जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

वरिष्ठ साहित्यकार श्री जगदीश मंडल जी के हुनक उपन्यास 'पंगु' लेल वर्ष 2021 केर मैथिली भाषाक साहित्य अकादमी पुरस्कार सं सम्मानित कएल जएबाक निर्णय भेल अछि। एहि सम्मान के लेल मंडल जी के हार्दिक बधाई आ शुभकामना। हिनकर उपन्यास 'पंगु' साल 1942-75 के बीच केर किसानक परिवेश पर आधारित अछि। ई उपन्यास साल 2018 मे छपल छल।



मैथिली भाषाक लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार भेटय के खबर मिलतहि जगदीश मंडल जी बधाई संदेश मिलय लगलन्हि। एक सम्मान पर प्रसन्नता व्यक्त करैत मंडल जी कहलाह जे ई मैथिली आ मिथिला लेल सम्मान बात अछि।

जगदीश जीक जन्म मधुबनी जिलाक बेरमा झंझारपुर गांव में 5 जुलाई, 1947 के भेल छलन्हि। साल 2001 के बाद साहित्य लेखन शुरू करि देलखिन्ह। अखन धरि 101टा सं बेसि उपन्यास, कविता संग्रह, कथा संग्रह आ नाटक छपि चुकल छैनि। एहि मे करीब 19टा उपन्यास शामिल छैनि। सैकड़ों के संख्या में हिनकर कथा-कहानी पत्र-पत्रिका मे प्रकाशित भ चुकल छैनि।

साहित्य अकादमी पुरस्कार से पहिने हिनका ‘गामक जिनगी लघु कथा संग्रह लेल ‘विदेह सम्मान- 2011, ‘गामक जिनगी व समग्र योगदान लेल साहित्य अकादमी सं ‘टैगोर लिटिरेचर एवार्ड- 2011, मिथिला मैथिलीक उन्नयन लेल साक्षर दरभंगा सं ‘वैदेह सम्मान- 2012, ‘नै धारैए उपन्यास लेल ‘विदेह बाल साहित्य पुरस्कार- 2014-15 मिल चुकल छैनि।


Comments

Popular posts from this blog

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

सभ सं लोकप्रिय मैथिली गीत ?

हमर विआह- 8

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

पूर्णिया मे सुखोई

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

केंद्र मे हारल बिहार...

नहि रहलाह मैथिली पुत्र प्रदीप

आब मैथिली मे गीता...