किसान भाई पर ध्यान


सूखा आओर बाढ़ि के बाद बिहार सरकार के ध्यान आब किसान भाई पर गेल अछि.  किसान भाई के खेती के आधुनिक तकनीक के जानकारी देबय लेल राज्य मे 166 टा ई-किसान केंद्र खोलल जाएत.  एहि ई-किसान केंद्र पर खेती के उन्नत तरीका के संग खाद-बीज के सही इस्तेमाल... पाला आओर कीट सं फसल के केना बचाएल जाए ई सभ बताएल जाएत.  एहि केंद्र पर किसान भाई सं जैविक...ऑर्गेनिक खेती के फायदा सेहो बताएल जाएत.  ई- किसान केंद्र खोलय के संग-संग सरकार के योजना हर गाम मे कृषि विकास रथ सेहो भेजय के अछि.  एहि कृषि विकास रथ मे कृषि वैज्ञानिक के संग पशुपालन आओर सहकारिता विभाग के लोक सेहो रहताह.  एक अक्तूबर सं ब्लॉक के पांच-पांच पंचायत मे कृषि विकास शिविर सेहो लगाएत जाएत.  एहि शिविर मे किसान भाई के सेहो बढ़ि-चढ़ि के हिस्सा लेबाक चाही.  आधुनिक-उन्नत खेती के फायदा उठाएबाक चाही. जेहि सं पैदावार के संग-संग कमाई सेहो बढ़य.



Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

केंद्र मे हारल बिहार...

फेर अगुआ बनत बिहार

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)