अखन सामा चकेबा के खोभार हटलो नहि छल कि एकटा आओर हकार आबि गेल. दिल्ली मे एकटा आओर मैथिली नाटक होबय जा रहल अछि. प्रकाश झाजीक निर्देशन मे मैलोरंगक नबका प्रस्तुति अछि 'जल डमरू बाजय'. ई नाटक 27 सितम्बर के सांझ साढ़े 6 बजे सं श्रीराम सेंटर मंडी हाउस मे होएत.
सामा चकेबा नाटक देखबा के क्रम मे प्रकाश झाजी सं भेंट भेल छल. जल डमरू बाजय के लs क ओ बड़ उत्साहित छलाह. हुनकर टीम के आओर संगी सभ सेहो सामा चकेबा देखय आएल लोक के "जल डमरू बाजय" देखय लेल हकार दs रहल छलखिन्ह. हुनका सभ सं आबय के निवेदन करय छलखिन्ह. ई चीज नीक लागल.
Prakash Jha
एहि नाटक सभ आ कोनो मैथिली कार्यक्रम मे गेलाह सं सभसं बड़का फायदा आ होएत अछि जे गाम-घर के लोक सभ सं भेंट- मुलाकात भs जाएत अछि. जेना गाम -घर मे शादी- विवाह... मुंडन... जनेऊ... तिलक... होली... छठ मे मिलय छथिन्ह ... ओहिना सभ लोकनि के एकठाम जुटनाए भs जाए छनि. जिनका सं कहिओ नहि मिलल छी हुनको सं भेंट भs जाएत. मन एकदम सं गदगद भs जाएत अछि.
त अहां सभ सं श्रीराम सेंटर मे भेंट होएत रवि दिन 27 सितम्बर के. नवमी सेहो अछि. दुर्गापूजा के उत्साह सेहो रहत सभ लोक मे. नाटकक संबंध मे कोनो चीज जानबाक होए त अहां सभ प्रकाश झाजी सं 98117-74106 पर फोन कs सम्पर्क कs सकय छी.
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु