PICS: दिल्ली मे सिया के बारात मैथिली विवाह गीत लांच

दिल्ली के मैलोरंग रेपर्टरी मे युवा गायिका प्रीति सुमनजीक मैथिली म्यूजिक डीवीडी एलबम 'सिया के बारात' लांच भेल.

गायिका-गीतकार प्रीति सुमन जीक मैथिली विवाह गीतक म्यूजिक एलबम के लांच कएलखिन्ह वरिष्ठ पत्रकार सतीश वर्मा जी. सतीश वर्मा जी एहि अवसर पर सुमनजी के अपन
शुभकामना देलखिन्ह आ एहि क्षेत्र मे कामयाबी के कामना करलखिन्ह.

सतीश जीक  कहनाए छलन्हि जे कंपीटीशन के आजुक माहौल मे मैथिली गीत-संगीत अपन गरिमा आ स्तर बनौने अछि ई पैघ गप अछि.

रंग संस्कृतिक सुपरिचित संगठन मैलोरंग के दिल्ली ऑफिस मे भेल एहि लांच समारोह मे निर्देशक प्रकाश झा जी सेहो उपस्थित छलाह. प्रकाशजी सुमनजीक अखन तक के संगीत यात्रा पर प्रकाश डाललखिन्ह.

प्रीति सुमन जीक एहि म्यूजिक डीवीडी के निर्माता छथिन्ह गजेन्द्र मोहन प्रसाद जी और संगीत प्रबंधक छथिन्ह अरविंदर सिंह जी. एहि 'सिया के बारात' मैथिली विवाह गीत मे आठटा गीत अछि.

मिथिला मे शादी- विवाह के समय गायल जाए वाला एहि गीत सभ के लोकप्रिय होए मे बेसि समय नहि लागत. प्रीति जीक मधुर आवाज सं गीत मे एकटा नवका जान आबि गेल अछि.

ई म्यूजिक सीडी-डीवीडी सुमन इंटरटेनमेंट के बैनर सं आएल अछि. सुमन जी आई-काल्हि मुंबई मे रहि संगीत के दुनिया मे अपन पैर जमाबय के कोशिश मे लागल छथीह.

प्रीति सुमनजी एलबम लांचिग के मौका पर लोक सभ के अपन मधुर आवाज सं सिया के बारातक गीत सुना मंत्रमुग्ध करि देलीह.

समारोह मे वरिष्ठ संगीतकार रमेश मलिक,  अभिनेता अमित कुमार, मनोज पांडे, प्रवीण कश्यप, अमरजीत राय, कलाकार नेहा सुमन, ज्योति झा, नीरा झा, सत्या झा, संतोष झा आओर मुकेश झा जी सेहो मौजूद छलाह.

प्रीति सुमन जीके हेलो मिथिला तरफ सं शुभकामना.













Comments

Popular posts from this blog

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

हमर विआह- 8

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

नहि रहलाह मैथिली पुत्र प्रदीप