खगड़िया जिला मे एकटा नाव के नदी मे पलटि जाए सं दसटा सं बेसि लोक डूबि गेलाह. लोक सभ के कहनाय छनि जे चालीस टा से बेसि लोक लापता छथिन्ह. डूबय वाला आओर लापता होए वाला लोक मे बेसि महिला आओर बच्चा छथिन्ह. लोक सभ सनोखर सं दुर्गा पूजा के मेला देखि कs अपन गाम फूलतोरा आबि रहल छलखिन्ह. राति भेल जा रहल छल. लोक सभ जल्दी सं जल्दी घर पहुंचय चाहैत छलखिन्ह जेहि लेल नाव पर क्षमता सं बेसि लोक चढ़ि गेलखिन्ह. लोक सभ के कहनाय छनि जे नाव पर साठि-सत्तर लोक चढ़ि गेल. नाव के बीच धार मे पहुंचला पर आन्हर-तूफान आओप पानि आबि गेल. जेहि सं नाव अपन संतुलन खो बैसल. किछ सिआन लोक त तैर क बाहर आबि गेलाह मुदा महिला आओर बच्चा सभ के अखन ठिकान नहि छनि. प्रशासन के लोक सभ पहुंचि गेल अछि आओर लापता लोक के खोज चलि रहल अछि.
फूलतोरा गाम अलौली प्रखंड मे पड़ैत अछि. आओर एहिठाम एलजेपी प्रमुख रामविलास पासवान जीक पैतृक गाम छनि. पासवानजी सेहो खगड़िया पहुंचि रहल छथिन्ह. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार नाव पलटय से मारल गेल लोक के परिवार के डेढ़-डेढ़ लाख मुआवजा देबय के एलान सेहो खेलखिन्ह. एहि घटना के बाद सं इलाका मे शोक के माहौल अछि. अगर इलाका मे आबय-जाए लेल नीक व्यवस्था रहैत त ई घटना नहि होएत.
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
No comments:
Post a Comment
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु