नेपाल मे भs रहल मूसलाधार पानि सं कोसी के जलस्तर बढ़ि गेल अछि. लोक के कहनाय अछि जे एतेक पानि त पिछला साल तखनो नहि छल... जखन बाढ़ि आएल छल. नदी के जलस्तर के बढ़ैत देखि सरकार कोसी क्षेत्र के सभ अधिकारी आओर प्रशासन के सतर्क करि देलक अछि. इंजीनियर सभ सं सेहो चौबीसों घंटा निगरानी करय के लेल कहि देल गेल अछि. बाढ़िक खतरा देखैत लोक सभ सेहो एहि बेर किछ बेसिए सतर्कता बरति रहल छथि. लोक सभ आपात स्थिति के लेल राशन-पानिक जोगाड़ करय मे लागि गेल छथिन्ह. सावन के एहि मास मे बाबा भोलेनाथ के सेहो पूजा-पाठ करि रहल छथिन्ह. भगवान सं प्रार्थना करि रहल छथिन्ह जे पिछला साल जकां तबाही एहि साल नहि दिखबिअह हे भोलेनाथ.
मुदा अहां एकरा कि कहबय जे जतय एकटा इलाका पर बाढ़ि के संकट अछि ओतय मिथिला... बिहार के एकटा बड़का इलाका सूखा के चपेट मे अछि. खेत मे दरार फाटि रहल अछि. फसल जरि रहल अछि. लोक के सामने खाए-पिबय के संकट उत्पन्न भ रहल अछि. पानि नहि भेल त खेती केना होएत आओर जीवन केना कटत. सिंचाई के लेल सरकार के तरफ सं ग्रामीण इलाका मे बिजली देबय के बात कहल गेल अछि. मुदा अखनो कतेक एहन गाम अछि जतय बिजली के पोल तक नहि गड़ल अछि.
हमर गाम मे करीब 35- 40 साल पहिने बिजली आएल छल. मुदा ओकर बाद आस- पास के गाम मे अखन धरि पोल तक नहि लागल अछि. गाम मे ब्लॉक... अंचल कार्यालय... थाना... अस्पताल... बैंक... टेलीफोन एक्सचेंज... पोस्ट ऑफिस सभ अछि. मुदा एक किलोमीटर भीतर के दोसर गाम सभ मे अखन धरि बिजली नहि पहुंचल अछि. आजादी के एतेक वर्ष बाद एकरा कोन विकास कहबय?
हमर ईमेल:- hellomithilaa@gmail.com
कतय गेल पैन आ कतय गेल मेघ सब ईहा कहैत छल , मुद्द इंद्र देव के मेहरबानी किच्छ और देखल , घर से बहार खाली पैन भेटल , कतेक रोड जम आ कतेक लोक परेशान , जुनी पुछू की भेल हमर सबहक हल ,
जवाब देंहटाएंदेल्ही आ एन सी आर के हाल त बहुत खराप अछी , नॉएडा सेक्टर ५८ विशुन पूरा गाव में बारिस के कर्ण दीवाल खसल ताही से 11 ब्य्क्ती के मोंत भगेल आ 5 बय्क्ती घायल अवस्था में हॉस्पिटल में भरती छैथ ,
मदन कुमार ठाकुर
नॉएडा -