Popular posts from this blog
हमर विआह- 8
By
Unknown
श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...
पीएम सं पहिने सीएम के इंटर्नशिप?
By
Unknown
बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एकटा बड़ नीक सवाल उठा देलखिन्ह. नीतीश जीक कहनाए छनि जे राहुल गांधी के प्रधानमंत्री बनए सं पहिने कोनो राज्यक मुख्यमंत्री बनिs क राजनीति के अनुभव लेबाक चाही. नीतीश जीक कहनाए छनि कि पीएम सं पहिने सीएम बनला पर हुनका समझ मे अएतन्हि जे राज्य के चलाबए मे कोन तरहक परेशानी आबैत अछि. सीएम बनला पर ओ शासकीय गुर सीख सकय छथि. ओना नीतीश कुमार जीक एहि बयान के बाद कांग्रेस के प्रतिक्रिया सेहो आएल अछि. कांग्रेस के कहनाए अछि जे राहुल के कामयाबी सं नीतीश जी बौखलाह गेल छथिन्ह. राहुल जीक सभा मे भारी भीड़ जुटि रहल अछि. नीतीश जीक एहि बयान पर केतबो हो-हल्ला... बयानबाजी होए. अहां के कि लगैत अछि? कि राहुल गांधी के पीएम बनए सं पहिने सीएम बनबाक चाही? या डायरेक्ट पीएम ? नीतीश जीक मानल जाए त सियासी नॉलेज के लेल... प्रशासनिक...शासकीय गुर सीखल के लेल राहुल के सीएम के रूप मे इंटर्नशिप करि लेबाक चाही? अहांके कि लगैत अछि? Planning to marry? Register at Shaadi.com Matrimonial हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
सभ सं लोकप्रिय मैथिली गीत ?
By
Unknown
मैथिलीक सैकड़ों एहन गीत अछि जकरा सुनितहिं मन खुश भs जाएत अछि. मैथिली गीत सुनय मे जे अलौकिक आनन्द मिलैत अछि ओ कोनो आओर गीत मे नहि मिलि सकैत अछि चाहे ओ सुपरहिट मुम्बइया फिल्म के गीत किएक नहि होय. अहां सभ मैथिली गीत सुनैत होएब. कि अहां बता सकैत छी जे मैथिलीक सभ सं लोक प्रिय गीत कोन अछि ? ओहि गीत के अहां किएक सभ सं कर्णप्रिय मानैत छी ? अहां सभ के लेल ई सवाल कठिन नहि अछि. मुदा हमरा सन ओ सभ लोक जे गाम-घर मे नहि रहैत छथिन्ह... हुनका लेल ई सवाल बड़ महत्व राखैत अछि. अहां के एहि सवाल के जवाब सं कतेक लोक के कई तरहक गीत के बारे मे जानय लेल मिलतन्हि. अहांक पसंद के बाद लोक सभ सेहो ओहि गीत के सुनय के कोशिश करताह. त देर नहि करू. झट द मैथिलीक सभ सं लोकप्रिय गीत के नाम कमेंट वाला लिंक के क्लिक क लिख भेजु. कमेंट वाला मे कोनो परेशानी होए त ओहि मे बॉक्स के ऊपर मे एकटा आओर लिंक अछि Comment ओकरा क्लिक कs अपन जवाब लिखु. अगर ओना नहि करय चाहय छी त अहां अपन पसंदक गीत के नाम लिखि हमरा hellomithilaa@gmail.com पर मेल क s दिअ. धन...
बिहार लोक सेवा आयोग परीक्षा
By
Unknown
विजय देव झा जीक लेख
By
Unknown
रांची सं प्रकाशित ' द पायनियर' पेपर मे कार्यरत श्री विजय देव झा जीक लेख... Which Kosi playing disaster? Natural Kosi or political Kosi - Vijay Deo Jha Every time flood takes toll on the life of people and the both central and state governments affirm to take a decisive actions to control the flood. Things go on like that and we the people of Mithilanchal prepare ourselves for the next calamity. It is no time of chest beating or staging Rudali. We the people of this proud region live in amnesia. We tend to forget the injustice partiality the political party played with us. We do not have qualm if our Mithilanchal is being trampled and kept backward for some political and PERSONAL GRUDGE. If I am not wrong and kindly correct if there is some discrepancy in the fact that the then British Government had planned for an effective embankment of the river Kosi and created a corpus of Rs. 50 Crores for that. The project was shelved during the rule of Pandit Nehru. The s...
सौराठ सभा 24 जून सं...
By
Unknown
शादी-विआह के लेल मिथिलाक मशहूर सौराठ सभा 24 जून सं शुरू होए वाला अछि. सौराठ सभा 2 जुलाई तक चलत. सौराठक सभागाछी मधुबनी के पास अछि. मधुबनी सं रहिका जाए के रास्ता मे. मधुबनी सं करीब 6 किलोमीटर दूर. मधुबनी सं बस... जीप... मैक्सी आ फेर रिक्शा सं सेहो जा सकय छी. दरभंगा सं एहिठाम अहां रहिका भs जयनगर जाए वाला बस... कोच सं या दरभंगा-रहिका के बीच चलय वाला मैक्सी सं जा सकय छी. पहिने सौराठ सभा के एहि सभागाछी मे खुब रमन-चमन रहय छल. हमर गाम दरभंगा सं रहिका जाए के रास्ता मे अछि. हमरा याद अछि जे आई सं 15-20 साल पहिने धरि एहिठाम लगन भरि मेला जकां माहौल रहैत छल. दूर-दूर सं लोक आबैत छलखिन्ह. सरकारक तरफ सं विशेष रूप सं सभागाछी जाए लेल स्पेशल बस चलाएल जाएत छल. चारु कात रेशमी कुर्ता... ललका धोती... ललका पाग पहिनने... हाथ मे बेंत आओर पान चबाबैत लोक. दुनिया भर मे रहय वाला मैथिल ब्राह्मण शादी के लेल एहि ठाम आबैत छलाह. एहिठाम दूल्हा के संग हुनकर परिवार के लोक सभ आबि सभागाछी मे आमक गाछक नीचा बैसय छलाह. कन्या ...
सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल
By
Unknown
मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...
अहां केना सहैत होएब ?
By
Unknown
इंस्टिट्यूटक आखिरी दिन छल... कॉन्वोकेशन मे शामिल अठाइसो स्टुडेंट... स्टुडेंट नहि जर्नलिस्ट कहिऔ...बड़ खुश छलखिन्ह...कॉन्वोकेशन केर बाद भेल पार्टी मे कई अखबारक एडिटर... बड़का-बड़का पत्रकार... मंत्री... नेता... अधिकारी... आओर दिल्ली मे रहय वाला पत्रकार सभ अपन-अपन दोस्त... परिवार के संग आएल छलाह. सभ एक-दोसरा सं मिल रहल छलाह... नाचि-गा रहल छलाह... खा-पीब रहल छलाह. हमहुं किनको सं गप करय मे बिजी छलहुं...कि मिताली आबि कहलीह, “हाय हितेंद्र, हिनका सं मिलु... हमर कजिन तान्या...फाइनल ईयर मे छथीह” घर पर अक्सर अहांक आओर दोसर फ्रेंड सभ के बारे मे गप होएत रहैत अछि. मुदा ई अहां सं किछ बेसि प्रभावित छथीह कि आखिर हितेंद्र मे कि छनि जे हम एतेक तारीफ करैत रहय छिएन्हि...लिअ आई खुद मिलि लिअ...एतेक कहि ओ तान्या के हमरा पास छोड़ि दोसर लोक सभ सं मिलए-जुलए लगलीह. तान्या! अहा कि कहल जाए. हम देखतहि रहि गेलहुं. जेना कोनो फिल्मी हीरोईन... जेना कोनो स्वर्गक अप्सरा साक्षात हमरा आगां ठाड़ होतहि. सुन्दरता के जतेक प्रसंशा कएल जाए कम होएत... गोर खिलल-खिलल चेहरा... एकटा अलगे लालिमा लेने... जेना दूध मे सिंदूर मिला द...
कि इहे सभागाछी अछि ?
By
Unknown
मधुबनी के पास सौराठ मे आई काल्हि सौराठ सभा चलि रहल अछि. लोक सभ एहि सभा के सभागाछी के नाम सं जानैत छथिन्ह. पहिने अगर अहां भूलल-भटकलों मधुबनी आ रहिका चलि जएतहुं त पता चलि जाएत जे लगनक टाइम आबि गेल अछि... आओर सभागाछी मे सभावास चलि रहल अछि. बस स्टैंड... रेलवे स्टेशन... रिक्शा... टेम्पो पर... चारुकात कतहुं देखु... लाल-लाल धोती... चमकैत रेशमी आ मलमल के कुर्ता... ललका पाग... मुंह मे पान... हाथ मे बेंत संग कथा-वार्ताक गप मे लीन लोक मिलि जाएत छलाह. गपक विषय बस एकेटा... फलां बाबू के एतेक मे तय भेलन्हि त फलां बाबू के ओतेक मे. फलां बाबू किछ ओर धीरज रखतथिन्ह त आओर कम मे कथा तय भ जएतन्हि. ओ त धरफरा गेलाह. फलां बाबू ठका गेलाह. हुनका अपन बात पर अड़ल रहबाक चाही छलन्हि. नहि जाने कि कि... पहिने जे बात के पता पांच-सात किलोमीटर दूरहिं सं चलि जाएत छल. आई अहां सौराठ गाम सं घुमिओ कs चलि आएब त पता नहि चलत जे आई-काल्हि सभावास चलि रहल अछि. पहिने गाजा-बाजा के संग उद्घाटन होएत छल. बिरादरी के पैघ-पैघ लोक जुटए छलखिन्ह. नेता... मंत्री सभ आबैत छलाह. आब खोजलों सं नहि मिलताह. पहिने जे कथा बिना सभागाछी के शास्त्रा...
Comments
Post a Comment