मिथिला बिन बिहार आ बिहार बिन देशक विकास संभव नहि- नीतीश

जेना बिहारक विकास बिना देशक विकास संभव नहि अछि, तेहिना मिथिलाक विकास बिना बिहारक विकास संभव नहि अछि। ई कहनाय छलन्हि बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जीक। नई दिल्ली के तालकटोरा इंडोर स्टेडियम मे अखिल भारतीय मिथिला संघक स्वर्ण जयंती कार्यक्रम मे
नीतीश कुमार जी कहलखिन्ह जे हम मिथिला क्षेत्र के विकास आओर एकर भाषा, कला, संस्कृति आओर समृद्ध इतिहासक प्रचार-प्रसार के हरसंभव कोशिश करब। ओ मां जानकी केर जन्मस्थली सीतामढ़ी जिलाक पुनौराधाम के विकसित करय के भरोस सेहो देलखिन्ह।

मुख्यमंत्री जीक इहो कहनाय छलन्हि जे दरभंगा आ पूर्णिया एयरपोर्ट के विस्तार क एहि ठाम सं जल्दीए हवाई सेवा शुरू कएल जाएत। एहि लेल टर्मिनल निर्माणक काज शुरू भ रहल अछि। हुनकर कहनाय छलन्हि जे पटना हवाई अड्डे पर बनि रहल नवका टर्मिनल के इंटीरियर मिथिला पेंटिंग सं सुशोभित रहत। नीतीश जीक भाषण के खास बात ई रहल जे करीब-करीब हुनकर पूरा भाषण मैथिली मे छल।

अखिल भारतीय मिथिला संघक एहि स्वर्ण जयंती कार्यक्रम मे पुरी पीठाधीश्वर शंकराचार्य श्री निश्चलानंद सरस्वती जी महाराज, केंद्रीय गृहमंत्री राजनाथ सिंह, लोकसभा अध्यक्ष सुमित्रा महाजन, राज्यसभा सांसद प्रभात झा, दरभंगा सं सांसद हुकुमदेव नारायण संग कइटा गणमान्य लोक मौजूद छलाह।

सांस्कृतिक कार्यक्रम मे उदित नारायण जी आओर कुंज बिहारी मिश्र जीक संग दोसर कलाकार के गीतनाद पर लोक सभ झूमैत रहलाह। खचाखच भर तालकटोरा स्टेडियम के अखिल भारतीय मिथिला संघक एहि स्वर्ण जयंती कार्यक्रम मे दिल्ली एनसीआर के संग कई दोसर राज्य सभ सं हजारों लोक सभ आएल छलाह। देखु फोटो-
















Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

केंद्र मे हारल बिहार...

फेर अगुआ बनत बिहार

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)