ब्रिटिश एयरवेज में आतंरिक कलह

ब्रिटिश एयरवेज के कर्मचारी दोसर बेर पाँच दिनक बंद पर चली गेल अछि | मंगल दिन जे समझौतापूर्ण बात होय वला छल से वृहस्पति दिन लेल स्थगित भय गेल अछि | मतभेदक मुख्य कारण अछि कंपनी द्वारा कर्मचारी कम करेइके निर्णय | बी ए ई निर्णय लेने छल जे लम्बा दूरी वला हवाई जहाज में पंद्रह के स्थान पर चौदह टा कर्मचारी रहत तथा केबिन सेवा निरीक्षक , सबस उच्च स्तर के अधिकारी केवल निरिक्षण नहीं बल्कि भोजन परोसै के काज सेहो करता| कार्यकर्ता सबके आमदनी में सेहो कोनो बढ़ोतरी अहि साल नहीं भेल अछि|
आर्थिक मंदी, आएसलैंड के ज्वालामुखी तथा अहि आतंरिक समस्याक कारण कम्पनी के अत्यधिक हानि भेलैया | कम्पनी लगातार ई दोसर साल रिकॉर्ड हानि के भागी बनल अछि| कथनानुसार कम्पनी के अहि सब स १०५,०००,००० (१०५ मिलियन ) ब्रिटिश पौंड के हनी भेल छाही जाही में ४३, ०००, ००० (४३ मिलियन) ब्रिटिश पौंड के नुकसान केवल मार्च के बंदी के कारण भेल छही | बी ए के कहब छ्ही जे बंद में ७० प्रतिशत लम्बा दूरी के हवाई जहाज तथा ५५ प्रतिशत नजदीकक हवाई जहाज चलित रहय| आगाँ ज स्ट्रायक चलैत रहले त कंपनी लम्बी दूरी के जहाज के संख्या ८०% तक तथा नजदीकक जहाजक संख्या ६०% तक बर्हबक प्रयास करत | आशा छ्ही जे साऊथ अफ्रीका में होय वला सोकर (फुटबाल) विश्वकप के एक सप्ताह पहिने ५ जून क बंदी समाप्त भा जयतय| अहुना कंपनी साऊथ अफ्रीका के सबटा हवाई जहाज चालू रखतै |
कम्पनी के अहि तरहक आतंरिक कलह स सामान्य जनता के काफी परेशानी भा रहल छही जे की कंपनी के छवि पर जरुर नकारात्मक असर देतै| नवीनतम जानकारी हेतु यात्री सबके परामर्श देल गेल अछि जे कंपनी के वेब साईट के देखैत रहू|
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

हमर विआह- 8

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

नहि रहलाह मैथिली पुत्र प्रदीप