नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दिल्ली मे विद्यापति संगीत

कॉमनवेल्थ गेम्स के अवसर पर दिल्ली मे संगीत नाटक अकादमी के तरफ सं देश पर्व महोत्सवक आयोजन कएल गेल अछि. जेहि मे 11 अक्तूबर सोमदिन भारतीय संगीतक मुख्य प्रादेशिक परंपरा खंड मे बिहारक विद्यापति संगीतक प्रस्तुति कएल गेल. मेघदूतम थियेटर मे भेल कार्यक्रम मे विद्यापति संगीत के पेश कएलखिन्ह मशहूर मैथिली लोकगायक कुंज बिहारी मिश्र जी.

देश पर्व महोत्सवक आठम दिन कहि सकय छी पूरा तरह सं मैथिल संगीत के नाम रहल. विद्यापति संगीत के सुनय लेल मैथिल सभ के संग दोसर वर्गक लोकक सेहो भारी भीड़ उमड़ल छल. सभ सं अचरजक गप ई रहल जे एहि कार्यक्रम के दौरान अंग्रेजी मीडिया सं जुड़ल पत्रकार काफी संख्या मे आएल छलाह .

कुंज बिहारी मिश्र जीक कार्यक्रमक शुरूआत विद्यापति जीक प्रसिद्ध गोसाउनिक गीत जय जय भैरवी सं भेल. एहि के बाद महेशवाणी...चानन भेल विषम सर से, भुषन भेल भारी सुनि दर्शक मंत्रमुग्ध भ गेलाह. गाम-घर सं दूर राजधानी दिल्ली मे विद्यापतिक संगीत आनंद लेनाए एकटा अलगे अनुभव छल.

संगीत नाटक अकादमी के ई नीक कदम अछि. मुदा एक घंटा समय बड़ कम छल. लोक सभ आओर सुनय चाहय छलखिन्ह. दर्शक तरफ सं आओर सुनाबय के मांग सेहो भ रहल छल. मुदा कुंज बिहारी जी सेहो विवश छलाह किएक त एहि मंचपर हुनकर बाद एकटा आओर दोसर कार्यक्रम होबाक छल.
आयोजक के दू कार्यक्रम के बीच किछ बेसि समय देबय के चाही छल. ओना एहि कार्यक्रम मे आयोजक के उम्मीद सं बेसि दर्शक सेहो आएल छलखिन्ह. एहि हिसाब सं संगीत नाटक अकादमी के लेल ई एकटा सफल आयोजन सेहो रहल. संगीतक माहौल सेहो बड़ नीक रहय.

विद्यापति संगीत गायन मे कुंज बिहारी मिश्र जीक संग देलखिन्ह गोविन्द बिहारी मिश्र आओर चंद्र मोहन मिश्र जी. झल्लर पर सज्जन कुमार मिश्र... पखावज पर परशुराम सिंह...ढोलक पर अशोक यादव...मजीरा पर मिथिलेश मंडल आओर तानपुरा पर अरुण कुमार मल्लिक संगत करलखिन्ह.

कुंज बिहारी जी मैथिलीक काफी लोकप्रिय गायक छथिन्ह. हिनकर कार्यक्रम देश भर मे होएत रहय छनि. मुदा हमरा पहिल बेर हिनकर कार्यक्रम मे जाए के मौका मिलल छल. उम्मीद करय छी जे दिल्ली- एनसीआर मे हिनकर आओर कार्यक्रम आयोजित कएल जाएत. तखन एहि बेर के सभ कमी ओहि बेर वसूल भ जाएत. किएक त कार्यक्रम मे ओतेक देर सुनला के बादहुं लागल जेना अखने शुरू भेल आ अखने खत्म भ गेल.
कुंज बिहारी मिश्र जी मधुबनी जिलाके छथिन्ह. कुंज जीके विद्यापति गायन मे महारत हासिल छनि...आओर कहि सकय छी जे कुंज बिहारी जी एकटा अलग राग शुरू कएने छथिन्ह मैथिली विद्यापति संगीत मे. हिनकर कइटा कैसेट सेहो निकलल छनि जेहि मे सुबहक सुधि... शिव के नचारी... सिनोहिया...राम विवाह प्रसंग प्रमुख अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

2 टिप्‍पणियां:

  1. Delhi me vidyapati sanggetak aayojan sangeet natak academy dis san bhel e suni hiya zura gel.kunj bihari jeek gyan adbhut chhani.hamuhu madhubani me kichu din rahi ta hunka sunlauhn..ek ber rahika me aayojit vidyapati samaroh me eke manch par sabh nabka purnka kalakar lokain thad bhel rahi muda ohi deen nabturiya gyak ke mauka nahi bhet saklaih.aaor ohi din kunj bihari jee asgare shrota sabh ke mantra mugadh kaya delkhihin..ohi deen ramsebak jee manch sanchalan kene rahiyath..coomonwelth news me byasat rahbak karne kunj bihari jeek gyan pratyaksh roop sa nahi suni saklauhn ehen subh absar ke pratiksha me..ham kishan karigar.

    जवाब देंहटाएं
  2. ham sab maithilak lel ee saubhagya ker baat achhi... aa bahut satik samay me ee karykram bhel achhi...

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु