जल डमरू बाजय के हकार



अखन सामा चकेबा के खोभार हटलो नहि छल कि एकटा आओर हकार आबि गेल.  दिल्ली मे एकटा आओर मैथिली नाटक होबय जा रहल अछि. प्रकाश झाजीक निर्देशन मे मैलोरंगक नबका प्रस्तुति अछि  'जल डमरू बाजय'.  ई नाटक 27 सितम्बर के सांझ साढ़े 6 बजे सं श्रीराम सेंटर मंडी हाउस मे होएत.
सामा चकेबा नाटक देखबा के क्रम मे प्रकाश झाजी सं भेंट भेल छल.  जल डमरू बाजय के लs क ओ बड़ उत्साहित छलाह.  हुनकर टीम के आओर संगी सभ सेहो सामा चकेबा देखय आएल लोक के "जल डमरू  बाजय" देखय लेल हकार दs रहल छलखिन्ह.  हुनका सभ सं आबय के निवेदन करय छलखिन्ह. ई चीज नीक लागल.
Prakash Jha
एहि नाटक सभ आ कोनो मैथिली कार्यक्रम मे गेलाह सं सभसं बड़का फायदा आ होएत अछि जे गाम-घर के लोक सभ सं भेंट- मुलाकात भs जाएत अछि.  जेना गाम -घर मे शादी- विवाह... मुंडन... जनेऊ... तिलक... होली... छठ मे मिलय छथिन्ह ... ओहिना सभ लोकनि के एकठाम जुटनाए भs जाए छनि.  जिनका सं कहिओ नहि मिलल छी हुनको सं भेंट भs जाएत.  मन एकदम सं गदगद भs जाएत अछि.
त अहां सभ सं श्रीराम सेंटर मे भेंट होएत रवि दिन 27 सितम्बर के.  नवमी सेहो अछि.  दुर्गापूजा के उत्साह सेहो रहत सभ लोक मे.  नाटकक संबंध मे कोनो चीज जानबाक होए त अहां सभ  प्रकाश झाजी सं  98117-74106  पर फोन कs सम्पर्क कs सकय छी.

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

Popular posts from this blog

खत्म होएत गैस के किल्लत...

जेएमआईटी बनल डीईसी

हमर विआह- 8

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

विज्ञान सं रुझान कम किएक ?