नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल मे श्लोका (एम टीवी 'हसल' फेम) केर रैप शो

मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल एकटा उत्सव अछि, एकटा एहन उत्सव जाहिमे लाल, पियर, हरियर, गुलाबी सभ रंगक सामंजस्यता अछि। किएक हमरा सभ जाहि समाजमे रहैत छी एकर यएह विशेषता अछि तेँ लोक-वेद, शास्त्रीय परम्परा सँ ल' क' आजुक नब आ आधुनिक गीत-संगीतक शैली रैप धरिक रस एहिमे संहियायल अछि।

बाबा यात्री कहैत छथि "नवतुरिये आबओ आगाँ"। हमरा सभ एहने नवतुरियाक रैप लाइव सुनब आ देखब जे किछुए दिन पहिने देस-दुनिया धरि अपन नामक डंका पीट चुकल छथि।

मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवलक एहि शुभ संध्यामे सभ गोटेक स्वागत अछि।

स्थान : राजनगर, नौलखा कैम्पस
तिथि : 27 दिसम्बर 2019
समय : 5 बजे साँझ सँ।

देखु वीडियो-

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु