नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

गाम जाए के रास्ता बंद...

हमर गाम जाए के रास्ता बंद भs गेल अछि. बाढ़ि अएला सं सड़क पर पानि बहि रहल अछि. सड़क टूटि गेल अछि. हमर गाम केवटी दरभंगा सं जयनगर वाला राष्ट्रीय राजमार्ग 105 पर अछि. केवटी दरभंगा सं 16 किलोमीटर उत्तर मे अछि. एहि ठाम प्रखंड आओर अंचल कार्यालय अछि. केवटी सं दरभंगा के बीच खिरमा आओर कोयलास्थान के पास पानि सड़क पर आबि गेल अछि. एहि के कारण रास्ता बंद अछि. ओना हमर गाम सं रहिका द मधुबनी जा फेर दरभंगा पहुंचि सकय छी. ओम्हर के रास्ता अखन बंद नहि अछि.
हमर ब्लॉक मे जे बाढ़ि आएल अछि ओहि मे फंसल लोक के सुरक्षित स्थान पर पहुंचाबय आओर राहत के लेल राष्ट्रीय आपदा नियंत्रण फोर्स के जवान काज मे लागल छथिन्ह. हिनका सभ के पास दसटा मोटरवोट सेहो छनि. टीम मे 60टा जवान छथिन्ह. टीम खुद त दरभंगा के पॉलिटेक्निक कॉलेज मे ठहरल अछि मुदा पीड़ित लोक के ठहराबय... रहय... राहत... बचाव के लेल राम जुलुम हाई स्कूल केवटी- बनवारी... रामरिख सुन्दरी कन्या उच्च विद्यालय केवटी आओर दरभंगा बाजार समिति मे व्यवस्था कएल गेल अछि. एक बात अछि जे लोक के मदद के लेल गाम के लोक सभ सेहो बढ़ि-चढि कs आगां आबय छथिन्ह. पिछला बेर आएल बाढ़ि मे लोक सभ पीड़ित लोक के खूब बढ़ि चढि कs मदद कएने छलखिन्ह.
ओना केवटी मे बाढ़ि के पानि आबय के खबर के संग प्रशासन तुरंत हरकत मे आएल. कमिश्नर साहेब खुद दौरा कएलखिन्ह. प्रखंड विकास पदाधिकारी के लोक सभ के कोनो दिक्कत नहि होए एकर ध्यान राखल लेल कहलखिन्ह. डीएम साहेब सेहो स्थिति के जायजा लेलखिन्ह. मुदा डीएम साहेब जे कहलखिन्ह ओहि सं लोक सभ किछ खिसिआ सेहो गेलखिन्ह. डीएम साहेब सं सहारा समय के रिपोर्टर अजय मोहन प्रसाद जी पूछलकिन्ह सर राहत किएक नहि शुरू कएल गेल अछि त ओ कहलखिन्ह जे राहत के लेल जतेक होबाक चाही ओतेक नहि भेल अछि अखन. राहत के लेल लोक के चारू कात सं फंसल होबाक चाही... एहन स्थिति होए जे लोक पाई रहैत सामान नहि खरीद पाबय... असहाय होए. किछ करय लाएक नहि होएथिन्ह. ई त अजीब बात अछि न?
एम्हर लाघा के पास बागमती के दबाव सेहो बढ़ि गेल अछि. दरभंगा शहर पर सेहो दबाव बनल अछि. धोई घाट के पास तटबंध टूटला सं रेडियो स्टेशन मे सेहो पानि घुसि गेल... पानि बढ़ला पर प्रसारण सेहो बंद करय पड़ि सकैत अछि. कइटा गाम मे सेहो पानि घुसि गेल अछि. दरभंगा जिला के कुशेश्वरस्थान... धनश्यामपुर... कीरतपुर... गौड़ाबौराम... केवटी... जाले मिला कs करीब 12 प्रखंड बाढ़ि सं प्रभावित अछि.
बाढ़ि सं दरभंगे नहि मधुबनी... समस्तीपुर.. सहरसा... पुर्णिया... सुपौल... अररिया... किशनगंज... कटिहार... खगड़िया... पूर्वी चम्पारण सभतर कई गाम मे पानि घुसल अछि. कहि सकय छी उत्तर बिहार के एकटा बड़का इलाका बाढ़ि सं प्रभावित अछि. एकरा लेल पिछला किछ दिन भेल खूब जोरगर... झमैटगर पानि आओर नेपाल दिस सं छोड़ल गेल पानि जिम्मेदार अछि. सभ नदी के पानि उफान मारि रहल अछि. जलस्तर खतरा के निशान सं ऊपर बनल अछि. कमला बलान... भूतही बलान... कोसी... बागमती... कनकई... बकरा... परमान... अधवारा... महानंदा सभ नदी के पानि तबाही मचौने अछि. सूखा के बाद आएल एहि बाढ़ि सं लोक पर दु-तरफा मारि पड़ल अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


1 टिप्पणी:

  1. अभी अभी टी.वी चैनल में समाचार देखा था .सामायिक खबर

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु