हकार...दिल्ली मे रविदिन मैथिली साहित्य महासभाक कार्यक्रम

दिल्ली के कंस्टीट्यूशन क्लब मे रवि दिन 21 फरवरी के तीन बजे सं सांझ छह बजे तक मैथिली साहित्य महासभा के ओर सं मैथिली साहित्यक वर्तमान परिदृश्य पर संगोष्ठी के आयोजन कएल गेल अछि.

कंस्टीट्यूशन क्लब, रफी मार्ग पर पटेल चौक आ केंद्रीय सचिवालय मेट्रो स्टेशन के पास अछि एहि लेल अहां सभ के आबय मे कोनो परेशानी सेहो नञि होएत.

संयुक्त राष्ट्र संघ के तरफ सं 21 फरवरी के अंतर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवस घोषित करला के
बाद सं मैथिली साहित्य महासभा के ई दोसर वार्षिक संगोष्ठी अछि. एहि बेरक चर्चा के विषय अछि मैथिली साहित्यक वर्तमान परिदृश्य . एहि संगोष्ठी मे कइटा मैथिल विद्वान शामिल होएताह आओर अपन विचार रखताह. संगोष्ठी मे दिल्ली- एनसीआरे टा नहि बिहार सं सेहो लोक सभ आबि रहल छथिन्ह.



मैथिली साहित्य महासभा के एहि कार्यक्रमक अध्यक्षता प्रबोध साहित्य सम्मान से पुरस्कृत रविन्द्रनाथ ठाकुर जी करताह. हिनका संग साहित्य अकादमी के प्रतिनिधि देवेश चन्द्र देवेश, महेंद्र मलंगिया जी... साहित्य अकादमी पुरस्कार सं सम्मानित गंगेश गुजन, रमभरोस कापड़ी भ्रमर, देवशंकर नवीन, डॉ मंजर सुलेमान, पंकज पराशर आओर निवोदिता मिश्रा झा जी सेहो अपन विचार रखताह.

हिनका सभक संग मैथिली भोजपुरी अकादमी दिल्ली सरकार के उपाध्यक्ष कुमार संजॉय सिंह जी सेहो मौजूद रहताह.

कार्यक्रमक समाप्ति पश्चात जलपानक व्यवस्था सेहो अछि.

Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

आईबीएम मे जॉब... पाठकक पत्र

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

दरभंगा महाराज केर मूर्ति सं छेड़छाड़

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा