रवि दिन सामा चकेबा

रवि दिन तारीख 6 सितम्बर के दिल्ली मे मैथिली नाटक सामा चकेबा होबय जा रहल अछि. ई नाटक मणिपद्म जयंती पर मिथिलांगन के तरफ सं कएल जा रहल अछि. नाटक मंडी हाउस के एलटीजी थियेटर मे होएत. लेखक छथिन्ह रोहिणी रमन झा... नाटक के निर्देशन करथिन्ह संजय चौधरी जी आओर संगीत देथिन्ह श्री सुन्दरम जी. संजयजी के 'किम्कर्तव्यविमुढ' आओर 'उगना हॉल्ट' नाटक देखय लेल मिलल अछि. हिनकर निर्देशन मे भेल मंचन एकदम कसल रहय छनि. लोक के बान्हले रहय छथिन्ह. लोक सभ सेहो अपन-अपन सीट सं चिपकल रहय छथिन्ह.
दिल्ली मे मैथिल भाई-बहिन लोकनि के लेल ई अपन माटि के याद करय के एकटा नीक अवसर अछि. बेसि सं बेसि संख्या मे एहिठाम आबय के कोशिश करिऔ जेहि सं कलाकार सभ के प्रोत्साहन मिलय. हुनका सब के लागन्हि जे हमर उत्साह बढ़ाबय वाला लोक के एहिठाम सेहो कोनो कमी नहि अछि. हमहुं आयब... लोक सभ के सेहो कहि रहल छिएन्हि जे अहां सभ सेहो आउ. गाम-घर सं बाहर मैथिली... मिथिलाक किछ होएत अछि त लगैत अछि जेना गामे-घर पहुंचि गेलहु. फेर अपना दिस के लोक सभ सं मिलय के सेहो ई एकटा नीक मौका दैत अछि. एहि ठाम आबि के कइटा पुरान दोस्त...चिन्हार वाला लोक सभ मिलि जाए छथिन्ह जिनका सं कई- कई साल सं कोनो भेंट-घांट नहि रहय छनि. त पहुंचु मंडी हाउस... एलटीजी थियेटर सांझ 6 बजे.
LTG, Coporsnica Marg, Mandi House, Delhi
on Sunday 06, September 09
at evening 6 pm
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

Popular posts from this blog

अथ श्री-श्री 108 स्वामी अनचिन्हारानन्द विरचित कलन्किया कथा

हमर विआह- 8

छोट राज्य के पक्ष मे नीतीश जी

फेर अगुआ बनत बिहार

मोन मिथिले मे अछि...

जिम्मेदार के ?

दिल्ली मे सामा चकेवा

दरभंगा मे मिथिला थीम पार्क

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

दरभंगा मे नवाह यज्ञ