नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

गरीब छात्र सेहो पढ़त पब्लिक स्कूल मे

पब्लिक स्कूल मे आब गरीब छात्र सेहो पढि सकय छथि. सरकार के कहनाय अछि जे आब पब्लिक स्कूक के हर एक सयटा (100) एडमिशन मे 25 टा गरीब छात्र के राखय पड़तन्हि. जे पब्लिक स्कूल 25 प्रतिशत गरीब बच्चा के नाम नहि लिखत ओकरा ऊपर कार्रवाई कएल जाएत. पब्लिक स्कूल मे जेहि 25 प्रतिशत छात्र के दाखिला होएत ओकर फीस सरकार देत. बिहार सरकार एहि दिशा मे जरूरी कदम उठा रहल अछि. सरकार के माननाय अछि जे एहि सं बेसि सं बेसि गरीब छात्र के स्कूल मे दाखिला भ पाएत. 
ओना पब्लिक स्कूल के नाम सुनिए गरीब लोक दूरे सं प्रणाम कs लैत छथिन्ह. किएक त नाम मे भने पब्लिक स्कूल जुड़ल होएत अछि... मुदा ई होएत अछि प्राइवेट. आई-काल्हि सरकारी स्कूल मे पढ़ाई के जे हाल अछि ओकरा देखि पाई वाला लोक सभ अपन बच्चा सभ के नाम पब्लिके स्कूल मे लिखाबय छथिन्ह. पब्लिक स्कूल कनि तड़क-भड़क लेने रहैत अछि. स्कूल ड्रेस रहैत अछि... शू... टाई लगएला सं बच्चा सभ के रंगत किछ निखरि जाएत अछि. एहि स्कूल सभ मे पढ़ाबय वाला टीचर... मैडम सभ सेहो कॉरपोरेट लूक मे रहय छथिन्ह. एकदम सं बनल- ठनल... सजल–धजल. बाजय के लहजा सं लs क पढ़ाबय तक सभ अहांके प्रभावित करत. गाम-घर मे एहन पब्लिक स्कूल के अंग्रेजी स्कूल सेहो कहल जाएत अछि. मुदा एक बात रहैत अछि जे एहि स्कूल मे नाम लिखानाय सभ के वश के बात नहि रहय छनि. फीस एतेक राखि दय छथिन्ह जे बेसि लोक फीस सुनिए के फॉर्म नहि भरय छथिन्ह. पाइए वाला... समर्थे लोक सभ के नेना-भुटका... धिया-पुता एहि मे पढ़ि पाबय छथिन्ह. एहन स्कूल मे पढ़ला सं नेना सभ मे एकटा दोसरे तरह के कांफिडेंस आबय छै. एहि मे के बच्चा सभ के भने पढ़ाई-लिखाई के बेस मजबूत नहि होए मुदा बात करय के ढंग...रहय-सहय... चलय-फिरय मे अहां के एकटा दोसरे रंग देखय लेल मिलत. पब्लिको स्कूल मे छोट-बड़ स्कूल होएत अछि. जेहन पैघ स्कूल ओकर विद्यार्थी के ओतेक जलवा. ओतेक रौब. ओकर ओतेक बेसि फीस...सभ पाई के खेल अछि.
ओना हम अपना गाम मे देखय छी अखनो सरकारी स्कूल के पढ़ाई पब्लिक स्कूल सं नीक अछि. सरकारी स्कूल के विद्यार्थी राष्ट्रीय प्रतिभा खोज परीक्षा आ फेर दोसर छात्रवृति परीक्षा होए नीक स्थान लाबय छथिन्ह, सरकारी स्कूल के विद्यार्थी सभ के गणित... विज्ञान बेसि मजबूत रहय छनि. प्राइवेट स्कूल मे सब्जेक्ट के देखय जाए तखन सिर्फ अंग्रेजी मे विद्यार्थी सभ कनि हाई-फाई रहय छथिन्ह. आओर ओहिठाम के माहौल कनि कांफिडेंस लाबि दैत अछि. आओर जेहि बच्चा के बेस... आधार मजबूत रहय छनि ओ कतहुं जएताह मजबूती सं टिकल रहता. सरकारी परीक्षा... नौकरी मे तेहि लेल सरकारी स्कूल के विद्यार्थी सभ के नीक प्रदर्शन रहय छनि. सरकार कनि कोशिश करय... ध्यान दय त विद्यार्थी के लेल सरकारी स्कूल फेर सं नीक भ जाएत.


Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु