नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

कृषि विद्यालय खुलत...


बिहार मे चरवाहा विद्यालय के जगह आब कृषि विद्यालय खुलत. एहि मे किसान भाई के खेती आओर कृषि पर आधारित अन्य रोजगार के ट्रेनिंग देल जाएत. राज्य भर मे एकरा लेल 534 कृषि विद्यालय खोलत जाएत. ई कृषि स्कूल हर ब्लॉक मे खोलय जाएत. एहि स्कूल के लेल कम सं कम ढ़ाई एकड़ जगह होबाक चाही. जगह उपलब्ध भs गेलाह पर ओहि स्कूल के सरकार तरफ सं पचास हजार रुपया देल जाएत. जेहि सं स्कूल मे पढ़ाई आओर कृषि ट्रेनिंग के सामान खरीदल जा सकत. एहि स्कूल मे खेती करय के संग खेती सं जुड़ल दोसर प्रशिक्षण मिलत. एहि मे मुर्गी पालन... मछली पालन ... डेयरी आओर पशुपालन सं जुड़ल प्रशिक्षण शामिल अछि. एहि मे ट्रेनिंग लेलाह के बाद किसान भाई लोकनि अपन- अपन इलाका मे जाs क अपन गाम के लोक सभ के आधुनिक ढंग सं खेती आओर पशुपालन करय के बारे मे बतयथिन्ह.

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु