आरजेडी प्रमुख लालू यादव जी फेर सं माछ खाए लगलाह. अहि पर पटना के हिन्दुस्तान अखबार मे पवन के एकटा नीक कॉर्टून छपल अछि. हम चाहब जे अहां सब सेहो ओहि कॉर्टून के देखि आनंद लिअ.
बिहार सरकार एकटा नीक काज करय जा रहल अछि. अगर केंद्र सरकार के सहयोग मिलल त एकर नीक परिणाम मिल सकैत अछि. सरकार के कोशिश अछि जे नरेगा ( राष्ट्रीय ग्रामीण रोजगार गारंटी योजना ) सं पढ़ल-लिखल कार्डधारी के निरक्षर लोक के पढ़ाबय के जिम्मेदारी देल जाए. एहि योजना मे शिक्षित कार्डधारी के साल मे कम सं कम एक सय दिन पढ़ाबय के काज देल जाएत. एहि मे हुनका कम सं कम दस लोक के साक्षर बनाबय के होतन्हि. अगर ई योजना के केंद्र सं मंजूरी मिलैत अछि त राज्य के लेल एकटा क्रांतिकारी कदम साबित भ सकैत अछि. जेहि राज्य मे करीब आधा लोक निरक्षर... अनपढ़ होए... ओतए सरकार के एहि कदम सं एकटा बड़का बदलाव आबि सकैत अछि. करोड़ों निरक्षर साक्षर बनि सकताह. पढ़ला-लिखला सं हुनकर जीवन मे बड़का बदलाव आबि सकैत अछि. संगहि संग राज्य सं होए वाला पलायन सेहो रुकत. किएक त पढ़ल-लिखल लोक के नरेगा सं पढ़ाबय के काज निलतन्हि. ओ एम्हर-ओम्हर टहलय के जगह पढ़ाबय के काज करताह. समाज मे मास्टर साहेब कहलएताह. समाज के जागरूक करताह. आब त नरेगा सं मिलय वाला रोज के पाई सेहो 89 रुपया सं बढ़ाकए 102 रुपया करि देल गेल अछि. अगर एकटा अनुमान लs कs चल...
श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...
शीर्षक पढि कने उटपटांग लागल होयत। मोने सोचैत होयब जे लगभग पांच कोटि लोकक ठोर पर जाहि अमिट, अतिपावन भाषाक राज अछि, जे भाषा भारतक संगहि-संग नेपाल मे सेहो विशेष प्रतिष्ठित अछि, जे भाषा अपन विशाल आ अमूल्य साहित्यनिधिक बल पर भारतीय संविधानक आठम अनुसूची मे सन्हिया गेल, जे भाषा जनक सुता जानकीक कंठ-स्वर सं निकलैत छल, जाहि माटिक संस्कार सिया कें सुशीला बनौलक, ताहि भाषा पर कोन संकट आबि गेल? वा फेर सोचैत होयब जे हम बताह त' नहि भ' गेलहुं अछि? नाना प्रकारक सोच दिमागी समुद्र मे हिलकोर मारैत होयत। जं से सत्ते, त' अपन सोच कें कने स्थिर करी। असल मे ई प्रश्न आइ-काल्हि पद्मश्री उदित नारायण (झा) क' रहल छथि, सेहो पूरा तामझामक संग। मायक भाषा संग मोह जिनगी भरि बनल रहैत छैक। चाहे कतेको स्वार्थंधता वा दंभता केर गर्दा मोन-मस्तिष्क मे हो मुदा जखन भावना प्रबल प्रवाह होइत छैक त' लोक कें मोन पड़ैत छैक माय, मातृभाषा आ मातृभूमि। ओ प्रत्येक वस्तु जाहि मे मातृअंश हो, एक-एक के मोन पड़य लगैत छैक। मैथिली मे गायन शुरू कS आइ सफलताक उच्चतम शिखर पर पहुंचल उदित नारायण के कोनो एक भाषाक गायक नहि कहल जा सकैत अछ...
अलग तेलंगाना राज्य बनाबय के घोषणा के बाद बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलखिन्ह जे सिर्फ तेलंगाने सं काज नहि चलत पूरा देश मे एकहि संग कइटा छोट-छोट राज्य बनाबय के जरूरत अछि. पूरा देश मे राज्य सभ के पुनर्गठन होबाक चाही. हुनकर साफ कहनाय छनि जे देश मे अखनो कइटा बड़का-बड़का राज्य अछि जकर पुनर्गठन करि छोट-छोट राज्य बनयबाक चाही. नीतीश जी के इहो कहनाय छलन्हि जे हुनकर पार्टी शुरू सं एकर पक्ष मे रहल अछि. ई त भेल नीतीश जी के गप...ओम्हर उत्तर प्रदेश के मुख्यमंत्री मायावती त अलग राज्य बनाबय के बारे मे प्रधानमंत्री के चिट्ठी सेहो भेज देलखिन्ह. मायावती जी के साफ कहनाय छनि जे ओ छोट राज्य के पक्ष मे छथिन्ह आओर बुंदेलखंड के संग दोसर राज्य बनबाक चाही. मायावती जीक एहि कदम के देखैत नीतीशजी के सेहो मिथिलांचल राज्य के लेल एकटा चिट्ठी प्रधानमंत्री जी के लिखबाक चाही. आओर एकरे संग-संग मिथिलांचल के सभ सांसद महोदय... प्रतिनिधि महोदय के अपन गतिविधि तेज करि देबाक चाही. मिथिलांचल के सभ एमएलए... एमपी... मिथिला राज्य संघर्ष सं जुड़ल संगठन सभ के लेल ई एकटा नीक मौका अछि. एकरा चुकबाक नहि चाही. किछ पाबय के लेल किछ म...
आबि त गेलहुं मुदा आबय के मोन नहि करय छल. ओना त गर्मी छु्ट्टी मे गाम जाए छलहुं मुदा एहि बेर नवम्बर मे भगिनी के शादी होए के कारण गर्मी छुट्टी मे नहि गेलहुं. डेढ़ साल बाद गाम जाए के आनन्दे किछ आओर अछि. करीब 25 दिनक यात्रा के दौरान केवटी... दरभंगा... मधुबनी... राजनगर...भगवानपुर... जयनगर...देवधा... खजुरी-महुआ नेपाल आओर सासुर कस्मा-मरार जाए के मौका मिलल. एहि बेर सभ सं नीक गप ई रहल जे ऑर्कुट... फेसबुक आओर हेलो मिथिला सं जुड़ल कई लोक सं भेंट मुलाकात भेल. लोक सभ नीक काज कS रहल छथिन्ह. ऑर्कुट के एकटा संगी त जेहिआ मिललाह ओहि दिन एकटा मैथिली सीरियल बेटी के शूटिंग शुरू करय वाला छलाह. दरभंगा-मधुबनी के बेसि सड़क नीक भ गेल अछि सिर्फ दरभंगा सं हमर गाम जाए वाला रोड दरभंगा-जयनगर नेशनल हाइवे के हाल बड़ खराब अछि. एतेक उबड़-खाबड़ अछि जे देह के एक-एकटा हड्डी के जोड़ ढ़ीला भs जाएत. गाम तक पहुंचय धरि अगिला सीट पकड़ने रहलौं. लोक सभ भगवान के नाम लs कs सफर करय छथिन्ह. ओना एकरा जल्दीए ठीक होए के उम्मीद छै. दरभंगा मे दू टा शादी मे शामिल भेलहुं. भगिनी के शादी मे कन्यादान सेहो हमरे करय के रहय. ओहि के बाद गामे के ए...
मधुबनी के पास सौराठ मे आई काल्हि सौराठ सभा चलि रहल अछि. लोक सभ एहि सभा के सभागाछी के नाम सं जानैत छथिन्ह. पहिने अगर अहां भूलल-भटकलों मधुबनी आ रहिका चलि जएतहुं त पता चलि जाएत जे लगनक टाइम आबि गेल अछि... आओर सभागाछी मे सभावास चलि रहल अछि. बस स्टैंड... रेलवे स्टेशन... रिक्शा... टेम्पो पर... चारुकात कतहुं देखु... लाल-लाल धोती... चमकैत रेशमी आ मलमल के कुर्ता... ललका पाग... मुंह मे पान... हाथ मे बेंत संग कथा-वार्ताक गप मे लीन लोक मिलि जाएत छलाह. गपक विषय बस एकेटा... फलां बाबू के एतेक मे तय भेलन्हि त फलां बाबू के ओतेक मे. फलां बाबू किछ ओर धीरज रखतथिन्ह त आओर कम मे कथा तय भ जएतन्हि. ओ त धरफरा गेलाह. फलां बाबू ठका गेलाह. हुनका अपन बात पर अड़ल रहबाक चाही छलन्हि. नहि जाने कि कि... पहिने जे बात के पता पांच-सात किलोमीटर दूरहिं सं चलि जाएत छल. आई अहां सौराठ गाम सं घुमिओ कs चलि आएब त पता नहि चलत जे आई-काल्हि सभावास चलि रहल अछि. पहिने गाजा-बाजा के संग उद्घाटन होएत छल. बिरादरी के पैघ-पैघ लोक जुटए छलखिन्ह. नेता... मंत्री सभ आबैत छलाह. आब खोजलों सं नहि मिलताह. पहिने जे कथा बिना सभागाछी के शास्त्रा...
