सुर संग्राम-2 फाइनल 19 के

महुआ टीवी पर आबय वाला सुर संग्राम -2 के फाइनल एहि बेर फेर पटना के गांधी मैदान मे 19 दिसंबर के होएत. महुआ टीवी के ई भोजपुरी गीत संगीत वाला कार्यक्रम लोक सभ के बीच काफी लोकप्रिय अछि. ग्रैंड फिनाले के महुआ टीवी पर लाइव प्रसारण सेहो होएत.

एहि बेरक ग्रैंड फिनाले मे यूपी के रघुवीर शरण श्रीवास्तव जीक मुकाबला बिहार के तरफ सं गाबय वाली रांची के ममता रावत सं छनि. वाराणसी के रघुवीर जी नेत्रहीन छथिन्ह. अखन मोबाइल वोटिंग चलि रहल अछि जे 19 तक चलत.

पिछला साल भेल ग्रैंड फिनाले मे दूनु कालाकार के सह विजेता घोषित कएल गेल छल. पिछला साल उत्साह एतेक चरम पर छल जे आयोजक कोनो एक गायक के विजेता घोषित क हंगामा ठाड़ नहि करय चाहलखिन्ह.

पिछला बेर के तरह एहि बेर सेहो ग्रैंड फिनाले मे बॉलीवुड के आओर भोजपुरी कलाकार सभ दर्शक के मनोरंजन करथिन्ह. शारदा सिन्हा जी... मनोज तिवारी... मालिनी अवस्थी...कल्पना सेहो अपन गायन सं लोक के मंत्रमुग्ध करथिन्ह. कार्यक्रम मे रविकिशन... संभावना सेठ आओर भोजपुरी के दोसर कलाकार सभ सेहो रहताह.

गांधी मैदान मे होए वाला एहि कार्यक्रम मे बिहार के राज्यपाल आओर उप मुख्यमंत्री के मौजूद रहय के उम्मीद छनि. महुआ टीवी के मालिक पीके तिवारी जी सेहो रहताह. विजेता के पचीस लाख रुपया आओर एकटा बजाज डिस्कवर बाईक देल जाएत.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

आईबीएम मे जॉब... पाठकक पत्र

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा

हमर विआह-9