नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

गर्मी छुट्टी मे बिहार जाए वाला ट्रेन मे टिकट नहि

गर्मी छुट्टी शुरू भ गेल अछि. छुट्टी आओर शादी-विवाहक लगन सेहो होए के कारण लोग सभ दिल्ली...मुंबई सं गाम दिस जाए चाहय छथिन्ह. मुदा बिहार जाए वाला कोनो गाड़ी मे टिकट नहि मिल पाबि रहल अछि.

गाड़ी सभ मे पांच-पांच सय वेटिंग लिस्ट देखा रहल अछि. बेसि गाड़ी मे तं रेगरेट देखा रहल अछि. ओहि मे अहां वेटिंग वाला टिकट सेहो नहि कटा सकय छी.

आब लोक के सामने समस्या ई अछि जे ओ गाम कोना
जएताह. बड़ जरूरी भेलाह पर लोक जनरल टिकट ल रिजर्वेशन वाला कोच मे बैस जा रहल छथिन्ह. रिजर्वेशन वाला डिब्बा के हाल जनरल जकां बनि गेल अछि.

प्लेटफॉर्म सं लsक गाड़ी तक भीड़े-भीड़ अछि. लोक के गाड़ी मे घुसनाय तक मुश्किल भ रहल छनि. गाड़ी मे केहुना घुसि रहल छथिन्ह तं ठाड़े-ठाड़ यात्रा करय पड़ि रहल छनि.

हिम्मत करि ट्रेन मे तं चढ़ि जाए छथिन्ह मुदा परेशानी भेलाह पर दस तरहक कसम खाय छथिन्ह जे आब कान पकड़य छी जे होली-दीपावली...गर्मी छुट्टी मे ट्रेन सं यात्रा नहि करब. मुदा जरूरी पड़लाह पर जाइये पड़य छनि.

आम लोक के टिकट नहि मिल रहल छनि... मुदा अचरज के गप तं ई अछि जे रेल टिकट एजेंट...दलाल के कsत सं टिकट मिलि जाएत अछि.

लोक सभ के कहनाए छनि जे अहां दलाल सं संपर्क करिऔ ओ अहां के कंफर्म टिकट देला देत. ई केना होएत अछि ई तं रेल अफसरे सभ बता पएताह.

होली, दिवाली, छठि जकां पावनि-त्योहार...गर्मी छुट्टी मे हर बेर बिहारक ट्रेन मे इहे हाल रहैत अछि. एकर कोनो उपाय नहि कएल जा रहल अछि.

बिहार के नेता...आला अधिकारी सभ सेहो नहि दिस कोनो काज नहि करि रहल छथिन्ह. ओ ई कोशिश नहि करि रहल छथिन्ह जे बिहार दिस आओर बेसि ट्रेन चलय.

लोक सभ के अपन-अपन नेता... प्रतिनिधि पर ट्रेन के लेल प्रेशर बनएबाक चाही. आब बिना प्रेशर बनौने काज नहि चलत.

सरकार के ईहो सोचबाक चाही जे ई कमाउ रूट अछि. एहि रूट मे बेसि लोक यात्रा करय छथिन्ह ताही लेल जतेक गाड़ी चलाओल जाएत ओतेक कमाई होएत.

अहां गाम-घर...इलाका मे देखबय जे जेहि बाजार... जेहि इलाका मे जतेक बेसि ट्रैफिक होएत अछि... बस वाला...ट्रांसपोर्ट वाला ओहि रूट के लाइसेंस लैत अछि...बेसि गाड़ी चलाबैत अछि.

कमाई वाला रूट मे बेसि गाड़ी चलैत अछि. इहे हाल मार्केट के अछि जेहि मार्केट मे बेसि लोक आबय छथिन्ह ओहि ठाम बेसि दोकान खुलैत अछि.

सरकार के एहि सं सबक लs बिहार रूट मे बेसि ट्रेन चलएबाक चाही जेहि सं सरकार के आमदनी बढ़य. अहांक कि कहनाय अछि?

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु