Skip to main content

बिहार के एकटा आओर सम्मान

बिहार के लेल एकटा गर्व केर बात अछि. बिहार के एकटा आओर प्रतिभा के सम्मानित कएल जा रहल अछि. एहि बेर सम्मानित भ रहल छथिन्ह बेतिया के पुलिस अधीक्षक निशांत कुमार तिवारी जी.

बेतिया के एसपी निशांत तिवारी जीके राष्ट्रपति प्रतिभा पाटिल 25 तारीख के दिल्ली मे सम्मानित करतीह. राष्ट्रपति हिनका
चुनाव आयोग के तरफ सं ईस्ट जोन के लेल बेस्ट जोनल अवार्ड सं सम्मानित करतीह.

चुनाव आयोग डायमंड जुबली समारोह के क्रम मे देश के सभ राज्य आओर केंद्र शासित प्रदेश के ‘शेरिंग बेस्ट इलेक्ट्रल प्रैक्टिसेज’ नाम सं पांचटा जोनल सिम्पोज़िया आयोजित करने छल.

एहि मे ईस्ट जोन के सिम्पोज़िया 10 जनवरी के भुवनेश्वर मे भेल छल. जेहि मे निशांत जी के अपन ‘सीपीएमएफ मैनेजमेंट’ प्रजेंटेशन के लेल ईस्ट जोन के बेस्ट जोनल अवार्ड के लेल चुनल गेल छनि.

चुनाव आयोग डॉयमंड जुबली समारोह के क्रम मे बेस्ट इलेक्ट्रल प्रैक्टिसेज पर दिल्ली के ताज पैलेस होटल मे 24 तारीख सं एकटा अंतर्राष्ट्रीय सम्मेलन करि रहल अछि. एहि मे दुनिया भर के चुनाव अधिकारी भाग लेताह.
निशांत जी एहि सम्मेलन मे सेहो हिस्सा लेताह. एहि सम्मेलन के दोसर दिन 25 जनवरी के राष्ट्रपति प्रतिभा पाटिल हिनका सम्मानित करतीह. ई बिहार के लेल बड़ नीक खबर अछि. एहि सं दोसर अफसर के प्रेरणा सेहो मिलतन्हि.

निशांत कुमार तिवारी जी 2005 बैच के बिहार कैडर के आईपीएस अधिकारी छथिन्ह. 2005 बैच मे हिनका बेस्ट प्रोबेशनर के अवार्ड प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह जी सं मिलल छलन्हि. जेहि मे हिनका पीएम बैटन आओर गृह मंत्रालयक पिस्टल मिलल छलन्हि.

निशांत जी काफी काबिल अफसर मानल जाय छथिन्ह. हिनकर एकेडमिक रिकॉर्ड शानदार रहल छनि. बिहार पुलिस के लेल ई सेहो गर्व के बात अछि जे एतेक ब्रिलिएंट अधिकारी हुनका संग जुड़ल छनि.

निशांत जीक स्कूली शिक्षा नेतरहाट स्कूल सं पूरा भेल छनि. नेतरहाट स्कूल सं 1995 मे मैट्रिक मे टॉप करला के बाद दिल्ली के मदर स्कूल सं पढ़ाई करि 12वीं मे सेहो टॉप करलखिन्ह.
Nishant Tiwary, SP, Bettiah
एहि के बाद दिल्ली विश्वविद्यालय के एनएसआईटी सं इंजीनियरिंग मे सेहो अपन नीक प्रदर्शन जारी राखलखिन्ह. 2007 मे ओस्मानिया यूनिवर्सिटी सं फर्स्ट क्लास सं मास्टर्स इन पुलिस मैनेजमेंट करलाह.

हिनका कइटा राष्ट्रीय- अंतर्राष्ट्रीय अवार्ड मिल चुकल छनि. जेहि मे पीएम बैटन आओर होम मिनिस्ट्री के पिस्टल के संग प्रेसिडेंट कप... सरदार बल्लभ भाई पटेल ट्रॉफी... अल्फा अवार्ड... कॉम्पैक़ ट्रॉफी... मेहता कप शामिल अछि. हिनका बिहार बोर्ड परीक्षा मे सात लाख विद्यार्थी मे टॉप करय पर गोल्ड मेडल सेहो मिलल छलन्हि.

निशांत जी करीढ़ ढ़ाई साल अमेरिका मे सेहो सीनियर सॉफ्टवेयर इंजीनियर के रूप मे काज क चुकल छथिन्ह. बेतिया से पहिने तीनटा आओर जिला मे एसपी रहि चुकल छथिन्ह. हेलो मिथिला के तरफ सं हिनका शुभकामना.

निशांत जीके अहां सभ सेहो बधाई द सकय छी.  अहां अपन शुभकामना... बधाई कमेंट के मार्फत सं हुनका द सकय छी. प्रतिभा के प्रेरित करनाय... उत्साह बढैनाय होबाक चाही. नीक काज के प्रशंसा एकदम जरूरी अछि.

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

  1. बिहार के लेल एकटा गर्व केर बात अछि. बिहार के एकटा आओर प्रतिभा के सम्मानित कएल जा रहल अछि. एहि बेर सम्मानित भ रहल छथिन्ह बेतिया के पुलिस अधीक्षक निशांत कुमार तिवारी जी

    ReplyDelete
  2. Hasan Jawed:

    mubarak ho SP sb

    ReplyDelete
  3. keep it up.. Nitin Jha

    ReplyDelete
  4. Sweta Jha (Singapore):
    Congrats.....

    ReplyDelete
  5. Manish Kumar:
    congrats . . .

    ReplyDelete
  6. Shri Nishant Tiwari ji ke yuth of mithila ke sab member ke taraf s badhae e mithila or bihar dunu ke lel nik baat ahhi je ehan lok mithila me wa bihar me ayala agar sab gota ehina kichh karya karta t mithila a bihar ke bikash me kono dikkat nai hetay

    anand jha
    secretary
    youth of mithila
    www.youthofmithila.com

    ReplyDelete
  7. bahut -bahut badhai. log cinema aa anya madyam saw bihar police ke akhain dhar khali kharabe chhavi dekhait chhalah muda tiwari jee dekha delkhin ki bihar police me kehan nik saw nik chhavi aa kaj karaw ke chhamta chhai- shravan kumar jha, Guwahati-ASssam.

    ReplyDelete
  8. Ramkumar Das:
    Congratulation...!

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर