नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

प्रसिद्ध मैथिली नाटककार महेंद्र मलंगिया जी एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित भेलाह। मलंगिया जी के रविदिन, 18 सितंबर के नेपालक राजधानी काठमांडू मे ‘हरिप्रसाद कल्याणी रिमाल नाट्यसंगीत पुरस्कार सं सम्मानित कयल गेलन्हि। मैथिली भाषा साहित्य नाट्यसर्जक आ निर्देशक महेंद्र मलंगिया जी मधुबनी जिलाक मलंगिया गाम के रहय वाला छथिन्ह। हिनका एहि सं पहिने मैथिली भाषाक प्रतिष्ठित प्रबोध सम्मान, पाटलिपुत्र सम्मान, विद्यापति सेवा संस्थान सम्मान, रंग रत्न उपाधि

आओर वैदेही पुरस्कार के संग कइटा पुरस्कार सं सम्मानित भ चुकल छथिन्ह। एहि पैघ सम्मान प्राप्त करबा लेल मलंगिया जी के बहुत रास बधाई आ शुभकामना।





सभ फोटो- ऋषि कुमार झा मलंगिया

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु