पूजा धरि फ्री मे फिल्म

बिहार के स्कूली छात्र सभ के लेल एकटा नीक खबर अछि. पूजा के दौरान स्कूली विद्यार्थी सभ के फ्री मे फिल्म दिखाएल जाएत. मुदा एहि मे कनि निराशाजनक खबर सेहो अछि जे ई फिल्म मात्र चारिएटा शहर के नेना-भुटका देख पएताह. चारि टा शहर अछि मुजफ्फरपुर... भागलपुर... पटना आओर गया. एहि चारु शहर मे बाल फिल्म महोत्सव कएल जाएत. ई बाल फिल्म महोत्सव भरि अक्तूबर चलत. मुदा सरकार के चाहि छल जे भने किछ आओर सनय लगैत... हर जिला मे बाल फिल्म महोत्सव होबाक चाही छल. एक त आस-पास के सिनेमा हॉल मे बाल फिल्म लागैत नहि अछि दोसर सरकार तरफ सं दिखाएल जा रहय अछिओ त ओ सिर्फ चारि टा शहर मे. कोनो बात नहि शुरुआत भेल अछि. सरकार के कोशिश आगां दोसर शहर मे दिखाबय के सेहो होएत एहन उम्मीद करबाक चाही.
बाल फिल्म महोत्सव पटना मे 6 सं 10 अक्तूबर धरि... गया मे 12 सं 16 अक्तूबर धरि... मुजफ्फरपुर मे 19 सं 23 अक्तूबर धरि आओर भागलपुर मे 26 सं 30 अक्तूबर धरि आयोजित कएल जाएत. शहर के सिनेमा हाल मे पहिल दुटा शो स्कूली छात्र के लेल फ्री रहत. स्कूली आईकार्ड राखय वाला छात्र सं टिकट नहि लेल जाएत. आ फेर स्कूल के तरफ सं टीचर के संग गेल विद्यार्थी सं पाई नहि लेल जाएत. एहि बारे मे आओर जानकारी प्रशासन के तरफ सं स्कूल सभ मे भेजल जाएत. त चारु शहर के धिआ-पुता सभ तैयार भ जाउ नीक-नीक बाल फिल्म देखय लेल.



Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

फेर अगुआ बनत बिहार

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा