नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दरभंगा के जमीलsक डांसिंग शूज केर दीवाना भेल बॉलीवुड

कि अहां के पता अछि जे रणवीर सं लsक रितिक आओर करीना सं लsक कैटरीना... सन पैघ बॉलीवुडक स्टार फिल्म मे डांस करैत समय किनकर डिजायन कएल शूज पहिनने रहय छथिन्ह?

अहां के ई जानि कs खुशी होएत कि तमाम बॉलीवुड स्टार दरभंगा के जमील शाहक डिजायन कएल आओर बनाएल शूज पहिनने रहय छथिन्ह.

जमील शाहक नाम बॉलीवुड स्टार के लेल कोनो परिचय केर मोहताज नहि अछि. जमील बॉलीवुड के सभ पैघ कलाकार लेल शूज डिजाइन करए आओर बनाबए छथिन्ह.

जमील डांस के जेहन मे राखि शूज बनाबए छथिन्ह. देखल जाए तं जमील बॉलीवुड केर
इकलौता शू डिजायनर छथिन्ह.

शूज डिजायन करय सं पहिने जमील बॉलीवुड स्टार सं मिलs हुनका सं ओहि डांस के बारे मे पूरा जानकारी लए छथिन्ह. जमील हर गाना आओर डांस के हिसाब सं अलग-अलग शूज डिजायन करए छथिन्ह.

डांसिंग शूज केर दुनिया मे जमील आई टॉप पर छथिन्ह मुदा कुछ दिन पहिने तक हिनका कई-कई दिन तक खाली पेट सुतय पड़य छलन्हि.

जमील दरभंगा जिला के डोघरा गाम के रहय वाला छथिन्ह. ई गाम जाले के पास अछि. जमील के पिता खेती करय छथिन्ह आओर ट्यूशन सेहो पढ़ाबय छथिन्ह.

बचपन मे घऱ मे भेल कहासुनी के बाद दिल्ली आबि गेलखिन्ह फेर एतय सं मुंबई चलि गेलाह.

मुंबई मे शूज बनाबए के संग जमील डांस सेहो सीखय लगलाह.

एक दिन संदीप सं डांस सीखय के दौरान जमील के पता चललन्हि जे इंडिया मे डांसिंग शूज नहि बनाएल जाएत अछि आओर बॉलीवुड स्टार सभ विदेश सं शूज मंगाs क डांस करय छथिन्ह.

जमील के एहिमे नीक मौका देखाय पड़लन्हि आ ओ डांसिंग शूज बना संदीप जी के देखौलखिन्ह. संदीप के कहय के मुताबिक ओ एहि शूज मे 13 बेर सुधार कएलखिन्ह... अंत मे 14वां बेर संदीप के जमील के बनाएल शूज पसंद अएलन्हि.

एकर बाद जमील मुड़िsक नहि देखलाह. आब तं एहन अछि जे बॉलीवुड के सभ पैघ स्टार जमील के शूज पहिन डांस फ्लोर पर उतरए छथिन्ह.

जमील आब शाह शूज केर नाम सं शूज डिजायन करय आओर बनाबय छथिन्ह.

जमील जीक कहनाए छनि जे पिछला दिन कनाडा के वैंकुवर मे जे टोएफा अवार्ड समारोह भेल छल ओहि मे कैटरीना आओर करीना हिनके डिजायन कएल शूज पहिने छलीह. जमील के कहनाए छनि जे रणवीर के शूज के लेल हिनका खासतौर पर दिल्ली बुलाएल गेल छलन्हि.

जमील के एहि बात के अफसोस छनि जे कनिक देरी के कारण ओ अमेरिकी राष्ट्रपति बराक ओबामा के भारत यात्रा के दौरान मुंबई मे अपन शूज नहि द पएलाह... आब ओ बिहार के मुख्य मंत्री नीतीश कुमार जीके अपन बनाएल शूज पहिनाबय चाहय छथिन्ह.

मुंबई मे काफी बिजी रहय के बादहुं जमील अपन गाम अनाय नहि भूलए छथिन्ह... पिछला साल दिसंबर मे गाम आएल छलखिन्ह.

जमील अपना गाम मे एकटा ट्यूशन इंस्टीट्यूट खोलय चाहय छथिन्ह  आओर एकर उद्घाटन नीतीश कुमार सं कराबय चाहय छथिन्ह.










2 टिप्‍पणियां:

  1. जमील भाई को दरभंगा का गौरव बढ़ाने के लिए बधाई और सर आप भी धन्यवाद के पात्र हैं

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु