कतहुं पानि... कतहुं सूखा...

नेपाल मे भs रहल मूसलाधार पानि सं कोसी के जलस्तर बढ़ि गेल अछि. लोक के कहनाय अछि जे एतेक पानि त पिछला साल तखनो नहि छल... जखन बाढ़ि आएल छल. नदी के जलस्तर के बढ़ैत देखि सरकार कोसी क्षेत्र के सभ अधिकारी आओर प्रशासन के सतर्क करि देलक अछि.  इंजीनियर सभ सं सेहो चौबीसों घंटा निगरानी करय के लेल कहि देल गेल अछि.  बाढ़िक खतरा देखैत लोक सभ सेहो एहि बेर किछ बेसिए सतर्कता बरति रहल छथि.  लोक सभ आपात स्थिति के लेल राशन-पानिक जोगाड़ करय मे लागि गेल छथिन्ह.  सावन के एहि मास मे बाबा भोलेनाथ के सेहो पूजा-पाठ करि रहल छथिन्ह.   भगवान सं प्रार्थना करि रहल छथिन्ह जे पिछला साल जकां तबाही  एहि साल नहि  दिखबिअह  हे  भोलेनाथ.
मुदा अहां एकरा कि कहबय जे जतय एकटा इलाका पर बाढ़ि के संकट अछि ओतय मिथिला... बिहार के एकटा बड़का इलाका सूखा के चपेट मे अछि.  खेत मे दरार फाटि रहल अछि.  फसल जरि रहल अछि.  लोक के सामने खाए-पिबय के संकट उत्पन्न भ रहल अछि.  पानि नहि भेल त खेती केना होएत आओर जीवन केना कटत.  सिंचाई के लेल सरकार के तरफ सं ग्रामीण इलाका मे बिजली देबय के बात कहल गेल अछि.  मुदा अखनो कतेक एहन गाम अछि जतय बिजली के पोल तक नहि गड़ल अछि.
हमर गाम मे करीब 35- 40 साल पहिने बिजली आएल छल.  मुदा ओकर बाद आस- पास के गाम मे अखन धरि पोल तक नहि लागल अछि.  गाम मे ब्लॉक... अंचल कार्यालय...  थाना...  अस्पताल...  बैंक...  टेलीफोन एक्सचेंज...  पोस्ट ऑफिस सभ अछि.  मुदा एक किलोमीटर भीतर के दोसर गाम सभ मे अखन धरि बिजली नहि पहुंचल अछि.  आजादी के एतेक वर्ष बाद एकरा कोन विकास कहबय?


Share/Save/Bookmark

हमर ईमेल:- hellomithilaa@gmail.com

Comments

  1. कतय गेल पैन आ कतय गेल मेघ सब ईहा कहैत छल , मुद्द इंद्र देव के मेहरबानी किच्छ और देखल , घर से बहार खाली पैन भेटल , कतेक रोड जम आ कतेक लोक परेशान , जुनी पुछू की भेल हमर सबहक हल ,
    देल्ही आ एन सी आर के हाल त बहुत खराप अछी , नॉएडा सेक्टर ५८ विशुन पूरा गाव में बारिस के कर्ण दीवाल खसल ताही से 11 ब्य्क्ती के मोंत भगेल आ 5 बय्क्ती घायल अवस्था में हॉस्पिटल में भरती छैथ ,
    मदन कुमार ठाकुर
    नॉएडा -

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

कि कि नहि कराएत ई बाढ़ि... ki ki nai karaait ee baarhi

ऑर्कुट-मैं हूं ना

मिथिला बिन बिहार आ बिहार बिन देशक विकास संभव नहि- नीतीश

मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल के भेल रंगारंग शुरुआत

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश