बिहार सं एकटा आओर करोड़पति


कौन बनेगा करोड़पति मे बिहार सं एकटा आओर करोड़पति बनलाह.हफ्ता भर मे दू दूटा करोड़पति.

पंचकोटि महामनी मे एहि बेर करोड़पति बनलाह पटना के गर्दनीबाग के अनिल कुमार सिन्हा जी.

अनिल कुमार सिन्हा जी कोलकाता में यूनियन बैंक ऑफ इंडिया मे
मैनेजर छथिन्ह.

एहि सं पहिने चंपारण के सुशील कुमार जी पांच करोड़ रुपया जीत चुकल छथिन्ह.

सुशील कुमार जीक प्रसारण अहां आई एक नवंबर के सोनी टीवी पर देख सकय छी.

सुशील कुमार जी पांच करोड़ रुपया जीतय वाला पहिल लोक छथिन्ह.

भारत मे एतेक पाई कोनो गेम शो मे किनको नहि भेटल छनि.

एहि तरहे कहि सकय छी जे सुशील कुमार जी एकटा रिकॉर्ड सेहो बनएलाह.

सुशील कुमार जी कम्प्यूटर ऑपरेटर के काज करय छथिन्ह संगहि-संग ट्यूशन सेहो पढ़ाबय छथिन्ह.
आब ओ आईएएस के तैयारी करय चाहय छथिन्ह.

सुशील कुमार जीक तुरंत बाद अनिल कुमार जीके एक करोड़ रुपया जीतनाय बिहार के लेल गर्वक गप अछि.

अनिल जी के पास सेहो पांच करोड़ रुपया जीतए केर मौका छलन्हि और हिनका पास लाइफलाइल सेहो बाचल छलन्हि डबल डिप के.

मुदा अनिल जीके ओहि सवाल मे डबल डिप के चांस लs जीतल करोड़ रुपया गंवाबय नहि चाहए छलखिन्ह.

ओ पांच करोड़ के आखिरी सवाल मे खेल सं बाहर भ गेलखिन्ह, एहि तरहे ओ एक करोड़ जीतय मे कामयाब रहलाह.

अनिल जीक कौन बनेगा करोड़पति 9 नवंबर के सोनी टीवी पर आएत.

Comments

Popular posts from this blog

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर विआह- 8

हमर विआह-6

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

बिहार के एकटा आओर सम्मान

हमर विआह-10

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

हमर विआह-9

किछ हरायल शब्द

हमर विआह 3 ( तेसर कड़ी )