Skip to main content

किएक पड़ल वोट कम ?

नक्सली हमला छोड़ि देल जाए त अखन तक बिहार मे मतदान शांतिपूर्ण रहल अछि. पहिल आओर दोसर चरण के 13 -13 लोकसभा क्षेत्र के लेल वोटिंग भs गेल अछि. मिथिलांचल के करीब-करीब आधा इलाका मे वोट पड़ि गेल अछि. मुदा अखन धरि जे वोट पड़ल अछि ओहि सं सवाल ई उठैत अछि जे एतेक कम वोट किएक पड़ल ? एकर कारण कि अछि ? पहिल चरण मे 46 प्रतिशत वोट पड़ल जखन कि दोसर मे सिर्फ 44 फीसदी लोक अपन मताधिकार के इस्तेमाल कएलाह. पप्पू पास नहिं भेल ? एतबा वोट किएक पड़ल? मतदाता जागरण अभियान चलल... वोट देबय लेल लोक के जागरूक कएल गेल. तखनो ई हाल ? जखन कि आब वोट गिराबय लेल ओतेक डरि नहिं रहि गेल. हर बूथ... संवेदनशील इलाका मे सुरक्षा के नीक प्रबंध कएल गेल छल. बूथ कब्जा होए के सेहो डर आब कम भs गेल अछि. दोसर के वोट गिरानाय आई काल्हि कठिन भs गेल अछि. फेर लोक वोट देबय लेल घर सं बाहर किएल नहिं निकललाह ?
मतदान के कम होए के लेल कइटा कारण बताएल जा रहल अछि. किछ लोकक कहनाय छनि जे वोट के लेल ई मौसम नीक नहिं अछि. एतेक गर्मी मे रौद मे ठाड़ भs वोट देबय लेल अपन बारी के इंतजार करनाय नीक नहिं. एकटा वोट देबय लेल किएक बीमार पड़ु. जतेक वोट नहिं देब ओतेक के दवा-दारु करय पड़त. छुट्टी के दिन लोक दलान पर बैसि ताश खेलय मे लागल रहलाह आ गप्प मारैत रहलाह. किछ दुपहरिया मे बाहर निकलय सं बचय लेल खाट... सफरी पर पड़ि रहलाह. कईठाम लोक के कहनाय छलनि जे कतेक देर ठाड़ रहलाह के बाद जखन नंबर आएल त लिस्ट मे नामे गलत होबाक कारणे वोट नहिं दs पएलहुं. किछ लोक के त इहो कहनाय छनि जे आरजेडी-एलजेपी आओर कांग्रेस के एक दोसरा के खिलाफ लड़य के कारण किछ लोक संशय मे पड़ि वोटे देबय नहिं पहुंचलाह. मधुबनी मे त कांग्रेस के शकील अहमद जी के खिलाह आरजेडी के अब्दुल बारी सिद्दीकीजी के ठाड़ करय सं सेहो किछ मतदाता खिसियाएल छलाह. कहय वाला लोक त इहो कहय छथिन्ह जे पहिने मतदाता पत्र सं वोटिंग होए छल त एकमुश्त वोट छापल जाए छल मुदा आब ईवीएम मशीन... चुनाव आयोग के सख्ती आओर लोक के जागरुक होए के कारण बूथ कैप्चरिंग आसान नहिं रहि गेल अछि. एहि सं जे असल वोट छल सेहे पड़ल अछि. एहि तर्क मे सेहो किछ दम अछि.
ओना जे कहिऔ बिहार मे वोट कम पड़य के एकटा आओर सभ सं महत्वपूर्ण कारण ई अछि जे आब लोक गाम - घर मे रहैत कहां छथिन्ह. बिहार के कोनो गाम घर मे जाउ. हर घर - परिवार सं दु चारि टा लोक दिल्ली... पंजाब... हरियाणा... असम... मुम्बई त कोलकाता मे छथिन्ह. विद्यार्थी सभ सेहो पढ़ाई- लिखाई लेल दिल्ली... बंगलौर... पूणे ...कोटा के रूख कएने छथि. जखन बेसि लोक काम -काज... पढ़ाई-लिखाई लेल गाम-घर सं बाहरे छथिन्ह त फेर वोट के देथिन्ह. आओर जखन वोट नहिं देथिन्ह त प्रतिशत त कम होएबे करत. कि कहबाक अछि अहां के ?
Bookmark and Share Subscribe to me on FriendFeed Add to Technorati Favorites



TwitIMG

Comments

  1. आजादी के बाद सँ मिथिला केर अपमान।
    लोक ठगायल सब दिन कारण कम मतदान।।

    सादर
    श्यामल सुमन
    09955373288
    मुश्किलों से भागने की अपनी फितरत है नहीं।
    कोशिशें गर दिल से हो तो जल उठेगी खुद शमां।।
    www.manoramsuman.blogspot.com
    shyamalsuman@gmail.com

    ReplyDelete
  2. नीक लालग । हं गाम पर नई रहथिन्ह त वोट केना देथिन्ह ।

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...