दिल्लीक ताज पैलेस होटलमे 31 अगस्तक दिन आयोजित भव्य संगोष्ठी आ पुस्तक विमोचन समारोह मिथिला आ सम्पूर्ण भारतक सांस्कृतिक आ ऐतिहासिक चेतनाक दृष्टिकोण सं एकटा महत्वपूर्ण अवसर रहल। एहि आयोजनक मुख्य विषय छल 'भारतक आध्यात्मिक, सांस्कृतिक आ
लोकसभा चुनाव मे बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जीक जादू चलि गेल . विकास ओर जातीय गणित के मामला मे ओ सभ पर भारी पड़लाह . लालूजी आओर पासवानजी जे सोचि कांग्रेस सं तालमेल नहिं कएलाह ओ रणनीति सफल नहिं रहल . यूपीए के प्रमुख सहयोगी ई दुनु नेता सोचय छलाह जे बेसि सीट जीत ओ यूपीए के सरकार बनला पर मोलभाव करय के स्थिति मे रहलताह . मुदा दांव उल्टा पड़ि गेलन्हि . लालूजी केहुना क S चारि टा सीट जीत पएलाह . पासवानजी के त खातों नहिं खुलन्हि . पार्टी के सफाया भ गेल . आब जखन केंद्र मे एक बेर फेर सं यूपीए आबि गेल अछि . सभ सं बड़का सवाल ई अछि जे कि ई बिहार के लेल नीक अछि ? कि नीतीश के जीत बिहार के लेल एकटा बड़का हार अछि ? कि एहि बेर केंद्रीय मंत्रिमंडल मे बिहार के समुचित प्रतिनिधित्व मिलत ? कि पिछला सरकार मे जे काज शुरू भेल छल ओ चलैत रहत आ ओकरा पर ...
जाहि दिन सँ संविधानक अष्टम सूची मे मैथिली भाषाक नाम जुटल, हम सब अपना केँ गौरवान्वित महसूस कऽ रहल छी. बात इ गौरवक अछिहो. पूरा मिथिला आ मिथिलाक बाहरो जतऽ देखू ततऽ कार्यक्रमक आयोजन भेल. नवीन- नवीन मैथिली नामधारी संस्थाक उदय आओर मैथिल... मिथिला आ मैथिलीक विकासक चर्चा तऽ आम भऽ गेल. कियो मस्त छथि तऽ कियो मैथिली भाषाक विकासक चिन्ता सँ रोगग्रस्त. कतेक गोटय तऽ सामाजिक रूप सँ चिन्तित भऽ एना कहैत छथिन्ह जे कोशीक बाढ़ि सँ जतेक नुकसान नहि भेल ताहि सँ बेसी नुकसान मैथिली नहि बजला सँ होयत. जगह-जगह मंच सँ एक पर एक विद्वानक भाषणक संग किछु ललका कानवलाक कठहँसी सुनब, साधारण लोकक विवशता भऽ गेल. मातृभाषाक प्रति प्रेम कुनु खराबो बात नहि. संविधानो मे एकर विधान अछि जे प्रारंभिक शिक्षा मातृभाषा मे देल जाय. गजानन बाबू गामक प्रतिष्ठित... अवकाश प्राप्त शिक्षाविद छथि. अवकाश प्राप्त भेलाक पश्चात शहर छोड़ि, गामक स्थायी निवासी भऽ गेलाह संगहिं हुनके दलान पर चलय वला प्रायः अस्थायी चौपालक स्थायी सदस्य सेहो. बैसारी मे गजानन बाबू भरि दिनक अखबारी सूचना आ रेडियो-समाचारक आधार पर प्राप्त ज्ञान केँ साँझ होइतहिं, गामक लोकक बीच बँ...
बहुत बढ़िया
ReplyDelete---
चर्चा । Discuss INDIA
अहाँ जे हमरा अपन मिथिला के बारे में जानकारी दैत छि ताहि के हम आभार व्यक्त करैत छि
ReplyDeleteshailendrajha1985@gmail.com