एडुसेट सं जुड़ल मिथिला विश्वविद्यालय

ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय एडुसेट सं जुड़ि गेल अछि. बिहार में एडुसेट... एजुकेशन थ्रू सेटेलाइट सं जुड़य वाला मिथिला विश्वविद्यालय पहिल विश्वविद्यालय भs गेल अछि. एकरे संग ई देश के 49वां विश्वविद्यालय अछि जतय सेटेलाइट इंटरेक्टिव टर्मिनल... एसआईटी के जरिए पढ़ाई कएल जा सकय अछि. एसआईटी के माध्यम सं सेटेलाइट सं लिंक जोड़ल जाइत अछि . विश्वविद्यालय के स्नातकोत्तर जन्तु विज्ञान विभाग में इसरो के मदद सं एसआईटी के सुविधा उपलब्ध करायल गेल अछि . अखन देश में ई सुविधा सभ आईआईटी. केन्द्रीय विश्वविद्यालय आओर बड़का मेडिकल संस्थान के पास अछि . स्थानीय एसआईटी के प्रभारी स्नातकोत्तर जन्तु विज्ञान विभाग के रीडर एम. निहाल जी के बनाओल गेल अछि . करीब ढ़ाई साल पहिने जखन पूर्व राष्ट्रपति डॉ एपीजे अब्दुल कलाम दरभंगा डब्ल्यूआईटी... महिला प्रौद्योगिकी संस्थान के उद्धाटन करय आएल छलाह तखने कहने छलथिन्ह जे ओ एहिठाम एसआईटी के सुविधा देखय चाहैत छथिन्ह. हुनकर प्रयास सं इसरो एहिठाम सभ काज तेजी सं आओर बिना पाई के उपलब्ध करौलक अछि. आब मिथिला विश्वविद्यालय देश के सभ बड़का संस्थान सं जुड़ि गेल अछि. एकर फायदा सिर्फ विद्यार्थी आओर शिक्षके टा के नहिं मरीज सभ के सेहो मिलत.

Comments

  1. हितेन्द्र भैया, कईसे हव
    हमका मैथिली तो आवत नाहीं सोचेन की अपने गाँव की ज़बान म सलाम करत चलन
    असद (तुमरे पुराने दफ्तर वाले)

    ReplyDelete
  2. चलु ई त बड बढियां समाचार भेल. आब अप्पन छोट भाई सब के दसवीं के बाद पढ़ाई के लेल पटना आ दिल्ली नै जे पडत. मधुबनी आ दरभंगा में रहियो के बच्चा सब निम्मन पढ़ाई कैर पैत.

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

हमर विआह- 8

हमर विआह-9

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

हमर विआह-11

जय हो...

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल मे श्लोका (एम टीवी 'हसल' फेम) केर रैप शो

Sri Sri addresses former Nobel Peace laureates