आरजेडी प्रमुख लालू यादव जी फेर सं माछ खाए लगलाह. अहि पर पटना के हिन्दुस्तान अखबार मे पवन के एकटा नीक कॉर्टून छपल अछि. हम चाहब जे अहां सब सेहो ओहि कॉर्टून के देखि आनंद लिअ.
मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...
अहां सभ के मिथिलाक नववर्ष जुड़शीतल आओर सतुआइन केर शुभकामना. मिथिला मे पावनि-त्योहार के खास महत्व अछि. मिथिलाक पावनि-त्योहार मे खास अछि जुड़शीतल, चौठचंद्र, कोजगरा, सामा चकेवा आओर मधुश्रावणी. जूड़शीतल के दिन मां-दादी-काकी सभ माथ पर जल डालि जूड़ाबैत
ट्विटर स्पेस पर 20 सितंबर केर मिथिला राज्य निर्माण यात्रा पर चर्चा राखल गेल छल। परिचर्चा के शुरुआत सभदिन जकां नित्यानंद झा जी करलखिन्ह। बाद मे नितेश झा निक्की जी सेहो जुड़ि गेलखिन्ह। परिचर्चा मे मिथिला स्टूडेंट यूनियन के युवा नेता अनूप मैथिल जी मिथिला राज्य निर्माण यात्रा पर विस्तार सं अपन बात राखलखिन्ह। अनूप जी कहलखिन्ह जे हम सभ गाम-गाम जा मिथिला के आम लोक के जगाबय के काज करब।
श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...
दिल्ली मे रहय वाला मैथिल भाई-बहिन लोकनि के लेल बड़ नीक खबर अछि. आई 21 तारीख रवि दिन बिरला मंदिर मे सामा चकेवा के कार्यक्रम भ रहल अछि. सामा चकेवा भाई बहिन के प्रेमक त्योहार अछि. गाम मे रहय छलहुं त बच्चा मे दीदी...बुआ सभ के संग हमहुं सभ शामिल भ जाए छलहुं. सामा चकेवा कार्तिक शुक्ल द्वितीया के शुरू भ पूर्णिमा धरि चलैत अछि. एहि मे भाई आओर पति के दीर्घायु के लेल भगवान सं कामना कएल जाएत अछि. बिरला मंदिर मे यूथ ऑफ मिथिला के तरफ सं सामा फोरन कार्यक्रम सेहो भ रहल अछि. जे एकदम सं मैथिल तौर तरीका सं होएत. ई कार्यक्रम जय मिथिला ग्रुप के लहकचहक डॉट कॉम के सहयोग सं आयोजित भ रहल अछि. दिल्ली मे रहय वाला सभ मैथिल के एहि कार्यक्रम के लेल न्योत छनि. अहां सभ एहि कार्यक्रम के देखय लेल... एहि मे शामिल होए लेल अवश्य आबि. सामा चकेवा कार्यक्रम के समय अछि सांझ 6 बजे. ई करीब 8 बजे राति धरि चलत. कार्यक्रम स्थल के पूरा पता अछि. वाटिका, बिरला मंदिर, मंदिर मार्ग, नई दिल्ली- 110001 कोनो तरहक परेशानी होए त अहां सभ एहि फोन पर सम्पर्क क सकय छी. 96540-15163 आओर 90159-42074 त फेर भेंट होएत अछि बिरला मंदिर मे. Plann...
बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एकटा बड़ नीक सवाल उठा देलखिन्ह. नीतीश जीक कहनाए छनि जे राहुल गांधी के प्रधानमंत्री बनए सं पहिने कोनो राज्यक मुख्यमंत्री बनिs क राजनीति के अनुभव लेबाक चाही. नीतीश जीक कहनाए छनि कि पीएम सं पहिने सीएम बनला पर हुनका समझ मे अएतन्हि जे राज्य के चलाबए मे कोन तरहक परेशानी आबैत अछि. सीएम बनला पर ओ शासकीय गुर सीख सकय छथि. ओना नीतीश कुमार जीक एहि बयान के बाद कांग्रेस के प्रतिक्रिया सेहो आएल अछि. कांग्रेस के कहनाए अछि जे राहुल के कामयाबी सं नीतीश जी बौखलाह गेल छथिन्ह. राहुल जीक सभा मे भारी भीड़ जुटि रहल अछि. नीतीश जीक एहि बयान पर केतबो हो-हल्ला... बयानबाजी होए. अहां के कि लगैत अछि? कि राहुल गांधी के पीएम बनए सं पहिने सीएम बनबाक चाही? या डायरेक्ट पीएम ? नीतीश जीक मानल जाए त सियासी नॉलेज के लेल... प्रशासनिक...शासकीय गुर सीखल के लेल राहुल के सीएम के रूप मे इंटर्नशिप करि लेबाक चाही? अहांके कि लगैत अछि? Planning to marry? Register at Shaadi.com Matrimonial हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
राजनगर राज कैंपस मे आई सं मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल शुरू भ रहल अछि। चारि दिन चलई वाला एहि आयोजन केर उद्घाटन मिथिला चित्रकला केर प्रतिमान पद्मश्री गोदावरी दत्त जी करतीह। उद्घाटन सत्र मे
दिल्लीक ताज पैलेस होटलमे 31 अगस्तक दिन आयोजित भव्य संगोष्ठी आ पुस्तक विमोचन समारोह मिथिला आ सम्पूर्ण भारतक सांस्कृतिक आ ऐतिहासिक चेतनाक दृष्टिकोण सं एकटा महत्वपूर्ण अवसर रहल। एहि आयोजनक मुख्य विषय छल 'भारतक आध्यात्मिक, सांस्कृतिक आ
मैथिली पुत्र प्रदीप नहि रहलाह। आइ शनिदिन, 30 मई, 2020 के भोरे-भोर एहि दुनिया सं विदा भs गेलाह। निधन के खबर मिलतहि लहेरियासराय के बेलवागंज मे हिनकर निवास के बाहर
बहुत बढ़िया
ReplyDelete---
चर्चा । Discuss INDIA
अहाँ जे हमरा अपन मिथिला के बारे में जानकारी दैत छि ताहि के हम आभार व्यक्त करैत छि
ReplyDeleteshailendrajha1985@gmail.com