्बर (गुरुवार) के 11 बजे सं 1 बजे दिन तक "हिंदी का भविष्य और भविष्य की हिंदी" विषय पर एकटा सेमिनार करि रहल अछि. एहि गोष्ठी में कमर वहीद नकवी, राहुल देव, श्रवण गर्ग, मधुसुदन आनंद आओर गोविन्द सिंहजी अपन विचार रखताह. ओना त एहि गोष्ठी के मैथिली... मिथिला सं कोनो लेना-देना नहि अछि मुदा चूंकि हम एहि संस्थान सं पढ़ने छी ताहि लेल एहिठाम सं कनि बेसि लगाव अछि. संगहि संग हेलो मिथिला परिवार के कइटा सदस्य सेहो आईआईएमसी सं जुड़ल छथिन्ह...आओर एहि ठाम सं पढ़ि नीक-नीक संस्थान मे पत्रकारिता के एकटा नव आयाम द रहल छथिन्ह.  Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,Nitish,Kojagra, Kohbar, Chaurchan, Keoti, Rajnagar, Media Jobs, Care...

मैट्रिक परीक्षा रजिस्ट्रेशन 1 अक्तूबर सं

बिहार मे मैट्रिक परीक्षा के लेल रजिस्ट्रेशन 1 अक्तूबर सं होएत. बिहार विद्यालय परीक्षा समिति के तरफ सं कहल गेल अछि जे हाई स्कूल के विद्यार्थी सभ के मैट्रिक परीक्षा के लेल रजिस्ट्रेशन 1 सं 20 अक्तूबर धरि होएत. एकर बाद विद्यार्थी 27 अक्तूबर धरि फाइन द कs अपन रजिस्ट्रेशन करा सकय छथि. रजिस्ट्रेशन फी 150 रुपया अछि. एकरे संग फॉर्म के लेल 50 रुपया सेहो लागत. उम्मीद कएल जा रहल अछि जे एहि बेर करीब 9 लाख विद्यार्थी परीक्षा मे बैसताह. सभ विद्यार्थी के हमरा तरफ सं शुभकामना अछि. खूब मन लगा कs पढु आओर परीक्षा दिउ. Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,Nitish,Kojagra, Kohbar, Chaurchan, Keoti, Rajnagar, Media Jobs, Career,vidyapati, geetnaad, sohar,mundan, mandan, jha, mishra, Pandey, Lal das,Singh,Sonia, Manmohan, Mamta,pranab, budget, rail,pawan...

अहांक अपन मिथिला न्यूज़

अहां सभ के हमर नमस्कार. एम्हर किछ दिन सं अहां सभ सं नीक सं गप नहि भs पाबि रहल अछि. असल मे दफ्तर के काज के बाद आई-काल्हि आर्ट ऑफ लिविंग के कार्यशाला मे जाए के कारण समय कम मिल पाबि रहल अछि. ई हाल रवि दिन तक चलत. रवि के बाद अहां सभ सं फेर पहिने जकां नीक सं भेंट- मुलाकात होएत रहत. अहां सभ सं एकटा गप आओर करय के रहय. अहां सभ के ई जानि खुशी होएत जे अहां सभक अपन हेलो मिथिला साइट के रूप मे लाबय के कोशिश सेहो शुरू अछि. साइट अखन शुरूआती स्तर मे अछि. हेलो मिथिला नाम नहि मिलला के कारण मिथिला न्यूज़ नाम सं अछि.  बस एड्रेस बार मे mithilanews.com ( http://mithilanews.com } लिखु अहांक साइट खुलि जाएत. त अहां सभ मिथिला न्यूज़ पर जाsक एकरा देखु आओर अपन अमूल्य विचार सं अवगत कराउ. आभार आओर धन्यवाद अहांक  हितेंद्र कुमार गुप्ता Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bi...

रनवे पर फिसलल पटना जाए वाला विमान

मिथिलांचल के ह्रदयस्थली दरभंगा के राजधानी पटना सं जोड़य वाला हवाई सेवा शुरू नहि भs पाएल. 14 तारीख के सोम दिन स्प्रीट एयरलाइन ई सेवा शुरू करय वाला छल. मुदा दरभंगा सं सवारी लेबय लेल पटना सं आएल विमान रनवे पर फिसलि कs झाड़ी मे चलि गेल. ओना विमान के फिसलला सं पायलट आओर दोसर लोक के कोनो नुकसान नहि पहुंचलनि. सभ सुरक्षित छथिन्ह. हां... विमान मे एकटा इंजीनियर सेहो छलखिन्ह. हुनका हल्का चोट लगलन्हि. तीन सीट वाला एहि विमान के रनवे... हवाई पट्टी सं फिसलय के घटना के जांच कएल जाएत. शुरूआती तौर पर कहल जा रहल अछि जे ब्रेकिंग सिस्टम मे खराबी के कारण ऐना भेल होएत. दरभंगा सं विमान सेवा शुरू भs रहल अछि... एहि खबर सं लोक सभ बड़ खुश छलखिन्ह... काफी उत्साहित छलखिन्ह. दरभंगा के एसपी साहेब सेहो छलाह. बड़ लोक देखय लेल मौजूद छलखिन्ह. दरभंगा कादिराबाद के बद्री कुमार पूर्वे जी टिकट सेहो कटएने छलाह पटना जाए लेल. विमान के आबैत देख लोक के चेहरा चमकि रहल छल मुदा विमान के रनवे सं फिसलि पट्टी छोड़ि जमीन पर जाय सं... झाड़ी मे घुसय सं सेवा रद्द करय पड़ल. पूर्वे जी पटना नहि जा पएलाह एहि विमान सं. कोनो बात नहि आई नहि काल्हि...

गरीब छात्र सेहो पढ़त पब्लिक स्कूल मे

पब्लिक स्कूल मे आब गरीब छात्र सेहो पढि सकय छथि. सरकार के कहनाय अछि जे आब पब्लिक स्कूक के हर एक सयटा (100) एडमिशन मे 25 टा गरीब छात्र के राखय पड़तन्हि. जे पब्लिक स्कूल 25 प्रतिशत गरीब बच्चा के नाम नहि लिखत ओकरा ऊपर कार्रवाई कएल जाएत. पब्लिक स्कूल मे जेहि 25 प्रतिशत छात्र के दाखिला होएत ओकर फीस सरकार देत. बिहार सरकार एहि दिशा मे जरूरी कदम उठा रहल अछि. सरकार के माननाय अछि जे एहि सं बेसि सं बेसि गरीब छात्र के स्कूल मे दाखिला भ पाएत.  ओना पब्लिक स्कूल के नाम सुनिए गरीब लोक दूरे सं प्रणाम कs लैत छथिन्ह. किएक त नाम मे भने पब्लिक स्कूल जुड़ल होएत अछि... मुदा ई होएत अछि प्राइवेट. आई-काल्हि सरकारी स्कूल मे पढ़ाई के जे हाल अछि ओकरा देखि पाई वाला लोक सभ अपन बच्चा सभ के नाम पब्लिके स्कूल मे लिखाबय छथिन्ह. पब्लिक स्कूल कनि तड़क-भड़क लेने रहैत अछि. स्कूल ड्रेस रहैत अछि... शू... टाई लगएला सं बच्चा सभ के रंगत किछ निखरि जाएत अछि. एहि स्कूल सभ मे पढ़ाबय वाला टीचर... मैडम सभ सेहो कॉरपोरेट लूक मे रहय छथिन्ह. एकदम सं बनल- ठनल... सजल–धजल. बाजय के लहजा सं लs क पढ़ाबय तक सभ अहांके प्रभावित करत. गाम-...

मजिस्ट्रेट के पिटाई

आंगनबाड़ी केंद्र के जांच करय लेल गेल एकटा मजिस्ट्रेट के लोक सभ मिल कs धुनि देलखिन्ह. डीएम कार्यालय मे कार्यपालक दंडाधिकारी राजेश्वर प्रसाद हरहोच्चा गाम मे आंगनबाड़ी केंद्र के जांच के लेल गेल छलखिन्ह. ओहिठाम लोक सभ के कहलखिन्ह जे डीएम साहेब हुनका एहिठाम जांच के लेल भेजलखिन्ह अ. मुदा किछ लोक हुनका पकड़ि कs ई कहि पीटनाय शुरू कs देलखिन्ह जे ई नकली मजिस्ट्रेट अछि. लोक सभ जमि कs हुनका धुनि देलखिन्ह. पुलिस आबि केहुना कs हुनका बचैलखिन्ह. लोक सभ के कहनाय अछि जे ओ पाई मांगैत छलाह ताहि लेल पीटा गेलाह. जखन डीएम साहेब के पूरा मामला के पता चललन्हि त ओ हुनका सं सफाई मांगलखिन्ह आओर हुनकर ट्रांसफर अनुमंडल कार्यालय मे करि देलखिन्ह. एहि मामला मे मारि-पीट करय लेल दू लोक के पकड़ल सेहो गेल अछि. Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,Nitish,Kojagra, Kohbar, Ch...

जल डमरू बाजय के हकार

अखन सामा चकेबा के खोभार हटलो नहि छल कि एकटा आओर हकार आबि गेल.  दिल्ली मे एकटा आओर मैथिली नाटक होबय जा रहल अछि. प्रकाश झाजीक निर्देशन मे मैलोरंगक नबका प्रस्तुति अछि  'जल डमरू बाजय'.  ई नाटक 27 सितम्बर के सांझ साढ़े 6 बजे सं श्रीराम सेंटर मंडी हाउस मे होएत. सामा चकेबा नाटक देखबा के क्रम मे प्रकाश झाजी सं भेंट भेल छल.  जल डमरू बाजय के लs क ओ बड़ उत्साहित छलाह.  हुनकर टीम के आओर संगी सभ सेहो सामा चकेबा देखय आएल लोक के "जल डमरू  बाजय" देखय लेल हकार दs रहल छलखिन्ह.  हुनका सभ सं आबय के निवेदन करय छलखिन्ह. ई चीज नीक लागल.   Prakash Jha एहि नाटक सभ आ कोनो मैथिली कार्यक्रम मे गेलाह सं सभसं बड़का फायदा आ होएत अछि जे गाम-घर के लोक सभ सं भेंट- मुलाकात भs जाएत अछि.  जेना गाम -घर मे शादी- विवाह... मुंडन... जनेऊ... तिलक... होली... छठ मे मिलय छथिन्ह ... ओहिना सभ लोकनि के एकठाम जुटनाए भs जाए छनि.  जिनका सं कहिओ नहि मिलल छी हुनको सं भेंट भs जाएत.  मन एकदम सं गदगद भs जाएत अछि. त अहां सभ सं श्रीराम सेंटर मे भेंट होएत रवि दिन 27 सितम्बर के.  नवम...

किछ अलग...

यूट्यूब पर एकटा वीडियो देखय छलहुं ई एतेक नीक लागल जे मन भेल अहां सभ के सेहो देखाएल जाए. उम्मीद अछि अहां सभ के सेहो नीक लागत. एहि वीडियो के देखि अपन बचपन मे चलि जाएब. नेना- भुटका के सेहो देखा सकय छी. Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,Nitish,Kojagra, Kohbar, Chaurchan, Keoti, Rajnagar, Media Jobs, Career,vidyapati, geetnaad, sohar,mundan, mandan, jha, mishra, Pandey, Lal das,Singh,Sonia, Manmohan, Mamta,pranab, budget, rail,pawani,paag, makhan, Bhagalpur, BSEB,, Motihari, Examination board, LNMU, University,Bihar board, Bihar Flood,Tourism, Kumar,Minister, Maithili songs,

आईबीएम मे जॉब... पाठकक पत्र

हेलो मिथिलाक एकटा पाठक छथिन्ह ब्रजेश झाजी . ब्रजेश जीके हेलो मिथिला नीक लगय छनि एकरा लेल हुनका धन्यवाद. ब्रजेश जी आईबीएम मे काज करय छथिन्ह आओर ओ अपना दिस के लोक के मदद करय चाहय छथिन्ह. अगर अहां सभ मे सं किनको आईटी... कम्प्यूटर सं जुड़ल काज चाही त हिनका सं सम्पर्क कs सकय छी. हुनकर लिखल पत्र के हम एतय अहां सभ के लेल राखि रहल छी. Mithila Pariwar k Namaskar, Hum aaj k khabar padhe ke darmyan ek ta cheez dekhli jon cheez se hum bahut prabhavit bheli ki apan maithil parivaar "Hello Mithila" ka madhyam se Delhi me rahewala mithila ke logak ke lel Job k jankari bahut achha lagal, aaise naya awewala log aa je apan vartman Job badle ke chahi chhat unka bahut madad miltain. Hum ek cheez apne ke madhyam se batawe ke chahi chhi ki je bhi log IBM mein job kare ke chahi chhat ta unka hamar number email address de del jao ya hamra email pe u log apan Resume bhej deth, humra se jaha tak madad ho sakat u hum karab. Qualificaion: Graduation, aa English bole, samjhe, aa likhe ke jankari h...

दिल्ली मे सामा चकेवा

दिल्ली मे रवि दिन 6 तारीख मिथिला के नाम रहल... सामा चकेवा के नाम रहल... मैथिल भाई-बहिन के नाम रहल... काका-काकी के नाम रहल.  संजय चौधरीजी आओर रोहिणी रमण जीक नाम रहल.  संजय चौधरी जीक कसल निर्देशन मे भेल मैथिली नाटक सामा- चकेवा देखि मन गदगद भs गेल.  नाटक के लेखक छलखिन्ह रोहिणी रमण झा.  नाटक मे रोहिणी जीक अभिनय सेहो काफी सशक्त रहल.  चूड़क के अपन अभिनय सं ओ सभ लोक के दिल जीत लेलखिन्ह.  हुनकर अभिनय के जतेक प्रशंसा कएल जाए कम होएत.  एक तरहे कहि सकय छी जे नाटक भने सामा-चकेवा छल मुदा मुख्य पात्र त चूड़क छल.  शुरू सं अंत धरि चूड़क छाएल रहल नाटक मे.  आब एहि मे रोहिणीजीक नीक अभिनय... भाव-भंगिमा ... मुद्रा के कारण बुझिऔ या खुद हुनकर लिखल नाटकक.  जे होए हुनका मंच पर आबितहि लोकक थापड़ि बजय लगैत छल.  छंद मे बान्हल हुनकर डॉयलॉग सेहो लोक के गुदगुलौsलक.  बच्चा मे सामा-चकेवा गाम-घर मे कई बेर देखने छी.  दीदी- बुआ सभ के संग हमहुं सभ आगां-पाछां करैत छलहुं.  तखन एतेक विस्तार सं एकरा बारे मे नहि मालूम छल.  मुदा नाटक देखला के बाद सामा-चक...

किछ जॉब

अपन मित्र सभ सं मिलल किछ संदेश मे अहां सभ के लेल किछ जॉबक बात सेहो अछि. अहां सभ संबंधित जॉब मे देल गेल ईमेल... फोन पर तुरंत सम्पर्क कs पता लगाबय के कोशिश करु . अगर अहां के लागैत अछि जे ओ जॉब अहांक लेल अछि त देर नहि करु...  तुरंत अप्लाई करु. A political monthly based in Connaught Place, New Delhi, has openings. * Reporters * Associte Editors * Deputy Editors * Graphic Desiners * Web designers * Business Development Managers * Subscription managers * Circulation Managers * Photographers * Interns Persons applying should have minimum 2 years experience in the respective fields except for Interns. Mail your resume to editorfurtherance@yahoo.co.in All applications should be reached latest by 7th of September. WEb Designer seeks PHP Developer   Canditate should be experienced in PHP, MySQL, Javascript, AJAX, HTML, XHTML and CSS. Position: PHP Programmer Experience: 6 month/1 years Location: Delhi 1. Template engine experience in open source tools like Joomla, Wordpress, ...

रवि दिन सामा चकेबा

रवि दिन तारीख 6 सितम्बर के दिल्ली मे मैथिली नाटक सामा चकेबा होबय जा रहल अछि. ई नाटक मणिपद्म जयंती पर मिथिलांगन के तरफ सं कएल जा रहल अछि. नाटक मंडी हाउस के एलटीजी थियेटर मे होएत. लेखक छथिन्ह रोहिणी रमन झा... नाटक के निर्देशन करथिन्ह संजय चौधरी जी आओर संगीत देथिन्ह श्री सुन्दरम जी. संजयजी के 'किम्कर्तव्यविमुढ' आओर 'उगना हॉल्ट' नाटक देखय लेल मिलल अछि. हिनकर निर्देशन मे भेल मंचन एकदम कसल रहय छनि. लोक के बान्हले रहय छथिन्ह. लोक सभ सेहो अपन-अपन सीट सं चिपकल रहय छथिन्ह. दिल्ली मे मैथिल भाई-बहिन लोकनि के लेल ई अपन माटि के याद करय के एकटा नीक अवसर अछि. बेसि सं बेसि संख्या मे एहिठाम आबय के कोशिश करिऔ जेहि सं कलाकार सभ के प्रोत्साहन मिलय. हुनका सब के लागन्हि जे हमर उत्साह बढ़ाबय वाला लोक के एहिठाम सेहो कोनो कमी नहि अछि. हमहुं आयब... लोक सभ के सेहो कहि रहल छिएन्हि जे अहां सभ सेहो आउ. गाम-घर सं बाहर मैथिली... मिथिलाक किछ होएत अछि त लगैत अछि जेना गामे-घर पहुंचि गेलहु. फेर अपना दिस के लोक सभ सं मिलय के सेहो ई एकटा नीक मौका दैत अछि. एहि ठाम आबि के कइटा पुरान दोस्त...चिन्हार वाला लोक स...

इंद्रपूजा शुरू

भगवान इंद्र आओर दोसर भगवान... देवी-देवता के पूजा के संग इंद्र पूजा महोत्सव शुरू भ गेल अछि. अपन मिथिला मे सभ सं नीक... भव्य इंद्र पूजा मधुबनी मे होएत अछि. पहिने दरभंगा राज परिसर आओर राजनगर मे सेहो खूब रमन-चमन सं होएत छल. मुदा दरभंगा राज कैंपस मे होए वाला पूजा आब कहि सकय छी सिर्फ औपचारिकता पूरा करय लेल होएत अछि. राजनगर मे अखनो खूब जोर-शोर सं कएल जाएत अछि. मुदा एहिठाम जगह किछ कम पड़ि जाएत अछि. बीच बाजार मे होए के कारण भीड़-भाड़ बेसि भs जाएत अछि. ओना आब झंझारपुर... लौकहा मे सेहो खूब चमक-दमक के संग इंद्र पूजा महोत्सव मनाएल जाएत अछि. पूजा एक तारीख के शुरू भेल आओर दस दिन तक चलत. एहि के लेल मेला लगनाय शुरू अछि. मेला मे कई तरहक मनोरंजन के व्यवस्था कएल गेल अछि. झूला... थियेटर... आर्केस्ट्रा कई तरहक कार्यक्रम सभ भs रहल अछि. स्थानीय व्यापारी सभ के लेल सेहो कमाय के मौका रहय छनि. रंग-बिरंग के सामान के दोकान सभ खुलि गेल अछि. मुदा एहि बेर सूखा आओर बाढि के प्रभाव के कारण उत्साह किछ कम अछि. Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Pa...