एहि बेर के लोक सभा चुनाव मे लोक सभ ई साबित कs देलखिन्ह कि हुनका बुड़बक नहिं बनाएल जा सकैत अछि. बेसि देर तक ठगल नहिं जा सकैत अछि. ओ राजनीतिक रूप सं जागरूक छथि. सजग छथि. हुनकर देश -दुनिया पर नजर छनि. ई जरूर छल जे एहि बेर वोट किछ कम पड़ल मुदा जे पड़ल ओ लोक के भीतर के गुस्सा के परिचायक बनल. एहि सं पहिने इहो देखल जाएत छल जे चुनाव मे बाहुबली नेता सभ के बोलबाला रहैत छल. बूथ कैप्चरिंग सं होए... डराबय- धमकाबय सं होए... ताड़ी-दारु पिआबय सं होए आ पाई -ढौआ देबय सं होए ओ सीट जीत जाएत छलाह. मुदा एहि बेर कई तरहक सख्ती के कारण बाहुबली नेता सभ चुनाव प्रक्रिया सं करीब- करीब दूरे रहलाह.
आओर एहि बेर बाहुबली नेता सभ अपने नहिं ठाड़ भेलाह तं पत्नी के टिकट दिलबा देलखिन्ह. पप्पू यादव के देखऔ . हिनकर मां आओर पत्नी दुनु चुनाव मैदान मे छलीह. मुदा लोक हिनका नकारि देलखिन्ह. लाठी के बल पर कहिआ तक राजनीति करब. पप्पू यादव के पत्नी रंजीता रंजन सुपौल सं ठाड़ छलीह . हिनका जेडीयू के विश्वमोहन कुमार सं हार के मुंह देखय पड़लन्हि. हिनके जका पप्पूजी के मां शांति प्रिया पूर्णिया सं निर्दलीय चुनाव मैदान मे छलीह मुदा जीत हिनका सेहो नहिं मिललन्हि पप्पूजी जकां मिथिलांचल के एकटा आओर बाहुबली नेता छथिन्ह आनन्द मोहन. हिनकर पत्नी लवली आनंद सेहो शिवहर सं चुनाव लड़ि रहल छलीह. मुदा बीजेपी के रमा देवी के सामने हिनकर किछ नहिं चललन्हि.
रामविलास पासवान जीक पार्टी के बाहुबली नेता सूरजभान सिंह सेहो अपन पत्नी वीणा देवी के ठाड़ कएने छलखिन्ह नवादा सं. मुदा ओहो हारि गेलीह.
ओना एहि हिसाब सं देखल जाए त बिहार मे बाहुबली के हार मे सभ सं बड़का हार मो. शहाबुद्दीन के अछि. कहल जाएत छल सिवान मे शहाबुद्दीन के सिक्का चलैत अछि. शहाबुद्दीन के मर्जी के बिना पत्ता नहिं खरकैत अछि. मुदा आरजेडी के ई बाहुबली सांसद जखन अपने नहिं लड़ि पएला त अपन पत्नी हेना शहाब के ठाड़ क देलखिन्ह. हिनका जीताबय लेल पार्टी प्रमुख लालू यादवजी एड़ी-चोटी के जोर लगा देलखिन्ह. मुदा ओ अपने केहुना कs एक ठाम सं जीत पएलाह. एहि ठाम सं निर्दलीय ओमप्रकाश यादव जीतय मे कामयाब रहलाह. शहाबुद्दीन के तिस्लिम तार- तार भ गेल.
एहि लेल अहां कहि सकय छी जे एहि बेर लोक साफ -सुथरा काज करय वाला लोक के वोट देलखिन्ह. ओ साफ क देलखिन्ह कि पब्लिक सभ जानैत अछि. अहां पब्लिक के बेसि देर तक आंखि मे धूल नहिं झोंकि सकय छी. त जय हो मतदाता राजा के. असली किंग मेकर के.
NAMASKAAR ,
जवाब देंहटाएंham ahan,k baat s,a sahmat chhi . ehi ber MATDATA lokani sach me sahi-aa-satik nirnay lebaak koshish kaylani. ehi,k lel JANTA lokain DHANYAWAAD KE patra chhati.
prabandha
Dhanyawad Prabhandh jee> Baahubali ke sabak seekhaabai ke maamla me ehi ber ke chunaav ekta misaal bani jaayat... aur aagaa seho lok aapraadhik pravriti ke neta ke ehina sabak seekhaaot
जवाब देंहटाएंshukriya